इन्डो-इरानी भाषा परिवार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
इन्डो-इरानी
आर्यन
भौगोलिक
वितरण
एसिया (दक्षिण, मध्यदक्षिणपश्चिम एसिया) दक्षिणपूर्वी युरोप; १५ राष्ट्रमे १ अर्ब मातृभाषी
भाषिक वर्गीकरणभारोपेली
  • इन्डो-इरानी
मूल-भाषामूल इन्डो-इरानी
उपभागसभ
आइएसओ ६३९-२ / iir
ग्लोटोलगindo1320[१]
{{{mapalt}}}
एसिया भरि रहल जीवित इन्डो-इरानी भाषासभक गृहभूमिमे फैलावट:
  इन्डो-इरानी भाषा परिवार (इरानी, इन्डो-आर्यननुरिस्तानी भाषासभ)

इन्डो-इरानी भाषा परिवार (अङ्ग्रेजी: Indo-Iranian language family) या आर्यन भाषा[२][३][४]भारोपेली भाषा परिवारक सभसँ बृहत शाखा छी । ई भाषा परिवारक मातृभाषी १ अर्ब अछि । ई भाषा परिवारक भाषासभ एकेटा मूल भाषासँ विकसित भेल अछि -- मूल इन्डो-इरानी भाषा (Proto-Indo-Iranian language) जकरा आर्यन भाषा कहल जाइत छल आ ईसा पूर्व तेसर सहस्राब्दी दिस बाजल जाइत छल । ई भाषासभक उत्पति इन्डो-इरानी गणक लोकसभ केनए होइत से मान्यता अछि ।

ई भाषा परिवारकें तीन शाखामे इरानी, इन्डो-आर्यननुरिस्तानी भाषासभमे विभाजन कएल जाइत अछि । मुदा कहियो कहियो दारदार भाषासभ चारिम शाखा छी कहि प्रश्न अवैत अछि । दारदार भाषासभकें इन्डो-आर्यन भाषासभ भितर वर्गीकरण कएल गेल अछि ।

भाषासभ[सम्पादन करी]

इन्डो-इरानी भाषासभ

ई भाषा परिवारकें तीन शाखामे विभाजन कएल गेल अछि:

ई समूहमे इन्डो-आर्यन भाषासभ दक्षिण एसियाली क्षेत्र अन्तरगत अवैत अछि आ सभसँ पैग उपशाखा सेहो छी । विश्वक सभसँ पैग भाषासभ (मातृभाषीक हिसाब सँ) इन्डो-आर्यन समूह भितर अवैत अछि: हिन्दुस्तानी भाषा (हिन्दी–उर्दु, ~५९० मिलियन[५]), बङ्गाली (२०५ मिलियन[६]), पञ्जाबी (१०० मिलियन), मराठी (७५ मिलियन), गुजराती (५० मिलियन), भोजपुरी (४० मिलियन), अवधि (४० मिलियन), मैथिली (३५ मिलियन), ओडिया (३५ मिलियन), मारवाडी (३० मिलियन), सिन्धी (२५ मिलियन), असामी (२४ मिलियन), राजस्थानी (२० मिलियन), छत्तिसगढ़ी (१८ मिलियन), सिन्हाली (१६ मिलियन), नेपाली (१७ मिलियन), आ रङ्गपुरी (राजवंशी) (१५ मिलियन) अछि । इरानी भाषा परिवार शाखा अन्तरगत मुख्य भाषासभमे फारसी (६० मिलियन), पश्तो (५० मिलियन), कुर्दिश (३५ मिलियन),[७]बलोची (८ मिलियन) छी जकर कूल मातृभाषी प्रयोक्ता १४७१ मिलियन अछि । एहि भाषा परिवार अन्तरगत आओरो विभिन्न छोट छोट भाषासभ सम्मलित अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

संस्कृत (प्राचीन इन्डो-आर्यन भाषा), अवेस्तन आ पुरान फारसी भाषासभ (प्राचीन इरानी भाषासभ) सभसँ प्राचीन इन्डो-इरानी भाषासभ छी ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Hammarström, Harald; Forkel, Robert; Haspelmath, Martin तथा अन्य, सं (2016). "इन्डो-इरानी". Glottolog 2.7. Jena: Max Planck Institute for the Science of Human History. http://glottolog.org/resource/languoid/id/indo1320. 
  2. D. D. Mahulkar (1990). Pre-Pāṇinian Linguistic Studies. Northern Book Centre. आइएसबिएन 978-81-85119-88-5. https://books.google.com/books?id=vsNF-yuHEgYC. 
  3. Annarita Puglielli; Mara Frascarelli (2011). Linguistic Analysis: From Data to Theory. Walter de Gruyter. आइएसबिएन 978-3-11-022250-0. https://books.google.com/books?id=OCwJBdGbW-cC. 
  4. Numeral Types and Changes Worldwide, by Jadranka (EDT) Gvozdanovic, Language Arts & Disciplines,1999, Page 221. Books.google.com. https://books.google.com/books?vid=ISBN3110161133&id=KFBDGWjCP7gC&pg=PA221&lpg=PA221&vq=aryan+languages&dq=aryan+languages+iranian&sig=11bYU5iUtJpZx-Ct7VdMBvOjG_c. अन्तिम पहुँच तिथि: 2013-01-02. : "The usage of 'Aryan languages' is not to be equated with Indo-Aryan languages, rather Indo-Iranic languages of which Indo-Aryan is a subgrouping."
  5. Edwards, Viv। "Urdu/Hindi Today"। BBC।
  6. Thompson, Irene। "Bengali"। AboutWorldLanguages। अन्तिम पहुँच March 29, 2013
  7. CIA- The World Factbook: 14.7 million in Turkey (18%)[१] सङ्ग्रहित २०१७-०९-२० वेब्याक मेसिन, 4.9–6.5 million in Iraq (15-20%)[२] सङ्ग्रहित २०१८-१२-२४ वेब्याक मेसिन, 8 million in Iran (10%)"Archived copy"मूलसँ 3 February 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2011-03-31{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link) (all for 2014), plus several million in Syria, neighboring countries, and the diaspora

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]