सामग्री पर जाएँ

अफ्रिकी भाषा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अफ्रिकी
बाजल जाइवाला  स्थान:दक्षिण अफ्रिका, नामिबिया
आरम्भ:२०११ जनगणना
मातृभाषी:७१०००००
भाषा परिवार:
लिपि
आधिकारिक अवस्था
नियन्त्रण कर्ताभाषा आयोग
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१af
आइएसओ ६३९-२afr
आइएसओ ६३९-३afr
भाषावेधशाला52-ACB-ba
बुलु छायाङ्कित क्षेत्रसभ, केन्द्रक क्षेत्रसभ अफ्रिकी बाजनिहार समुदाय प्रतिनिधित्व
अफ्रिकी भाषा स्मारक

अफ्रिकी भाषा एक दक्षिणी फ्राङ्कोनियाली भाषा छी जे दक्षिण अफ्रिकामे बाजल जाइत अछि।

भाषा परिवार

[सम्पादन करी]
यूरोप मे दक्षिणी फ्राङ्कोनियाली भाषासभक बाजय वाला इलाकासभ

दक्षिण अफ्रीका, नामिबिया, आ किछ-किछ, बोटसवानाजिम्बाबे मे बाजल जाइत अछि। ई दक्षिण होल्याण्डक डच भाषासँ उत्पादित अछि आ साधारणतः दक्षिण अफ्रीकामे बसोबास करि रहल डच लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि। एतय १८हम शताब्दीमे एकर उन्नति शुरू भेल। एही कारणसँ ई डच के एक 'बेटी-भाषा' के दृष्टिसँ देखल जाऽ सकैत अछि जेकरा पहिने "केप के डच" (केप डच, एतय पर आएल पहिल डच लोकसभक सेहो कहल जाइत छल) वा "किचन डच" (अफ्रिकान्स के शुरूवाती दिनसभमे एही लेल प्रयोग कएल जाए वाला एक अनादरजनक शब्द) कहल जाइत छल। ई शब्द डच शब्द "अफ्रिकान्स -होल्याण्ड" सँ बनल अछि जेकर मतलब अछि "अफ्रिकी डच"। दक्षिण अफ्रीकामे बसोबास करै वाला डच लोकसभक वंशज आ डच लोकसभक दासीक वंशजक मातृभाषा साधारणतः अफ्रिकान्स अछि।

अफ्रिकान्स के प्रसारक एकटा कारण एकर सार्वजनिक उन्नति सेहो अछि ई साधारणतः पत्रिकासभ, रेडियो प्रोग्रामसभ, टि.भी. आदि पर एकर प्रयोग कएल जाइत अछि आ १९३३ मे पूरा भेल पहिल अनुवादसभसँ लके बाइबल के अधिक अनुवाद एही भाषामे प्रकाशित भऽ चुकल अछि।

एकरऽ नया अनुवाद, डाई बाइबेल 'एन डायरेक्टे वर्टालिंग, नवंबर २०२० म॑ प्रकाशित करलऽ गेलऽ छेलै।ई बाइबिल केरऽ अफ्रीकी भाषा म॑ पहिलऽ सही मायने म॑ विश्वव्यापी अनुवाद छेकै, जेकरा म॑ रोमन कैथोलिक आरू एंग्लिकन चर्च सहित विभिन्न चर्चऽ के अनुवादक शामिल छै।

प्रमुख क्षेत्र

[सम्पादन करी]
दक्षिण अफ्रीका के पश्चिमी भागमे अफ्रिकान्स के बाजय वालासभक बहुमत
नामिबियामे बाजय वाला इलाकासभ

ई दक्षिण अफ्रिका के पश्चिमी भाग — उत्तरी केपपश्चिमी केप सूबे — के मुख्य भाषा छी आ ७५.८% कलर्ड दक्षिण अफ्रिकी (३.४ मिलियन लोक), ६०.८% श्वेत दक्षिण अफ्रिकी (२.७ मिलियन) के मातृभाषा अछि आ ४.६% एसियाली दक्षिण अफ्रिकिसभ (५८,०००) के दोसर सभसँ अधिक बाजल जाए वाला मातृभाषा छी। लगभग १.५% काला दक्षिण अफ्रिकी (६००,००० लोक) एकर अपन मातृभाषा के रुपसँ बाजैत अछि। बान्टु भाषासभक बाजय वाला के बड सङ्ख्या आ अङ्ग्रेजी बाजय वाला दक्षिण अफ्रिकी सेहो एकर अपन दोसर भाषा के रुपमे बाजैत अछि। ई स्कूलसभमे पढाओल जाइत अछि आ लगभग १०.३ मिलियन एकर दोसर भाषा के रुपसँ सीखैत अछि।

