मानसरोवर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मानसरोवर
माफम युम्त्सो
(जुलाई २००६)
स्थानतिब्बत, चिन
निर्देशाङ्क३०°३९′N ८१°२७′E / ३०.६५°N ८१.४५°E / 30.65; 81.45निर्देशाङ्क: ३०°३९′N ८१°२७′E / ३०.६५°N ८१.४५°E / 30.65; 81.45
सतह क्षेत्रफल४१० किमी (१६० वर्ग माइल)
अधिकतम गहिराई९० मी (३०० फिट)
सतह उचाई४,५९० मी (१५,०६० फिट)
स्थिरशित

मानसरोवर झील संस्कृत: मानसरोवर तिब्बतमें स्थित एक सफा पानिके झील छी । इ पवित्र झील लहासा सँ ९४० किलोमिटर (५८० माइल) दुर अछि । एकर उत्तर में कैलाश पर्वत तथा पश्चिम में राक्षस ताल अछि ।

भूगोल[सम्पादन करी]

मानसरोवर झील (दाहिना)- एकर पश्चिम में राक्षस ताल तथा उत्तर में कैलाश पर्वत अछि (उपग्रहद्वारा लेले गेल चित्र)।
मानसरोवर में स्नान करैत एक तिर्थयात्री

इ झील लगभग ३२० वर्ग किलोमाटर के क्षेत्र में फैलल अछि । एकर उत्तर में कैलाश पर्वत तथा पश्चिम में राक्षस ताल अछि । इ समुद्र सतहसँ लगभग ४,५५६ मिटरके ऊंचाई में स्थित अछि । एकर परिमिति लगभग ८८ किलोमिटर अछि आर औसत गहराई ९० मिटर रहल अछि ।[१]

धार्मिक पहलू[सम्पादन करी]

हिन्दू धर्म में एकरा पवित्र मानल गेल अछि । एकर दर्शन के लेल लाखौ लोग प्रतिवर्ष कैलाश मानसरोवर यात्रा में भाग लैत अछि । हिन्दू विचारधारा के अनुसार इ झील सर्वप्रथम भगवान ब्रह्मा के मन में उत्पन्न भेल छल । संस्कृत शब्द मानसरोवर, मानस तथा सरोवर के मिल के बनल अछि जेकर शाब्दिक अर्थ होएत अछि - मन के सरोवर। एतएक देवी सती के शरीरके दाहिना हाथ गिरल छल । एहि लेल एतएक एक पाषाण शिलाके वोकर रूप मानि पूजा केल जाएत अछि । एतएक शक्तिपीठ अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "INDIA" (PDF)। Ramsar Wetlands International। p. 77। अन्तिम पहुँच 2012-02-06

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]