गाईघाट
गाईघाट
Gaighat गाईघाट | |
---|---|
लुआ त्रुटि मोड्युल:Location_map में पंक्ति 479 पर: Unable to find the specified location map definition. Neither "Module:Location map/data/Koshi" nor "Template:Location map Koshi" exists। | |
निर्देशाङ्क: २६°४७′२६″उ॰ ८६°४२′०७″पू॰ / २६.७९०५६°N ८६.७०१९४°Eनिर्देशाङ्क: २६°४७′२६″उ॰ ८६°४२′०७″पू॰ / २६.७९०५६°N ८६.७०१९४°E | |
Country | नेपाल |
प्रदेश | प्रदेश नं. १ |
जिला | उदयपुर |
नगरपालिका | त्रियुगा |
Ward | ११ आ १२ |
Incorporated with city | १९९७ |
सरकार | |
• Ward Chairperson (ward 11) | विश्वराज भट्टराई |
• Ward Chairperson (ward 12) | जय विक्रम राई |
क्षेत्रफल | |
• कुल | १६.११ किमी२ (६.२२ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | १४,२४३ |
• घनत्व | ८८०/वर्ग किमी (२३००/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (एनएसटी) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३५ |
गाईघाट त्रियुगा नगरपालिका के भीतर एकटा प्रशासनिक केन्द्र छी आ नेपाल केर प्रदेश नम्बर १ मे स्थित उदयपुर जिलाक मुख्यालय छी। गाईघाट के २ टा वार्डसभमे विभाजित कएल गेल अछि जेकरा गाईघाट बजार आ पुरान गाईघाट कहल जाईत अछि। गाईघाट (गाईघाट बजार) त्रियुगा नगरपालिका केर वार्ड नम्बर ११ मे आ पुरान गाईघाट वार्ड नम्बर १२ मे स्थित अछि। दुईटा वार्डसभ के कुल क्षेत्रफल १६.११ वर्ग किलोमिटर (६.२२ वर्ग माईल) अछि आ २८३२ घरसभ केर साथ कुल जनसंख्या १४,२४३ अछि।
वार्ड नं. | व्यवस्थापक केन्द्र | क्षेत्रफल (कि.मि.२) | जनसंख्या (२०११) | घरधुरी |
---|---|---|---|---|
११ | गाईघाट बजार | १२.३ | ७९३२ | १५४७ |
१२ | पूरान गाईघाट | ३.८१ | ६३११ | १२८५ |
पृष्ठभूमि
[सम्पादन करी]उदयपुर जिला केर सदरमुकाम सन् १९७२ सँ पहिने पञ्चवटी गामसभमे उदयपुरगढी केर पहाडी पर स्थित छल। सरकार १९७२ मे सदरमुकाम केर गाईघाट के मैदानमे स्थानान्तरित करबाक निर्णय लेने छल आ १९७२ मे एकरा गाईघाटमे स्थानान्तरित करि देल गेल। ई १९९७ धरि एकटा ग्राम विकास समिति छल। एकरा २६ मार्च १९९७ केर देउरी आ भुमरशुवा के साथ त्रियुगा नगरपालिकामे शामिल कएल गेल।
१९९१ केर नेपाल जनगणना के समयमे एकर जनसंख्या २३१९ व्यक्तिगत घरसभमे बसोबास करबला कुल १२,१३२ लोकसभ छल।
परिवहन
[सम्पादन करी]नेपालमे ठाडी आ भारतमे लौकहा केर माध्यमसँ भारतीय सीमासँ जुडल ई शहर गाईघाट बजारसँ ५१ कि.मि. दक्षिणमे स्थित अछि, जे भारत आ नेपालक बीच आपसी व्यापार करबाक लेल सहमत मार्गसभमे सँ एकटा के हिस्सा छी। नेपाल सरकार भन्सारमे एकटा समर्पित कार्यालय जे सीमा शुल्क असुली करत से स्थापित केलक। आ भारत सरकार एकटा सुपरिडेन्ट स्तर के अधिकारी के साथमे एकटा मालपोत कार्यालय स्थापित केलक। तँ सरल शब्दसभमे कहल जाओ त ई स्थान पर आयात आ निर्यातक अनुमति अछि। लौकहामे लौकहा बाजार रेलवे स्टेशन अछि जो एकटा बडका लाइन छी आ शेष भाग भारतसँ जुडैत अछि।
प्रशासन
[सम्पादन करी]वार्ड नं. | सदस्यसभ | नाम | पार्टी |
---|---|---|---|
११ | अध्यक्ष | सुमन्ता कोईराला | नेपाली काङ्ग्रेस |
सदस्य १ | भीमचन्द्र राई | नेपाली काङ्ग्रेस | |
सदस्य २ | विष्णु कुमार श्रेष्ठ | ने.क.पा. (एमाले) | |
महिला सदस्य | बिमला राई | नेपाली काङ्ग्रेस | |
दलित महिला सदस्य | निला कार्की ढोली | नेपाली काङ्ग्रेस | |
१२ | अध्यक्ष | चुडाराज काफ्ले | नेपाली काङ्ग्रेस |
सदस्य १ | लक्ष्मी नारायण चौधरी | नेपाली काङ्ग्रेस | |
सदस्य २ | दिलशेर अली मियाँ | नेपाली काङ्ग्रेस | |
महिला सदस्य | अनिता थापा | नेपाली काङ्ग्रेस | |
दलित महिला सदस्य | रामकली वि.क. | नेपाली काङ्ग्रेस |
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]