अमृता शेरगिल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अमृता शेरगिल

अमृता शेरगिल (३० जनवरी १९१३ - ५ दिसम्बर १९४१) भारतक प्रसिद्ध चित्रकारसभमे सँ एक छल। हुनकर जन्म बुडापेस्ट (हङ्गेरी) मे भेल छल। कला, सङ्गीत आ अभिनय बचपन सँ हिनकर सङ्गी बनि गेल। २०म् शताब्दीक ई प्रतिभावान कलाकारकें भारतीय पुरातात्विक सर्वेक्षणद्वारा सन् १९७६ आ सन् १९७९ मे भारतक ९ टा सर्वश्रेष्ठ कलाकारसभमे शामिल केनए अछि। सिख पिता उमराव सिंह शेरगिल (संस्कृत-फारसीक विद्वान आ नौकरशाह) आ हङ्गेरी मूलक यहूदी ओपेरा गायिका माता मेरी एन्टोनी गोट्समनक ई सन्तान ८ वर्ष कऽ आयुमे पियानो-भायोलिन बजबैक सङ्ग-सङ्गे क्यानभास पर सेहो हाथ आजमाबऽ लागल छल।

सन् १९२१ मे अमृताक परिवार समर हिल शिमलामे आबि बसि गेल। बादमे अमृताक माता हिनका सङ्ग लऽ इटली चलि गेल आ फ्लोरेन्सक सेन्टा अनुन्जियाटा[१] आर्ट स्कूलमे हिनकर दाखिला कराए देलक। पहिने ओ ग्रयान्ड चाउमिअरमे पियर्रे ब्लेन्टक आ इकोल डेस बिउक्स-आर्टसमे ल्यूसियन सायमनक मार्गदर्शनमे अभ्यास केलक। सन् १९३४ कऽ अन्तमे ओ भारत वापस आएल। बाइस साल सँ कम उमरमे ओ तकनीकी तौर पर चित्रकार बनि चुकल छल आ असामान्य प्रतिभाशाली कलाकारक लेल आवश्यक सम्पूर्ण गुण हुनकामे आबि चुकल छल।[२] पूर्ण रुप सँ भारतीय नई भेलाक बादो ओ भारतीय संस्कृतिकें जानवाक लेल बहुत उत्सुक रहैत छल। हिनकर प्रारम्भिक कलाकृतिसभमे पेरिसक किछ कलाकारसभक पाश्चात्य प्रभाव साफ झलकैत छल। जल्दीए ओ भारत आएल आ अपन मृत्यु धरि भारतीय कला परम्पराक पुन: खोजमे जुटल रहल। हुनका मुगल आ पहाडी कला सहित अजन्ताक विश्वविख्यात कला बहुत बेसी प्रेरित-प्रभावित केनए छल। ओना तँ हुनकर शिक्षा फ्रान्सक पेरिसमे भेल पर अन्ततः हुनकर तूलिका भारतीय रङ्गमे रङ्गल गेल छल। हुनकामे विद्यमान भारतीयताक जीवन्त रङ्ग हुनकाद्वारा बनाएल गेल चित्रसभमे देखल जा सकैत अछि।[३]

अमृता अपन हङ्गेरियन चचेरा भाए सँ सन् १९३८ मे विवाह केलक, फेर ओ अपन पुश्तैनी घर गोरखपुरमे आबि बसि गेल। सन् १९४१ मे अमृता अपन पतिक सङ्ग लाहोर चलि गेल, ओतय हुनकर पहिल पैग एकल प्रदर्शनी होवाक निश्चय कएल गेल छल, मुदा एकाएक ओ गम्भीर रूप सँ बीमार भऽ गेल आ मात्र २८ वर्षक आयुमे शून्यमे विलीन भऽ गेल।

विरासत[सम्पादन करी]

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "मेरी प्रिय महिला चित्रकार अमृता शेरगिल"। जो न कह सके। मूल (एचटीएम)सँ 2008-10-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २६ मार्च २००९ {{cite web}}: Check date values in: |access-date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "कला और कलाकार अमृता शेरगिल"। अभिव्यक्ति। मूल (एचटीएम)सँ 2008-07-24 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २६ मार्च २००९ {{cite web}}: Check date values in: |access-date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. "कला की जीवंत रंग अमृता शेरगिल" (एएसपी)। अमर उजाला। अन्तिम पहुँच २६ मार्च २००९ {{cite web}}: Check date values in: |access-date= (help)[permanent dead link]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]