स्वाति भिसे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्वाति भिसे
Swati Bhise
जन्म (१९५९-१०-२१) अक्टुबर २१, १९५९ (उमर ६४)
व्यवसायभरतनाट्यम नृत्याङगना, शिक्षक, निर्माता, आ कलाक प्रवर्तक


स्वाति भिसे (जन्म नाम: स्वाति गुप्ते; जन्म: २१ अक्टुबर, १९५९) भरतनाट्यम नृत्याङगना, कोरियोग्राफर, शिक्षक, निर्माता आ कलाक प्रवर्तक छी।

नृत्य कैरियर[सम्पादन करी]

स्वाति "पद्म विभूषण" सोनल मानसिंह क पहिल शिष्या छी।[१] नयाँ दिल्लीमे सेन्टर अफ इन्डियन क्लासिकल डान्स मे अपन पहिल प्रदर्शनक बाद सँ, ओ दुनिया भरिक स्थानसभ पर व्यापक रुप सँ प्रदर्शन केनए अछि। जेहिमे नेशनल सेन्टर फर द परफर्मिङग आर्ट्स (इन्डिया), लिङकन सेन्टर, एसिया सोसाइटी, सिम्फनी स्पेस, मेट्रोपलिटन म्यूजियम सम्मलित अछि।[२] हुनकर किछ आर उल्लेखनीय प्रदर्शन संयुक्त राष्ट्र महासभाक ४०म वर्षगाठ क लेल भेल अछि।

शिक्षक[सम्पादन करी]

स्वाति सन् १९९१-२००६ धरि ब्रियरली स्कूल, न्यूयोर्क शहर मे कलाकारक रूपमे काम केलक।[३] ओ बच्चासभ आ किशोरसभक शिक्षामे भारतीय कलाक लेल गैर-लाभकारी "संस्कृति केन्द्र" क स्थापना केलक।[४] ओ सिम्फनी स्पेसमे कला कार्यक्रमक तहत पढेनाए जारी राखैत आ सन् १९९६ सँ लिङकन सेन्टर इन्स्टिच्युटक सहायक कलाकार रहि चुकल अछि। ओ कोलम्बिया विश्वविद्यालय, न्यूयोर्क विश्वविद्यालय, अस्टिन मे टेक्सास विश्वविद्यालय, टेक्सासक सेन्ट मार्क स्कूल, द डाल्टन स्कूल, द ब्रियरली स्कूल, द चैपिन स्कूल, ब्रुकलिन कलेज आर वेस्लेयन विश्वविद्यालय सहित संयुक्त राज्य अमेरिका क बहुत रास सार्वजनिक आ निजी स्कूलसभ, कलेजसभ आ विश्वविद्यालयसभमे सेहो प्रदर्शन केनए अछि।

रङ्गमङच आ चलचित्र निर्माण[सम्पादन करी]

सन् २०१२ मे, स्वाति द सादिर थिएटर फेस्टिवलक स्थापना केलक, जे भारतक गोवा मे प्रतिवर्ष होमए वाला तीन-दिवसीय उत्सव छी।[५] एहिमे लिलेट दुबे, गिरीश कर्नाड, रजत कपूर, मोहम्मद अली बेग आ विक्रम कपाडिया समेत रङ्गमङच सितारासभ बहुत वर्ष सँ भाग लेने अछि। ओ एखनो ई फेस्टिवलक कलात्मक निर्देशक छी।[६] स्वाति यूनेस्को क विरासत कलाक रूपमे कुनेको ओपेरा सेहो आनलक, जे चिनी रङ्गमङचक सबसँ पुरान शैलिसभमे सँ एक छी। एकरा पहिल बेर भारतक नेशनल सेन्टर फर द परफर्मिंङग आर्ट्स, मुम्बई आ नयाँ दिल्लीक सिरी फोर्ट अडिटोरियममे प्रदर्शित कएल गेल। सन् २०१४ मे, स्वाति एक फिल्म निर्माण कम्पनीक स्थापना केलक। ओ शबाना आजमी, सुषमा सेठ, कुलभूषण खरबन्दा आ उत्कर्ष मजूमदारक साथ ९म वार्षिक महिन्द्रा एक्सीलेन्स थिएटर अवार्डमे पाँच सदस्यीय भव्य ज्युरी सहित बहुत पटल पर बैसल अछि।[७]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Archived copy"मूलसँ 2016-05-18 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-09-20 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  2. Makhijani, Vishnu। "Indian American danseuse brings Chinese opera to India - Diaspora"Thesouthasiantimes.info। अन्तिम पहुँच 30 March 2018
  3. Heyman, Marshall (14 December 2015)। "Dancing to a Traditional Indian Beat"Wsj.com। अन्तिम पहुँच 30 March 2018
  4. "Out & About"The New York Sunमूलसँ 2018-03-31 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 30 March 2018 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. "Return of the Sadir Theatre Festival - The Navhind Times"Navhindtimes.in। अन्तिम पहुँच 30 March 2018
  6. "Sadir Theatre Fest to kick off on March 18"Indiatimes.com। अन्तिम पहुँच 30 March 2018
  7. "9th Annual Mahindra Excellence in Theatre Awards Announced - Manoj Omen, MD Pallavi & More!"Broadwayworld.com। अन्तिम पहुँच 1 September 2018

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]