सामग्री पर जाएँ

मायादेवी मन्दिर, लुम्बिनी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मायादेवी मन्दिर
Maya Devi Temple
मायादेवी मन्दिर
मायादेवी मन्दिर Maya Devi Temple नेपालपर अवस्थित
मायादेवी मन्दिर Maya Devi Temple
मायादेवी मन्दिर
Maya Devi Temple
नेपालक नक्सामे मायादेवी मन्दिर
निर्देशाङ्क:२७°२८′१०″N ८३°१६′३३″E / २७.४६९५५४°N ८३.२७५७८८°E / 27.469554; 83.275788निर्देशाङ्क: २७°२८′१०″N ८३°१६′३३″E / २७.४६९५५४°N ८३.२७५७८८°E / 27.469554; 83.275788
नाम
देवनागरी:मायादेवी मन्दिर
अवस्थिति
देश:नेपाल
राज्य/अञ्चल:लुम्बिनी
जिला:रुपन्देही जिला
उचाई:९३ मी (३०५ फिट)
ऐतिहासिक पृष्ठभूमि
निर्माण तिथि:५५० इसा पूर्व

मायादेवी मन्दिर एक प्राचीन बौद्ध मन्दिर छी, जे युनेस्को कऽ विश्व सम्पदा सूचीमे सुचिकृत अछि। ई पवित्र धार्मिक मन्दिर नेपालक लुम्बिनीमे अवस्थित अछि। ई लुम्बिनीक एक मुख्य मन्दिर छी आ परम्परागत रुपसँ गौतम बुद्धक जन्मस्थान मानल जाइत अछि। मन्दिर परिसर भितर एक पवित्र पूल (जे पुष्करणीक रूपमे सेहो जानल जाइत अछि) आ एक पवित्र उद्यान अखनो आसन्न अवस्थामे अछि। ई सम्पूर्ण क्षेत्रमे रहल पुरातात्विक अवशेषसभसँ लगभग इसा पूर्व तेसर शताब्दीमे बनाएल जानल जाइत अछि। महान अशोकद्वारा निर्मित ईट्टाक भवनसभसँ ई क्षेत्रक दिनाङ्कित कएल गेल अछि।[] इसा पूर्व छठम् शताब्दीक काष्ठ तीर्थस्थल २०१३ मे पत्ता चलल छल।[]


नेपाल, लुम्बिनीक बहुतरास समयसँ भगवान बुद्धक जन्मस्थानक रूपमे पहचान विकसित करै कऽ लेल, विश्वमे एक शान्ति शहरक रुपमे बनावै कऽ योजना लेनए अछि। शान्तिक लेल एक विश्वव्यापी स्थान आ बौद्ध शिक्षाक लेल एक केन्द्रक रूपमे नेपालक दक्षिणी क्षेत्रमे बारी करै कऽ लेल एक अन्तिम दूरदर्शी योजना अनावरण कएल गेल छल। कोरियाली अन्तर्राष्ट्रिय विकास एजेन्सीद्वारा प्रस्ताव कएल ई योजनामे लगभग $८०० मिलियनक निवेश कएल जाइत। अनेकन लोकसभक तर्क अछि की लुम्बिनी बौद्धसभक मक्का कऽ रूपमे परिवर्तित करै कऽ लेल विभिन्न प्रयाससभक बादो ई क्षेत्रके आधुनिक आ परम्परागत बनेबामे एखन अरबौं डलर आवश्यक अछि।[]


२०१३ कऽ अनुसन्धान

नवम्बर २०१३ मे, पुरातत्वविदसभक एक अन्तर्राष्ट्रिय टोली मन्दिरक नीचा उत्खनन करि ५५० ईसा पूर्वसँ पहिने दिनाङ्कित कएल गेल एक प्राचीन वृक्ष तीर्थस्थलक अवशेष खोजी केलक जे सम्भवतः बौद्ध संरचनासभक परापूर्वकालक प्रमाण पौने छल आ सम्भवतः गौतम बुद्धक जीवनक पहिल पुरातात्विक प्रमाण छी।[][][]उत्खनन डरहम विश्वविद्यालय, बेलायतक रोबिन कनिङ्गम आ पशुपति क्षेत्र विकास कोष, नेपालक कोष प्रसाद आचार्यक अध्यक्षतामे कएल गेल छल। कनिङ्गमक अनुसार, तीर्थस्थल दुनियामे सभसँ पहिनुक बौद्ध मन्दिर छी।[]


वर्तमान मन्दिरक नीचा ईट्टाक मन्दिरसभक एक शृङ्खलाक अन्तर्गत पारम्परिक रूपसँ गौतम बुद्धक जन्मस्थान मानल गेल क्षेत्र पर खोज कएल गेल छल।[]अनुसन्धानमे एहो पत्ता चलल की वृक्षक जडिसभक नीचा खनिजसभक टुकडाक उपस्थिति अछि जे बौद्ध परम्पराक वृक्षसभक साथ मन्दिरसभमे सहयोगीसभक साथ सङ्गत अछि। सिद्धार्थ गौतमक बारेमे कहल जाइत अछि की ओ एक साल वृक्षक नीचा जन्म लेनए छल, मुद्दा हुनकर माता रानी मायादेवी स्वयम्, हुनका जन्म दऽ एक वृक्षक ठाडि पकडि हुनका समर्थित केनए छल।[]


जुलिया शा, युनिभर्सिटी कौलेज लण्डनमे दक्षिण एसियाली पुरातत्वमे एक व्याख्याता, चेतावनी देलक की तीर्थस्थल पूर्व-बौद्ध वृक्षक पूजाक प्रतिनिधित्व करि सकैत अछि, आ आगा अनुसन्धानक आवश्यकता अछि।[]

चित्र दीर्घा

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. "Lumbini, the Birthplace of the Lord Buddha", UNESCO, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ 
  2. Coningham, R.A.E.; K.P. Acharya; K.M. Strickland; C.E. Davis; M.J. Manuel; I.A. Simpson; K. Gilliland; J. Tremblay; T.C. Kinnaird; D.C.W. Sanderson (२०१३), "The earliest Buddhist shrine: excavating the birthplace of the Buddha, Lumbini (Nepal)", Antiquity, 338 87: 1104–1123, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ [permanent dead link]
  3. http://www.bbc.com/news/world-asia-28744451
  4. Varma, Subodh (२६ नवम्बर २०१३), "New finds at Lumbini may push Buddha's birth to 6th century BC", The Times of India, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ 
  5. Morgan, James (२६ नवम्बर २०१३), "'Earliest shrine' uncovered at Buddha's birthplace", BBC, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ 
  6. ६.० ६.१ ६.२ Vergano, Dan (२५ नवम्बर २०१३), "Oldest Buddhist Shrine Uncovered in Nepal May Push Back the Buddha's Birth Date", National Geographic, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ 
  7. Wang, John (२५ नवम्बर २०१३), "Earliest Evidence of Buddha Found in Maya Devi Temple, Lumbini, Nepal", Epoch Times, मूलसँ २७ नवम्बर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  8. Morin, Monte (२५ नवम्बर २०१३), "A shrine within a shrine reveals evidence of Buddha's birth", Los Angeles Times, अन्तिम पहुँच २६ नवम्बर २०१३ 

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी