स्वाति भिसे
स्वाति भिसे Swati Bhise | |
|---|---|
| जन्म | अक्टुबर २१, १९५९ |
| व्यवसाय | भरतनाट्यम नृत्याङगना, शिक्षक, निर्माता, आ कलाक प्रवर्तक |
स्वाति भिसे (जन्म नाम: स्वाति गुप्ते; जन्म: २१ अक्टुबर, १९५९) भरतनाट्यम नृत्याङगना, कोरियोग्राफर, शिक्षक, निर्माता आ कलाक प्रवर्तक छी।
नृत्य कैरियर
[सम्पादन करी]स्वाति "पद्म विभूषण" सोनल मानसिंह क पहिल शिष्या छी।[१] नयाँ दिल्लीमे सेन्टर अफ इन्डियन क्लासिकल डान्स मे अपन पहिल प्रदर्शनक बाद सँ, ओ दुनिया भरिक स्थानसभ पर व्यापक रुप सँ प्रदर्शन केनए अछि। जेहिमे नेशनल सेन्टर फर द परफर्मिङग आर्ट्स (इन्डिया), लिङकन सेन्टर, एसिया सोसाइटी, सिम्फनी स्पेस, मेट्रोपलिटन म्यूजियम सम्मलित अछि।[२] हुनकर किछ आर उल्लेखनीय प्रदर्शन संयुक्त राष्ट्र महासभाक ४०म वर्षगाठ क लेल भेल अछि।
शिक्षक
[सम्पादन करी]स्वाति सन् १९९१-२००६ धरि ब्रियरली स्कूल, न्यूयोर्क शहर मे कलाकारक रूपमे काम केलक।[३] ओ बच्चासभ आ किशोरसभक शिक्षामे भारतीय कलाक लेल गैर-लाभकारी "संस्कृति केन्द्र" क स्थापना केलक।[४] ओ सिम्फनी स्पेसमे कला कार्यक्रमक तहत पढेनाए जारी राखैत आ सन् १९९६ सँ लिङकन सेन्टर इन्स्टिच्युटक सहायक कलाकार रहि चुकल अछि। ओ कोलम्बिया विश्वविद्यालय, न्यूयोर्क विश्वविद्यालय, अस्टिन मे टेक्सास विश्वविद्यालय, टेक्सासक सेन्ट मार्क स्कूल, द डाल्टन स्कूल, द ब्रियरली स्कूल, द चैपिन स्कूल, ब्रुकलिन कलेज आर वेस्लेयन विश्वविद्यालय सहित संयुक्त राज्य अमेरिका क बहुत रास सार्वजनिक आ निजी स्कूलसभ, कलेजसभ आ विश्वविद्यालयसभमे सेहो प्रदर्शन केनए अछि।
रङ्गमङच आ चलचित्र निर्माण
[सम्पादन करी]सन् २०१२ मे, स्वाति द सादिर थिएटर फेस्टिवलक स्थापना केलक, जे भारतक गोवा मे प्रतिवर्ष होमए वाला तीन-दिवसीय उत्सव छी।[५] एहिमे लिलेट दुबे, गिरीश कर्नाड, रजत कपूर, मोहम्मद अली बेग आ विक्रम कपाडिया समेत रङ्गमङच सितारासभ बहुत वर्ष सँ भाग लेने अछि। ओ एखनो ई फेस्टिवलक कलात्मक निर्देशक छी।[६] स्वाति यूनेस्को क विरासत कलाक रूपमे कुनेको ओपेरा सेहो आनलक, जे चिनी रङ्गमङचक सबसँ पुरान शैलिसभमे सँ एक छी। एकरा पहिल बेर भारतक नेशनल सेन्टर फर द परफर्मिंङग आर्ट्स, मुम्बई आ नयाँ दिल्लीक सिरी फोर्ट अडिटोरियममे प्रदर्शित कएल गेल। सन् २०१४ मे, स्वाति एक फिल्म निर्माण कम्पनीक स्थापना केलक। ओ शबाना आजमी, सुषमा सेठ, कुलभूषण खरबन्दा आ उत्कर्ष मजूमदारक साथ ९म वार्षिक महिन्द्रा एक्सीलेन्स थिएटर अवार्डमे पाँच सदस्यीय भव्य ज्युरी सहित बहुत पटल पर बैसल अछि।[७]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Archived copy", मूलसँ २०१६-०५-१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-०९-२०।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Makhijani, Vishnu, "Indian American danseuse brings Chinese opera to India - Diaspora", Thesouthasiantimes.info, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१८।
- ↑ Heyman, Marshall (१४ दिसम्बर २०१५), "Dancing to a Traditional Indian Beat", Wsj.com, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१८।
- ↑ "Out & About", The New York Sun, मूलसँ २०१८-०३-३१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१८।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Return of the Sadir Theatre Festival - The Navhind Times", Navhindtimes.in, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१८।
- ↑ "Sadir Theatre Fest to kick off on March 18", Indiatimes.com, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१८।
- ↑ "9th Annual Mahindra Excellence in Theatre Awards Announced - Manoj Omen, MD Pallavi & More!", Broadwayworld.com, अन्तिम पहुँच १ सितम्बर २०१८।