राक्षस ताल
राक्षस ताल | |
---|---|
![]() उपग्रह चित्र राक्षस तालके | |
स्थान | तिब्बत, चिन |
निर्देशाङ्क | ३०°३९′N ८१°१५′E / ३०.६५°N ८१.२५°Eनिर्देशाङ्क: ३०°३९′N ८१°१५′E / ३०.६५°N ८१.२५°E |
राक्षस ताल तिब्बत में स्थित एक झील छी जे मानसरोवर आर कैलाश पर्वत के समिपमें स्थित अछि । सतलुज नदी राक्षसतल के उत्तरी छोर सँ शुरु होएत अछि । पवित्र मानसरोवर आर कैलाश के एतेक लग भेला के बादो राक्षसताल हिन्दुसभ आर बौद्ध-धर्मिसभद्वारा पवित्र आ पूजनीय नै मानल जाएत अछि । एकरा तिब्बती भाषा में लग्नगर त्सो (ལག་ངར་མཚོ།) कहल जाएत अछि ।[१] प्रशासनिक रूपसँ इ तिब्बत के न्गारी विभाग में भारतके सीमाके लग स्थित अछि ।
संरचना[सम्पादन करी]
राक्षस ताल लगभग २२५ वर्ग किलोमीटर क्षेत्र, ८४ किलोमीटर परिधि तथा १५० फिट गहिराई में फैलल अछि ।[२] ऐ झील के तट राक्षससभ के राजा रावण एते आराध्य देव शिव के आराधना केने छल । एहि लेल एकरा राक्षस ताल वा रावण ताल कहल जाएत अछि ।[३] एक छोट नदी गंगा-चू दुनू झीलसभके जोडएत अछि ।
मानसरोवर सँ अन्तर[सम्पादन करी]
राक्षस ताल द इ आस्था अछि कि एहि ताल रावण सँ सम्बन्धित अछि, जाहि कारणवश एकरा रावणताल कहल जाएत अछि । जतेक मानसरोवरके पानि मीठ होएत अछि, वोते राक्षसताल के नूनगर होएत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Taruna Vijaya (2001). Kailash Manasarovar, an odyssey in Tibet. Ritwik Prakashan. प॰ 58. http://books.google.com/books?id=G3rXAAAAMAAJ. अन्तिम पहुँच तिथि: 2012-07-24.
- ↑ "Archive copy", मूलसँ २०१०-११-०५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१५-०९-०१।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ Pradeep Chamaria (1996). Kailash Manasarovar on the Rugged Road to Revelation. Abhinav Publications. pp. 67. आइएसबिएन 978-81-7017-336-6. http://books.google.com/books?id=ftuRYXyX9S4C&pg=PA67. अन्तिम पहुँच तिथि: 2012-07-24.