कुष्टिया जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कुष्टिया
কুষ্টিয়া
Location of कुष्टिया in Bangladeshक अवस्थिति
Location of कुष्टिया in Bangladesh
देशबङ्गलादेश बंगलादेश
विभागखुल्ना
क्षेत्रफल
 • कुल१६०८.८० किमी (६२१.१६ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल१९,४६,८३८
 • घनत्व१२००/वर्ग किमी (३१००/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय)
हुलाक कोड
७०००

कुष्टिया जिला (बङ्गाली: কুষ্টিয়া জেলা) बङ्गलादेशक खल्ना विभागमे रहल एक जिला छी । भारतक विभाजन पछा कुष्टिया एक अलग जिलाक रूपमे अस्तित्व अाएल छल । ओतसँ पहिला कुष्टिया ब्रिटिश भारतक बङ्गाल प्रान्तक अधीनमे रहल नैडिया जिलाक एक भाग छल । कुष्टिया बहुत विश्व प्रसिद्ध व्यक्तिसभक प्राचीन भूमि रहल अछि जना रविन्दनाथ टेगोर, लालन फकीर, एस.आई टुटल आदि ।

भूगोल[सम्पादन करी]

कुष्टिया जिलामे रहल गोराइ मधुमती नदि

कुष्टिया जिला २३°४२' सँ २४°१२' उत्तर अक्षांश आ ८८°४२' सँ ८९°२२' देशास्तरणमे अवस्थित अछि । ई जिला कुल क्षेत्रफल १६२१.१५ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । ई जिलाके राजशाहि, नटोर आ पाब्ना जिलासँ उत्तरसँ घेरने अछि झिनाइदह आ चौगङ्गा जिला दक्षिणसँ घेरने अछि तहिना राजवरी जिला पुर्वमे आ भारतक पश्चिम बङ्गाल आ मेहरपुर जिलासँ पश्चिमसँ घेरने अछि । ई जिला पद्मा, कुमार, गराइ जहिना देशक प्रमुख नदिसभ सेहो रहल अछि । ई जिलाक औसत उच्च तापमान ३७.८ डिग्री मापन कएल गेल अछि , न्युनतम तापक्रम ९.२ डिग्री मापन कएल गेल अछि । ई जिला वार्षिक वर्षाक औसत १,४६७ मिलिमिटर अछि । [१]

जनशाङ्खिकि[सम्पादन करी]

सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई जिलाक कुल जनसङ्ख्या १९,४६८,३८ जहिमध्ये पुरुषक जनसङ्ख्या ५०.८६% अछि आ महिलाक जनसङ्ख्या ४९.१४% रहल अछि। धर्मक अाधारमे ई जिला कुल जनसङ्ख्या मध्ये ९५.७२% मुस्लिम छथि ४.२२% हिन्दु धर्मक अछि बाँकि रहल जनसङ्ख्या विभिन्न धर्मक छथि । ई जिलामे कुल ३५८७ मस्जिद अछि १८५ मन्दिर आ ३२ चर्चसब रहल अछि ।

प्रशासनिक विभाजनसब[सम्पादन करी]

कुष्टिया जिलाक नगरपालिका कार्यलय

कुष्टिया जिला सन् १९४७ मे भारतक विभाजन पछा वनाएल छल जेकर सुरुवाती क्रममे कुष्टिया, चौगंगा आ मेयरपुर उप-विभागसभ सामेल छल । ई सब उप-विभागसभ पछा प्रत्येक जिलाक रुपमे परिवर्तन भेल छल । ई जिलामे रहल उप-जिलासभ एहि प्रकार अछि:

  • भेडामारा उप-जिला
  • दौलतपुर उप-जिला
  • खोकसा उप-जिला
  • कुमारखाली उप-जिला
  • कुष्टिया सदर उप-जिला
  • मिरपुर उप-जिला

अर्थतन्त्र[सम्पादन करी]

ई क्षेत्रमे उब्जनी करै योग्य भूमिसब रहल अछि । ई जिलामे प्रचुर मात्रामे जुल खेती होए कारण ई जिला नाम कुष्टिया भेल जेकर अर्थ बङ्गाली भाषामे जुट होएत अछि । ई क्षेत्रमे बहुत धान मिलसब सेहो रहल अछि । कुष्टियामे अन्य बहुत औद्योगिक कारखानासभ स्थापित भेल अछि जहि मध्य सबसँ बहुत खैनी आ सुर्तीजन्य कारखानासब अछि। नासिर तम्बाकु लिमिटेड आ ब्रिटिश-अमेरिकी तमाबाकु उल्लेखनीय अछि । ई जिलाक कुमारखेल अपजिलामे उच्च गुणस्तरक वस्त्र प्रसोधन आ सालाइने कएल गेल अछि। उत्पादन कएल खाद्य तथा अखाद्य बस्तुसभ देशक सीमासँ बाहर निर्यात सेहो कएल गेल अछि।

यस जिल्लाको मुख्य अाय श्रोतको बाटो भनेको कृषि र खेती जसमा जिल्लाकै ५१.७१% मानिसहरू संलग्न छन् । यस जिल्लाका मानिसहरू अन्य जस्तै ५.४८% मजदुरी, व्यापारमा ३.९९%, वाणिाज्यमा १७.६१%, संचार र यातायातमा ४.०३%, सरकारी कार्यलयहरूमा ७.३२% , धर्म सेवामा ०.१५% र अन्यमा ७.६७% रहेका छन् ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "कुष्टिया जिल्लाको जानकारी"। बङ्गलापिडिया।

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]