जर्मन भाषा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
जर्मन
German
डेयुच
उच्चारण: [dɔʏtʃ]
बाजल जाइवाला  स्थान: आरम्भिक युरोपक जर्मन भाषीसभ आ विश्वव्यापी रूपसँ जर्मन भाषी सङ्घसभ
आरम्भ: २०१४
मातृभाषी: ९० मिलियन (2010)[१] सँ ९५ मिलियन
भाषा परिवार:
लिपि ल्याटिन (जर्मन व्यञ्जन)
जर्मन ब्रेल लिपि
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा

अल्पसङ्ख्यक भाषाक
रुपमे मान्यता
नियन्त्रण कर्ता

कोनो आधिकारिक नियम नै

जर्मनी भाषा परिषद[२]).
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१ de
आइएसओ ६३९-२ ger (B)
deu (T)
आइएसओ ६३९-३
Legal statuses of German in the world.svg
  (सह-)आधिकारिक आ मुख्य भाषा
  सह-आधिकारिक, मुदा मुख्य भाषा नै
  अल्प आधिकारिक/सांस्कतिक भाषा
  अल्प-आधिकारिक भाषा नै

जर्मन भाषा (German: Deutsch, डेउच) सङ्ख्याक अनुसार युरोपक सभसँ अधिक बाजल जाइवाला भाषा छी । ई जर्मनी, स्विट्जरल्यान्डअस्ट्रियाक मुख्य- आ राजभाषा छी । ई रोमन लिपिमे लिखल जाइत अछि (अतिरिक्त चिन्हसभक संग) । ई भारोपेली भाषा परिवारमे जर्मनीक शाखामे आबैत अछि । अङ्ग्रेजीसँ एकर नजदिकी सम्बन्ध अछि । मुदा रोमन लिपिक अक्षरसभक एकर ध्वनिसभक संग मेल अङ्ग्रेजीसँ बढिया अछि । आधुनिक मानकीकृत जर्मन कs उच्च जर्मन कहैत अछि ।

जर्मन भाषा भारोपीय परिवारक जर्मेनिक वर्गक भाषा, सामान्यत: उच्च जर्मनक ओ रूप छी जे जर्मनीमे सरकारी, शिक्षा, प्रेस इत्यादीक माध्यम अछि । ई अस्ट्रियामे सेहो बाजल जाइत अछि । एकर उच्चारण १८९८ ई. कs एक कमीशन द्वारा निश्चित अछि । लिपि, फ्रेन्चअङ्ग्रेजीसँ मिलैत-जुलैत अछि । वर्तमान जर्मनक शब्दादिमे अघात भेला पर काकल्यस्पर्श अछि । तान (टोन) अङ्ग्रेजी जका होइत अछि । उच्चारण अधिक सशक्त एवं शब्दक्रम अधिक निश्चित अछि । दार्शनिक एवं वैज्ञानिक शब्दावलीसँ परिपूर्ण अछि । शब्दराशि अनेक स्रोतसभसँ लेल गेल अछि ।

उच्च जर्मन, केन्द्र, उत्तर आ दक्षिणमे बाजल जाइ वला अपन पश्चिमी शाखा (लो जर्मन-फ्रिजियन, अङ्ग्रेजी)सँ लगभग छठम शताब्दीमे अलग होबs लागल छल । भाषाक दृष्टि सँ "प्राचीन हाई जर्मन" (७५०-१०५०), "मध्य हाई जर्मन" (१३५० ई. धरि), "आधुनि हाई जर्मन" (१२०० ई. कs कालखण्डसँ एखन धरि) तीन विकास चरण अछि । उच्च जर्मनक प्रमुख बोलिमे यिडिश, श्विज्टुन्श, आधुनिक प्रशन स्विस या उच्च अलेमैनिक, फ्रन्कोनियन (पूर्वी आ दक्षिणी), टिपृअरियन तथा साइलेसियन इत्यादी अछि ।

स्वन-विज्ञान[सम्पादन करी]

जर्मन साहित्य[सम्पादन करी]

'

योहान वुल्फगाङ्ग फान गेटे
(१७४९–१८३२)
फ्रेडरिक शिलर
(१७५९–१८०५)
ब्रोदर ग्रिम्म
(१७८५–१८६३)
थामस मान
(१८७५–१९५५)
फ्रेडरिक शिलर
(१८७७–१९६२)
Johann Heinrich Wilhelm Tischbein - Goethe in the Roman Campagna - Google Art Project.jpg Gerhard von Kügelgen 001.jpg Grimm1.jpg Thomas Mann 1929.jpg Hermann Hesse 1927 Photo Gret Widmann.jpg

संस्थासभ[सम्पादन करी]

जर्मन भाषाक प्रयोग आ पठन-पाठन कs बढ़ाबs वला बहुतो संस्थान अछि । एहिमे सँ प्रमुख अछि-

  • Verein Deutsche Sprache -- एकर स्थापना १९९७ में भेल छल । जर्मन भाषाक प्रचार-प्रसारक समर्थक अछि । विश्वक सबसँ पैग भाषा सङ्घ छी ।
  • Deutsche Welle -- जर्मन राज्य प्रसारक (ब्राडकास्टर)। बीबीसीक तुल्य। जर्मन भाषा आ विश्वक अन्य ३० भाषासभमे (हिन्दी सहित) रेडियो आ टीवीक प्रसारण करैत अछि ।

मैथिली-जर्मन बोलचालक वाक्य[सम्पादन करी]

जर्मन वाक्य मैथिली वाक्य
ja हँ
nein नै
bitte कृपया (एकरा करी)
danke. धन्यवाद
Bitte schön. स्वागतम्
Kein problem. कोनो समस्या नै अछि ।
Entschuldigung! क्षमा करी ।
natürlich वास्तवमे (of course)
richtig सही
Vielen Dank. अहाँक बहुत बहुत धन्यवाद
Nein, danke. नै, धन्यवाद।
Es tut mir leid. हम दुखी छी ।
Verzeihen Sie. क्षमा करी ।
हिन्दी वाक्य जर्मन वाक्य
हम थकि गेल छी । Ich bin müde.
हमरा एकटा नौकरीक जरूरी अछि । Ich brauche einen Job.
हम खाइलs चाहैत छी । Ich will essen.
हमरा नीन्द आबि रहल अछि । Ich bin schläfrig.
हमरा खेबाक जरूरी अछि । Ich brauche etwas zu essen.
हम आराम चाहैत छी । Ich möchte mich ausruhen.
हमरा भूख लागल अछि । Ich bin hungrig./ Ich habe Hunger.
हमरा आराम केनाए जरुरी अछि । Ich muss mich ausruhen.
हमरा छोड़िक लेल चाहैत छै । Ich will abreisen.
हमरा ठण्डा लागि रहल अछि । Mir ist kalt.
हमरा अध्ययन केनाए आवश्यकता अछि । Ich muss studieren.
हम जाइक लेल चाहैत छी । Ich will gehen.
हमरा गर्मी लागि रहल अछि । Mir ist heiß.
हमरा खत्म करsक जरूरी अछि । Ich muss aufhören.
हम सुतैक लेल चाहैत छी । Ich will schlafen.

किछ सर्वाधिक प्रयुक्त जर्मन शब्द[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

आकृति:भूगोल-आधार

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Mikael Parkvall, "Världens 100 största språk 2010" (The World's 100 Largest Languages in 2010), in Nationalencyklopedin
  2. "Rat für deutsche Rechtschreibung – Über den Rat", Rechtschreibrat.ids-mannheim.de, अभिगमन तिथि ११ अक्टुबर २०१०