अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस
{{{holiday_name}}}
चण्डीगढ़मे सन् २०१६ मे अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस
आधिकारिक नामअन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस
International Yoga Day
अन्य नामयोग दिवस, विश्व योग दिवस
समुदायविश्वभरि
प्रकारसंयुक्त राष्ट्र
अनुष्ठानयोग, ध्यान, सामूहिक मंथन, विचार-विमर्श, सांस्कृतिक आयोजन
तिथि२१ जुन
मानाएलवार्षिक
पहिल बेर२१ जुन २०१५

अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस २१ जुन कें मनाएल जाएत अछि । ई दिन वर्षक सभ सँ पैघ दिन होइत अछि आ योग सेहो मनुष्य कें दीर्घ जीवन प्रदान करैत अछि । पहिनुक बेर ई दिवस २१ जुन २०१५ कें मनाएल गेल, आ ई आरंभण भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा दिनांक २७ सितम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र महासभामे कएल गेल छल ।


मूल[सम्पादन करी]

भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी दिनांक २७ सितम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र महासभा मे अपन भाषण मे कहलनि:

"योग भारतक प्राचीन परम्पराक एकटा अमूल्य उपहार थीक, ई मस्तिष्क ओ देहक समन्वयनक प्रतीक थीक; मनुष्य आ' प्रकृतिक बीच सामञ्जस्य अछि; ई विचार, संयम आ' स्फूर्ति प्रदान केनिहार थीक तथा स्वास्थ्य ओ उपकारक लेल एकटा समग्र दृष्टिकोण सेहो प्रदान केनिहार थीक । ई व्यायामक मादे मे नहि थीक, मुदा अपन बाह्य ओ आंतरिक एकताक भावना, दुनिया आ प्रकृतिक खोजक विषय मे थीक । अपन सभक परिवर्तित जीवन-शैली मे ई चेतना बनि, अपना सभ कें जलवायु-परिवर्तन सँ लड़बा'मे सहायता क' सकैत अछि । तँ आउ अहि अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवसक स्थापनाक लेल ओहि दिशा मे काज करैत छी ।"

एकर बाद २१ जुन के अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस घोषित कएल गेल । ११ दिसम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र मे १७७ सदस्य देस द्वारा २१ जुनक दिन अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस मनाबैत रहबाक प्रस्ताव के मञ्जुरी भेटल । प्रधानमन्त्री मोदी द्वारा प्रस्तुत ई प्रस्ताव ९० दिनक भीतर पूर्ण बहुमत सँ पारित कएल गेल छल । ई संयुक्त राष्ट्र संघ मे कोनहु प्रस्तावक संपारण लेल सब सँ कम समय थीक ।[१]

संयुक्त राष्ट्रक घोषणा[सम्पादन करी]

इहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "मोदी पलट पाएँगे योग की काया ?"बीबीसी हिन्दी। 12 दिसंबर 2014। अन्तिम पहुँच 12 जनवरी 2015 {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)

बाह्य संयोजन सभ[सम्पादन करी]