कैलाश पर्वत

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

कैलाश पर्वत
कैलाश पर्वत के उत्तरी मुख
उच्चतम विन्दु
अवनति६,६३८ मी (२१,७७८ फिट)
स्थलाकृतिक प्रमुखता१,३१९ मी (४,३२७ फिट)
निर्देशाङ्क३१°४′०″उ॰ ८१°१८′४५″पू॰ / ३१.०६६६७°N ८१.३१२५०°E / 31.06667; 81.31250निर्देशाङ्क: ३१°४′०″उ॰ ८१°१८′४५″पू॰ / ३१.०६६६७°N ८१.३१२५०°E / 31.06667; 81.31250
भूगोल
कैलाश पर्वत तिब्बतपर अवस्थित
कैलाश पर्वत
कैलाश पर्वत
तिब्बत
माता शृङ्खलाट्रान्स-हिमालय

कैलाश पर्वत (अङ्ग्रेजी: Mount Kailsh, संस्कृत: कैलाश) तिब्बत में स्थित कैलाश हिमश्रृङ्खलाके एगो पर्वत छी । एकर पश्चिम तथा दक्षिण में मानसरोवर तथा राक्षस ताल अछि । एतय एसियाके किछु सभसँ पैग नदीके श्रोतलग अवस्थित अछि - जे में ब्रह्मपुत्र नदी, सिन्धु नदीसतलुज नदी रहल अछि । ऐ पर्वतके चार धर्ममें पवित्र मानल गेल अछि जे छी हिन्दू धर्म, जैन धर्म, बोन धर्मबौद्ध धर्म

नाम[सम्पादन करी]

ऐ पर्वत "कैलाश" के संस्कृत में (कैलाश) कहल जाएत अछि ।[१][२] इ शब्द केलाससँ आयल अछि, जेकर माने "स्फटिक" होएत अछि ।[३]

धार्मिक महत्त्व[सम्पादन करी]

हिन्दू धर्म[सम्पादन करी]

ए तीर्थके गणपर्वत आर रजतगिरि ओ कहल जाएत अछि । कैलाश ६,६३८ मिटर (२१,७७८ फिट) ऊँच शिखर आर वो सँ सटल मानसरोवरक इ तीर्थ छी आर ऐ प्रदेशके मानसखण्ड कहल जाएत अछि । कदाचित प्राचीन साहित्य में उल्लिखित मेरु एतएक अछि । पौराणिक अनुश्रुतिसभ के अनुसार शिव आर ब्रह्मा आदि देवगण, मरीच आदि ऋषि एवं रावण, भस्मासुर आदि एतय तप केने छल । पाण्डव के दिग्विजय प्रयास के समय अर्जुन ऐ प्रदेश पर विजय प्राप्त केने छल । युधिष्ठिर के राजसूय यज्ञ में ऐ प्रदेश के राजा उत्तम घोडा, सोना, रत्न आर याकके पुच्छरके बनल कारी आर उज्जर चामर भेंट केने छला । ऐ प्रदेशके यात्रा व्यास, भीम, कृष्ण, दत्तात्रेय आदि केने छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Monier-Williams Sanskrit Dictionary, page 311 column 3
  2. Entry for कैलासः सङ्ग्रहित २०१२-०७-०८ archive.today in Apte Sanskrit-English Dictionary
  3. Entry for केलासः[permanent dead link] in Apte Sanskrit-English Dictionary

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]