सामग्री पर जाएँ

ढाका जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ढाका जिला
ঢাকা জেলা
बाङ्लादेशक नक्शामे ढाका जिलाक अवस्थितिक अवस्थिति
बाङ्लादेशक नक्शामे ढाका जिलाक अवस्थिति
नक्शा
Expandable map of ढाका जिला
निर्देशाङ्क: २३°४७′N ९०°१८′E / २३.७९°N ९०.३०°E / 23.79; 90.30निर्देशाङ्क: २३°४७′N ९०°१८′E / २३.७९°N ९०.३०°E / 23.79; 90.30
देश बङ्गलादेश
विभागढाका विभाग
क्षेत्रफल
 • कुल१४६३.६ किमी (५६५.१ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (सन् २०११ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार[])[]
 • कुल१,२०,४३,९७७
 • क्रम
 • घनत्व८२००/वर्ग किमी (२१३००/वर्ग माइल)
वासिन्दाढाकाई

ढाका जिला (बङ्गाली: ঢাকা জেলা) बाङ्लादेशक मध्य भागमे अवस्थित देशक सभ सँ जनघनत्व भेल जिला छी। ई जिला ढाका विभाग अन्तर्गत पड़ैत अछि। ढाका जिला अन्तर्गतक ढाका शहर बाङ्लादेशक राजधानी छी जे बुरिगङ्गा नदीक पूर्वी किनारमे अवस्थित अछि। ढाका जिलामे ढाका शहर, केरानिगञ्ज, नबाबगञ्ज, दोहार, साभार आ धमराई उपजिला अवस्थित अछि।[]

ढाका जिला बाङ्लादेशक मध्य-पश्चिम भागमे अछि आ ई जिला २३°५३' सँ २४°०६' उत्तर अक्षांश आ ९०°०१' सँ ९०°३७' पूर्वी देशान्तरमे अवस्थित अछि। ढाका जिला बाङ्लादेशक कूल क्षेत्रफलमे सँ १४९७.१७ वर्ग किलोमिटर ओकटने अछि। ई जिलाकेँ गाजीपुरटाङ्गाइल जिला उत्तर, मुन्सिगञ्ज जिला दक्षिण, नारायणगञ्ज जिला पूर्व, मानिकगञ्जराजबाडी जिला पश्चिम सँ घेरने अछि। बुडिगङ्गा, इच्छामति, धलेश्वरी, तुराग, बङ्शी, कालीगङ्गा, गाजीखाली, कलमनई नदी, तुलसी खलकी रघुनाथपुर बिल तथा बेतलाई ई जिलाक प्रमुख नदीसभ छी।

जनसाङ्खयिकी

[सम्पादन करी]

जिला विभाग प्रतिवेदनक अनुसार ढाका जिलाक कूल जनसङ्ख्या ८५,११,२२८ रहल अछि जहिमे सँ पुरुषक जनसङ्ख्या ४७,१२,३३० अछि तँ महिलाक जनसङ्ख्या ३७,९८,८९८ रहल अछि। धर्मक आधारमे ई जिलामे इस्लाम धर्मवलम्बीक जनसङ्ख्या ८०,२०,३७२ अछि तँ हिन्दू धर्मवलम्बीक जनसङ्ख्या ४,४१,२१३ अछि। तहिना बौद्ध धर्मवलम्बीक जनसङ्ख्या ४१,३९५, इसाई धर्मक ६,५६५ आ अन्य धर्मक लोकसभक जनसङ्ख्या १,६८३ रहल अछि। ई जिलामे २,३९१ मस्जिद, १३० हिन्दू मन्दिर आ १ गिर्जाघर रहल अछि। ई जिलामे १२,००० सँ बेसी मस्जिद, ३,०१२ हिन्दू मन्दिर, ५३० गिर्जाघर आ १७४ बौद्ध गुम्बासभ रहल अछि।

अर्थतन्त्र

[सम्पादन करी]

ई जिला बाङ्लादेशक अर्थतन्त्रक केन्द्र छी। ई जिलाक लोकसभ २.४०% मजदुरीमे, उद्योग तथा व्यापारमे ३.५६%, वाणिज्यमे २५.०५%, सञ्चार आ यातायातमे ८.९७%, निर्माण क्षेत्रमे ३.४०%, कृषिमे ७.७०%, धार्मिक सेवामे ०.१५%, वैदेशिक रोजगारी तथा भाडामे ४.१५% आ अन्यमे १३.१२% रहल अछि।

प्रशासन

[सम्पादन करी]

प्रशासकीय ढाका नगरपालिकाक स्थापना सन् १८६४ मे भेल छल तँ सन् १९६० मे एकरा शहर समितिमे परिणत कएल गेल छल।[] सन् १९७२ मे उक्त शहर समितिकेँ निर्मूल करि सन् १९८३ मे नगरपालिका निगममे पदोन्नति कएल गेल छल। सन् १९९० मे ढाका शहरकेँ शहर निगममे परिणत कएल गेल छल।[]

ई जिलाक कूल साक्षरता दर ६४.७९% रहल अछि जहिमे सँ पुरुषक साक्षरता ६९.५८% अछि तँ महिलाक साक्षरता दर ५८.७८% रहल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. বাংলাদেশ জাতীয় তথ্য বাতায়ন (২৯ জুন ২০১৬), "এক নজরে ঢাকা", গণপ্রজাতন্ত্রী বাংলাদেশ সরকার, मूलसँ ২৪ জুন ২০১৬ मे सङ्ग्रहित। 
  2. "सन् २०११ क राष्ट्रिय जनगणना", बाङ्लादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग, पृ: ४१, मूलसँ ८ दिसम्बर २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ दिसम्बर २०१५ 
  3. "ঢাকা জেলা", বাংলাপিডিয়া: বাংলাদেশের জাতীয় এনসাইক্লোপিডিয়া (दोस्रो संस्करण), বাংলাদেশ এশিয়াটিক সোসাইটি, सन् २०१२। 
  4. "AL men appointed administrators", thedailystar.net 
  5. "Archive copy", मूलसँ २०१९-११-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-११-२९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]