अनैठा
अनैठा
अनैठा | |
|---|---|
गाउँ / Village | |
| देश | नेपाल |
| प्रदेश | मधेश प्रदेश |
| जिला | महोत्तरी |
| गाउँपालिका | महोत्तरी गाउँपालिका |
| जनसङ्ख्या (2021) | |
| • कुल | २,५३३ |
| समय क्षेत्र | युटिसी+5:45 (नेपाल समय) |
अनैठा (अङ्ग्रेजी: Anaittha)
अनैठा महोत्तरी जिल्ला, मधेश प्रदेश, नेपालक एक ऐतिहासिक गाम अछि। ई जनकपुरधाम शहर सँ 13 किलोमीटर पश्चिम आ जलेश्वरनाथ धाम सँ 7 किलोमीटर उत्तर-पूर्वमे अवस्थित अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]अनैठा गामक नामकरणक कथा अनुसार मिथिलाक राजा श्री जनकक दरबारक नजदीक ई स्थान अन्नक भंडारक लेल प्रसिद्ध छल। मिथिला मे अकाल पड़ला पर अन्न भंडार समाप्त भऽ गेल, एहि कारण “अन्न नहि छल” कहल गेल। कालांतर मे ई नाम “अनईठा” आ अंततः “अनैठा” भऽ गेल।
भौगोलिक स्थिति
[सम्पादन करी]अनैठा महोत्तरी गाउँपालिका, वडा नम्बर २ मे अवस्थित अछि। ई गाम मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधामक प्रशासनिक क्षेत्रमे अबैत अछि।
संस्कृति
[सम्पादन करी]गामक लोक मुख्य रूप सँ मैथिली भाषा बोलैत छथि। धानुक, यादव, कलवार, सोनार, मुसहर, खतवे, तेली, कानू आदि विभिन्न जाति-समुदायक लोक प्रेमपूर्वक एकसंग बसैत छथि। गामक लोक मुख्य रूप सँ कृषि-किसानी करैत छलाह। आब जनसंख्या वृद्धि आ भूमिक कमी कारण बहुत लोक नौकरी लेल दोसर ठाम जा रहल छथि आ विदेश पलायन सेहो भेल अछि।
धार्मिक स्थल
[सम्पादन करी]- **ठाडेश्वरनाथ महादेव मंदिर** – गामक प्रमुख मंदिर, जे श्री रामक बरातक समय सँ प्रसिद्ध अछि।
- **ठाड़ी पोखरी** – प्राकृतिक आ पौराणिक पोखरी, जे एक रातमे दैत्यमानुष द्वारा खनायल गेल मान्यता अछि। पुरान समयमे भूखल यात्रिक प्रार्थना पर भोजन प्रदान करैत छल।
- **अन्य मंदिर** – पार्वती जी, हनुमान जी, लक्ष्मण-राम जी, लक्ष्मी जी, महारानी जी, आ गंगा मैया कऽ मंदिर सभ गामक धार्मिक आ सांस्कृतिक शोभा बढ़बैत अछि।
अर्थव्यवस्था
[सम्पादन करी]पहिनेकाल गामक लोक मुख्य रूप सँ अन्न उपजाबैत छल। आब खेती-किसानीक जमीन कम भऽ रहल अछि, फलस्वरूप लोक रोजगार लेल दोसर ठाम जा रहल छथि।