सामग्री पर जाएँ

कामाख्या मन्दिर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कामाख्या मन्दिर
Kamakhya Temple
কামাখ্যা মন্দিৰ
कामाख्या_मन्दिर
धर्म
आवद्धताहिन्दु
स्थान
स्थाननिलाचल पहाड़, गुवाहाटी
प्रदेशअसाम
राष्ट्रभारत
वास्तुकला
प्रकारनिलाचल प्रकार
Creatorविविध

कामाख्या मन्दिर (असमिया: kāmākhyā mandir); वा कामरूप-कामाख्या[] एक हिन्दू मन्दिर छी जे कामाख्या माताके समर्पित अछि ।[] ई ५१ शक्ति पीठमे सँ सभसँ पुरान शक्ति पीठ छी ।[] ई मन्दिर भारतक असाम राज्यक गुवाहाटी शहरक निलाचल पर्वतपर अवस्थित अछि । ई परिसरमे मुख्य मन्दिर सहित काली, तारा, सोदाशी, भुवनेश्वरी, भैरवी, छिन्नमस्ता, धुमावती, बगलामुखी, मातङ्गीकमला करि १० महाविद्याक मन्दिरसभ अछि ।[] ई मन्दिरसभ संगहि शिव आऔर विष्णुक संग-संग गणेश, हनुमान आदि देवता लोकनिक मन्दिर सेहो एतय अवस्थित अछि।

कामाख्या मंदिरक महत्ता एतेक महत्वपूर्ण अहिलेल जे प्राचीनकाल सँ वर्तमान धरि तंत्र सिद्धि हेतु ई प्रमुख साधना स्थल केर रूप मे विख्यात रहल अछि। संगहि आद्याशक्ति भैरवी कामाख्या सर्वदा कौमारी रुप में विद्यमान छथि एतय। अत: कामाख्याधाम विश्वक सर्वोच्च कौमारी तीर्थ सेहो मानल जाएत अछि। सब जातिक कुमारी वंदनीय छथि। एहिठाम कुमारि पूजन और अनुष्ठानक बड्ड बेसी महत्व अछि। तैं एहिठाम वास्तविक जीवन में सेहो बिना कुनो जातिगत भावना केँ स्त्री शक्ति वंदनीय थिकिह एवं आसाम में स्त्रीक प्रधानता बड्ड बेसी अछि सेहो सर्वविदिते अछि।

मन्दिर परिसर

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Suresh Kant Sharma, Usha Sharma,Discovery of North-East India,2005
  2. "About Kamakhya Temple", अन्तिम पहुँच १९ जून २०१५
  3. (Urban 2008, p. 500)
  4. "About Kamakhya Temple"

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]