सामग्री पर जाएँ

गङ्गा देवी (चित्रकार)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

गङ्गा देवी (सन् १९२८ – २१ जनवरी १९९१)[]एकटा भारतीय चित्रकार छल,[]जेकरा बहुतो लोक मधुबनी चित्रकला परम्पराकें प्रमुख प्रतिपादकमे सँ एक मानैत छल |[]मधुबनी पेन्टिङ कें भारतसँ बाहर लोकप्रिय बनेबाक श्रेय हिनका देल जाइत अछि ।[] हिनक जन्म सन् १९२८ मे भारतक बिहार राज्यक मिथिलामे कायस्थ परिवारमे भेल छल आ पारम्परिक चित्रकला शिल्पमे आबि गेलिह,[][] कचनी (लाइन ड्रोइङ) शैलीमे विशेषज्ञता हासिल केने छल। अपनऽ कला कें साथ विदेश यात्रा करलकै आ अमेरिका केरऽ फेस्टिवल अफ इण्डियाकें हिस्सा छेल, जेकरासँ अमेरिका सीरीज केरऽ शीर्षक के अन्तर्गत बहुतरास पेन्टिङ मिललै, जाहिमे मास्को होटल, फेस्टिभल अफ अमेरिकन फोक लाइफ, आ राइड इन ए रोलर कोस्टर शामिल छलै ।[] भारत सरकार हुनका राष्ट्रिय मास्टर क्राफ्टम्यान पुरस्कारसँ सम्मानित करलकै आ एकरऽ बाद सन् १९८४ मे पद्मश्री केरऽ चारिम सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार देलकै ।[][]


सन् १९८० के दशकमे गङ्गा देवी दिल्ली के क्राफ्ट म्यूजियममे प्रसिद्ध भित्तेचित्र कोहबर घर या दुल्हिनकें विवाह कक्षकें चित्रण केने छल | एहि भित्तेचित्रकें तीनसँ चारि मासकें अवधिमे रङ्गल गेल छल, जखन कि गङ्गा देवीकें दिल्ली अस्पतालमे कीमोथेरेपी भऽ रहल छल। []भित्तेचित्रक सन् २०१५ केरऽ शुरूआतमे सङ्ग्रहालयमे नवीकरण योजनाकें हिस्सा के रूपमे तोडि देलऽ गेलऽ छलै ।[]




प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

गङ्गा देवी जखन बच्चा छल तखन हुनकर पहिल ब्रश हुनकर माँ हाथ मे देलन्हि जे चाउरक भूसा आ साड़ीक हेम सँ निकालल किछु धागा सँ बनल छल | गङ्गा देवी भानस के बर्तन के निचला भाग स, या तूफानी लालटेन के चिमनी सँ खुरचल करिखा लऽ के मसि कें रूप में प्रयोग करैत छल | करिखा कें मालजाल के मूत, पानिमे घुलल अरबी गम, या कखनो काल बकरी के दूध सेहो मिलाबे के प्रचलन छल, ई बात ओ अपन पितियौत बहिन आ मौसी, हुनकर माय आ दादी सँ सिखलन्हि। गाममे कागजक अभावमे ओ अपन स्कूलक नोटबुककें पन्ना सँ बनल क्यानभास पर अभ्यास करैत छल जे प्रायः कपड़ा पर सटल रहैत छल ।[]



गंङ्गा देवीकें अमेरिकामें भारतकें महोत्सव" कें लेल चयन भऽ गेलैन। आ रूसजापानमे भारतीय कलाकें प्रतिनिधित्व केलन । [१०]अपनऽ सब अनुभवकें चित्रकलाक माध्यमसँ बतैलकै, ओकर बाद भारत सरकारद्वारा आपन शिल्प केरऽ लेल राष्ट्रिय पुरस्कारसँ सम्मानित भेल छल ।[]


सन् १९८० कें दशकमें, जखन गङ्गा देवीकें क्यान्सरक पता चलल छल, ओ फेर मिथिला नै जाऽ सकल किएक तँ हुनका नियमित केमोथेरेपी करबाक लेल लिखल गेल छल।






सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Ganga Devi - Library of Congress", id.loc.gov, अन्तिम पहुँच १० दिसम्बर २०२२ 
  2. Jyotindra Jain (१९८९), "Ganga Devi: Tradition and expression in Madhubani painting", Third Text 3 (6): 43–50, डिओआई:10.1080/09528828908576213 
  3. ३.० ३.१ "Riding the Rollercoaster with Ganga Devi", 50 Watts, २०१५, अन्तिम पहुँच ९ सितम्बर २०१५ 
  4. ४.० ४.१ ४.२ "Madhubani Magic of Gangadevi", Pitara, २०१५, अन्तिम पहुँच ९ सितम्बर २०१५ 
  5. "Ganga Devi - Artist Profile", Mithila Paintings, २०१५, अन्तिम पहुँच ९ सितम्बर २०१५ 
  6. "Padma Awards", Ministry of Home Affairs, Government of India, २०१५, मूलसँ १५ अक्टुबर २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ जुलाई २०१५ 
  7. "Museum art erased", www.telegraphindia.com (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१५ 
  8. "Crafts museum 'renovation' wipes out famed Madhubani murals - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१५ 
  9. ९.० ९.१ De, Aditi, "Madhubani Magic of Gangadevi | Pitara Kids Network" (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०४-०६ 
  10. shampasaid, "Contribution of Ganga Devi– Synonym of Madhubani Art to Culture of India", Realbharat (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०४-०६ 



बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]