दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मुख्यमन्त्री
मनोनयनकर्ताद'लक सहयोगी
नियुक्तिकर्ताउपराज्यपाल{भारतक राष्ट्रपति}
सुरुवाती बहालवालाचौधरी ब्रह्म प्रकाश
स्थापना१९५२
उपकियो नै
वेबसाइटदिल्ली सरकारक आधिकारिक वेबसाइट

दिल्लीक मुख्यमन्त्री भारतक राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मानद मुख्य कार्यकारी अधिकारी होइत अछि। भारतक संविधानक अनुसार, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर दिल्लीक डी ज्युरे प्रमुख होएत अछि मुदा वास्तव मे डी फेक्टो कार्यकारी अधिकार मुख्यमन्त्री मे निहित रहैत अछि। दिल्ली विधानसभाक प्रतिधिनिगणक निर्वाचनक बा'द, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर सामान्य रीति सं आम चुनाव मे बहुमत देल गेल राजनीतिक पार्टी के सरकार बनेबाक लेल आमन्त्रित करैत अछि। भारतक राष्ट्रपति, लेफ्टिनेन्ट गभर्नरक सुझाव पर मुख्यमन्त्री केँ नियुक्ति करैत अछि जकर मन्त्रीपरिषद सामूहिक रूप सँ विधानसभाक लेल जिम्मेदार होइत अछि। विधानसभा मे विश्वास-मत प्राप्त केलाक बाद मुख्यमन्त्रीक कार्यकाल पाँच वर्षक होइत अछि {आ ओकर कोनहु समयावधिक स्पष्ट गणना नहि नियत अछि}।

सन् १९५२ सँ दिल्ली मे सातटा मुख्यमन्त्री भेल अछि, जकर शुरुआत भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक चौधरी ब्रह्मप्रकाश सँ भेल छल। हुनकर कार्यकाल समाप्त भेलाक बाद, दिल्लीक मुख्यमन्त्री पद ३७ वर्षक लेल समाप्त क' देल गेल छल। सन् १९९३ मे पुन: दिल्ली मे मुख्यमन्त्री पदक लेल चुनाव भेल जाहि मे भारतीय जनता पार्टीक मदन लाल खुराना मुख्यमन्त्री पदक सपथ ग्रहण लेने छलाह । सन् १९९८ सँ सन् २०१३ धरि शीला दीक्षित दिल्ली सरकारक मुख्यमन्त्रीक रूप मे शासन कएने छलीह । शीला दीक्षितक पश्चात दिल्ली सरकारक बागडोर आम आदमी पार्टीक राष्ट्रिय संयोजक अरविन्द केजरीवालद्वारा ४९ दिन मात्र चलाएल गेल आ तत्पश्चात दिल्ली सरकार लगभग १ वर्ष धरि राष्ट्रपति शासनक अधीन रहल। सन् २०१५ फरबरी मे भेल आम चुनावक बाद आम आदमी पार्टी भारी बहुमत सँ विजयी भेल आ केजरीवाल तखन सँ दिल्लीक मुख्यमन्त्रीक रुप मे पदासीन अछि।

दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची[सम्पादन करी]

राजनीतिक दलक पार्टी रङ्ग कुञ्जी
No[lower-alpha १] नाम विधानसभा क्षेत्र छवी राजनीतिक दल[lower-alpha २] पदावधि[१] सभा
(चुनाव)
चौधरी ब्रहम प्रकाश यादव नाग्लोई भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस 17 मार्च 1952 12 फरवरी 1955 २ वर्ष, ३३२ दिन अन्तरिम विधानसभा (1952–56)
(1952 चुनाओ)
गुरुमुख निहाल सिंह दरिया गञ्ज 12 फरवरी 1955 1 नाभेम्म्बर 1956 १ वर्ष, २६३ दिन
कार्यालय निलम्बित, १९५६-९३
मदन लाल खुराना मोती नगर भारतीय जनता पार्टी 2 दिसम्बर 1993 26 फरवरी 1996 २ वर्ष, ८६ दिन पहिल विधानसभा (1993–98)
(1993 चुनाओ)
साहिब सिंह वर्मा सालिमार बाग 26 फरवरी 1996 12 अक्टुबर 1998 २ वर्ष, २२८ दिन
सुषमा स्वराज 12 अक्टुबर 1998 3 दिसम्बर 1998 ५२ दिन
शीला दीक्षित नयाँ दिल्ली भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस 3 दिसम्बर 1998 1 दिसम्बर 2003 १५ वर्ष, २५ दिन दोसर विधानसभा (1998–2003)
(1998 चुनाओ)
1 दिसम्बर 2003 29 नोभेम्बर 2008 तेसर विधानसभा (2003-08)
(2003 चुनाओ)
29 नोभेम्बर 2008 28 दिसम्बर 2013 चारिम विधानसभा (2008–13)
(2008 चुनाओ)
अरविन्द केजरीवाल नयाँ दिल्ली आम आदमी पार्टी 28 दिसम्बर 2013 14 फरवरी 2014 ४८ दिन पाँचम विधानसभा (2013-15)
(2013 चुनाओ)
राष्ट्रपति शासन N/A N/A 14 फरवरी 2014 14 फरवरी 2015 १ वर्ष, ० दिन
(७) अरविन्द केजरीवाल नयाँ दिल्ली आम आदमी पार्टी 14 फरवरी 2015 निरन्तर ९ वर्ष, ४१ दिन छठम विधानसभा (2015–20)
(2015 चुनाओ)

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "States of India since 1947"। अन्तिम पहुँच 9 March 2011
  1. A number inside brackets indicates that the incumbent has previously held office.
  2. This column only names the chief minister's party. The state government he headed may have been a complex coalition of several parties and independents; these are not listed here.