सामग्री पर जाएँ

कुशीनगर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

कुशीनगर उत्तर प्रदेशक उत्तरी-पूर्वी सीमान्त इलाकामे स्थित एक कस्बा एवं ऐतिहासिक स्थल छी। ई बौद्ध तीर्थ छी आ एतय गौतम बुद्धक महापरिनिर्वाण भेल छल। कुशीनगर राष्ट्रीय राजमार्ग २८ पर गोरखपुरसँ कोनो ५० किमी पुर्वमे स्थित अछि। महात्मा बुद्धक निर्वाण एतय भेल छल। एतय अनेक सुन्दर बौद्ध मन्दिरसभ अछि। एही कारणसँ ई एक अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटन स्थल सेहो अछि जतय मुख्यत: विश्वभरि कऽ बौद्ध तीर्थयात्री भ्रमणक लेल आवैत अछि। कुशीनगर कस्बाक आ पुर्व दिशा बढला पर लगभग २० किमी पश्चात बिहार राज्य आरम्भ भऽ जाइत अछि।

एतय बुद्ध स्नातकोत्तर महाविद्यालय, बुद्ध इण्टरमडिएट कालेज तथा अनेकौं छोट-छोट विद्यालय सेहो अछि। स्वयम् मे ई एक छोट कस्बा अछि जेकर पुर्वमे एक किमीक दूरी पर कसयाम नामक बड्का कस्बा अछि। कुशीनगरक आस-पासक क्षेत्र मुख्यत: कृषि-प्रधान अछि। जन-सामन्यक भाषा भोजपुरी अछि। एतय गेहूँ, धान, केतारी आदि मुख्य फसलसभ फलैत होइत अछि।

बुद्ध पूर्णिमाक अवसर पर कुशीनगरमे एक महिनाक मेला लगैत अछि। यद्यपि ई तीर्थ महात्मा बुद्धसँ सम्बन्धित अछि, मुद्दा आस-पासक क्षेत्र हिन्दू बाहुल्यता अछि।


सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]