बाजय वाला व्यक्तिसभक सङ्ख्या

[सम्पादन करी]

दक्षिण अफ्रिकामे लगभग ७ मिलियन मूल बाजय वाला, वा जनसङ्ख्या के १३.५% हिस्सा सँ, ई देश के तेसर सभसँ अधिक बाजय जाए वाला भाषा छी। दक्षिण अफ्रीका के सभ ११टा आधिकारिक भाषासभमे सँ आफ्रीकान्स के सभसँ अधिक नस्ली आ भौगोलिक प्रसार अछि आ ई दोसर वा तेसर भाषा के रुपसँ बहुतायतमे बाजल आ समझल जाइत अछि।

अन्तर्राष्ट्रिय आँकडा

[सम्पादन करी]
देशबाजय वालाप्रतिशतसालसन्दर्भ
 अस्ट्रेलिया३५,०३००.१६%२०११[]
 बोत्सवाना८,०८२०.३९%२०११[]
 मौरिसस३६०.००२%२०११[]
 नामीबिया१८०,०२९८.७%२०११[]
 न्युजिल्यान्ड२१,१२३०.५२%२००६[]
 दक्षिण अफ्रीका६,८५५,०८५२१३.४%२०११[]

दक्षिण अफ्रिकी आँकडासभ

[सम्पादन करी]
नस्ली समूह २०११ मे बाजय वाला व्यक्तिसभक सङ्ख्या
कलर्ड दक्षिण अफ्रिकी 3 442 164
श्वेत दक्षिण अफ्रिकी 2 710 461
काला दक्षिण अफ्रिकी 602 166
एसियाली आ भारतीय दक्षिण अफ्रिकी 58 700
अन्य 41 591
कुल 6 855 082
अफ्रिकान्स लिखवाक हेतु अरबी लिपि: एक पुस्तिका

ई मुख्य रूपसँ रोमन लिपि मे लिखल जाइत अछि मुद्दा अफ्रिकान्स के शुरुवाती दिनसभमे केप के मुसलमान मलेसियाली आबादी (जे कि डच लोकसभक दासी छल, सरकारी रुपसँ "कलर्ड" के रूपमे वर्गीकृत) ई भाषा के लिखवाक हेतु अरबी लिपि के प्रयोग केलक।

शब्दावली

[सम्पादन करी]

मुद्दा अफ्रिकान्स अनेकौं अन्य भाषासभ, जेना कि पुर्तगाली, बान्टू भाषा, खोई-सान, जर्मन, मलयाली, मलेसियाली, इत्यादि, सँ शब्द अपनौने अछि मुद्दा अन्दाजन ९० सँ ९५ प्रतिशत अफ्रिकान्स शब्दावली के स्रोत डच छी।

बान्टू भाषासभसँ
  • fundi, अर्थात् फुण्डी मतलब ज्ञानी वा विद्वान
  • lobola, अर्थात् लोबोला मतलब दहेज (अफ्रिकी जनजातिसभक खास प्रथा)
  • mahem, अर्थात् माहेम, एक दक्षिण अफ्रिकी पक्षी
  • maroela, अर्थात् मारूला, एक दक्षिण अफ्रिकी फल
  • tamboekiegras, अर्थात् टामबूकिख़्रास, अफ्रिकी वास्तुकलामे छतसभ बनावे के लेल सूक्खा घास
  • tambotie, अर्थात् टाम्बूटि, दक्षिण अफ्रीकामे एक पर्णपाती गाछ
  • tjaila / tjailatyd, अर्थात् चालिया / चालियाटेय्ट, मतलब "काम सँ घर जानाए"
पुर्तगाली से
  • sambreel, अर्थात् साम्ब्रीयल, मतलब छाता
  • kraal, अर्थात् क्राल, मतलब पशु बाडे
  • mielie, अर्थात् मिली, मतलब मक्का
खोई-सान से
  • assegaai, अर्थात् अस्सेख़ाई, मतलब भाला
  • dagga, अर्थात् डाखा, मतलब गाँजा
  • geitjie, अर्थात् खैय्की, मतलब गिरगिट
  • gogga, अर्थात् खोखा, मतलब कीट
  • karos, अर्थात् कारोस, मतलब जानवरसभक छालासँ बनल कम्बल
  • kierie, अर्थात् कीरि, मतलब लाठी
मलेशियाई से
  • baie, अर्थात् बाये, मतलब बहुत वा अधिक
  • baadjie, अर्थात् बाइकी, मतलब ज्याकेट
  • piesang, अर्थात् पीसाङ्ग, मतलब केला


सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 3 4 5 6 "Population by language, sex and urban/rural residence", UNdata, अन्तिम पहुँच १३ अक्टुबर २०१५

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]