दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मुख्यमन्त्री
बहालवाला
अरविन्द केजरीवाल

१४ फरबरी २०१५ सँ
नियुक्तिकर्ताभारतक राष्ट्रपति
पदावधी५ वर्ष
सुरुवाती बहालवालाचौधरी ब्रह्म प्रकाश
स्थापना१९५२
उपकियो नै
वेबसाइटदिल्ली सरकारक आधिकारिक वेबसाइट

दिल्लीक मुख्यमन्त्री भारतक राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मुख्य कार्यकारी अधिकारी होएत अछि। भारतक संविधानक अनुसार, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर दिल्लीकेँ डी ज्युरे प्रमुख होएत अछि मुदा वास्तवमे डी फ्याक्टो कार्यकारी अधिकारसभ मुख्यमन्त्रीमे निहित रहैत अछि। दिल्ली विधान सभाक चुनावक बाद, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर आमतौर पर आम निर्वाचनमे बहुमत प्राप्त राजनीतिक पार्टीकेँ सरकार बनेबाक लेल आमन्त्रित करैत अछि। भारतक राष्ट्रपति, लेफ्टिनेन्ट गभर्नरक सलाह पर मुख्यमन्त्रीकेँ नियुक्ति करैत अछि जकर मन्त्रीपरिषद सामूहिक रूपसँ विधानसभाक लेल जिम्मेवार होएत अछि। विधानसभामे विश्वास मत प्राप्त करलाक बाद मुख्यमन्त्रीकेँ कार्यकाल पाँच वर्षक होएत अछि आ ओकर कोनो समयावधि नै होएत अछि।

सन् १९५२ सँ दिल्लीमे सात मुख्यमन्त्री भेल अछि जकर शुरुआत भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक चौधरी ब्रह्मप्रकाश सँ भेल छल। हुनकर कार्यकाल समाप्त भेलाक बाद, दिल्लीक मुख्यमन्त्री पद ३७ वर्षक लेल समाप्त करि देल गेल छल। सन् १९९३ मे पुन: दिल्लीमे मुख्यमन्त्री पदक लेल चुनाव भेल जहिमे भारतीय जनता पार्टीक मदन लाल खुराना मुख्यमन्त्री पदक सपथ ग्रहण केनए छल। सन् १९९८ सँ सन् २०१३ धरि शीला दीक्षित दिल्ली सरकारक मुख्यमन्त्रीक रूपमे शासन केनए छल। शीला दीक्षितक बाद दिल्ली सरकारक बागडोर आम आदमी पार्टीक राष्ट्रिय संयोजक अरविन्द केजरीवालद्वारा ४९ दिन मात्र चलाएल गेल आ ओकर बाद दिल्ली सरकार लगभग १ वर्षधरि राष्ट्रपति शासनक तहत रहल। सन् २०१५ फरबरीमे भेल आम चुनावक बाद आम आदमी पार्टी भारी बहुमतसँ विजयी भेल आ केजरीवाल तखन सँ दिल्लीके मुख्यमन्त्रीक रुपमे पदासिन अछि।


दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची[सम्पादन करी]

राजनीतिक दलक पार्टी रङ्ग कुञ्जी
No[lower-alpha १] नाम विधानसभा क्षेत्र छवी राजनीतिक दल[lower-alpha २] पदावधि[१] सभा
(चुनाव)
चौधरी ब्रहम प्रकाश यादव नाग्लोई भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस 17 मार्च 1952 12 फरवरी 1955 २ वर्ष, ३३२ दिन अन्तरिम विधानसभा (1952–56)
(1952 चुनाओ)
गुरुमुख निहाल सिंह दरिया गञ्ज 12 फरवरी 1955 1 नाभेम्म्बर 1956 १ वर्ष, २६३ दिन
कार्यालय निलम्बित, १९५६-९३
मदन लाल खुराना मोती नगर भारतीय जनता पार्टी 2 दिसम्बर 1993 26 फरवरी 1996 २ वर्ष, ८६ दिन पहिल विधानसभा (1993–98)
(1993 चुनाओ)
साहिब सिंह वर्मा सालिमार बाग 26 फरवरी 1996 12 अक्टुबर 1998 २ वर्ष, २२८ दिन
सुषमा स्वराज 12 अक्टुबर 1998 3 दिसम्बर 1998 ५२ दिन
शीला दीक्षित नयाँ दिल्ली भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस 3 दिसम्बर 1998 1 दिसम्बर 2003 १५ वर्ष, २५ दिन दोसर विधानसभा (1998–2003)
(1998 चुनाओ)
1 दिसम्बर 2003 29 नोभेम्बर 2008 तेसर विधानसभा (2003-08)
(2003 चुनाओ)
29 नोभेम्बर 2008 28 दिसम्बर 2013 चारिम विधानसभा (2008–13)
(2008 चुनाओ)
अरविन्द केजरीवाल नयाँ दिल्ली आम आदमी पार्टी 28 दिसम्बर 2013 14 फरवरी 2014 ४८ दिन पाँचम विधानसभा (2013-15)
(2013 चुनाओ)
राष्ट्रपति शासन N/A N/A 14 फरवरी 2014 14 फरवरी 2015 १ वर्ष, ० दिन
(७) अरविन्द केजरीवाल नयाँ दिल्ली आम आदमी पार्टी 14 फरवरी 2015 निरन्तर ८ वर्ष, २७९ दिन छठम विधानसभा (2015–20)
(2015 चुनाओ)

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "States of India since 1947", अन्तिम पहुँच ९ मार्च २०११ 
  1. A number inside brackets indicates that the incumbent has previously held office.
  2. This column only names the chief minister's party. The state government he headed may have been a complex coalition of several parties and independents; these are not listed here.