गान्धी जयन्ती
गान्धी जयन्ती Gandhi Jayanti | |
---|---|
![]() घन्टासला सङ्गीत महाविद्यालय विजयवाड़ामे अवस्थित गान्धी प्रतिमा | |
समुदाय | भारत |
महत्व | भारतीय स्वतन्त्रतामे महात्मा गान्धीक भूमिका कऽ सम्मान करैत अछि। |
पावनिसभ | सामुदायिक, ऐतिहासिक समारोह |
तिथि | २ अक्टुबर |
समबन्ध | अन्तराष्ट्रिय अहिंसाक दिवस गणतन्त्र दिवस स्वतन्त्रता दिवस |
गान्धी जयन्ती भारतमे महात्मा गान्धीक जयन्तीकेँ मनेबाक लेल मनाओल जाइवला एक कार्यक्रम छी। ई २ अक्टूबर कऽ प्रतिवर्ष मनाओल जाएत अछि, आ ई भारतक तीनटा राष्ट्रिय छुट्टिसभमे सँ एक छी। संयुक्त्त राष्ट्र महासभा द्वारा १५ जून २००७ कऽ घोषणा एकर करैत एकटा प्रस्तावकेँ स्वीकार केलक जाहिमे घोषित केलक कि २ अक्टूबर कऽ अन्तराष्ट्रिय अहिंसा दिवसक रूपमे मनाओल जाएत।[१]
स्मरणोत्सव
[सम्पादन करी]गान्धी जयन्ती २ अक्टूबरकेँ वार्षिक रूपसँ मनाओल जाएत अछि। ई भारतक आधिकारिक घोषित राष्ट्रिय छुट्टिसभ मध्ये एक अछि, एकरा समुचा राज्यसभमे आ क्षेत्रसभमे सेहो मनाओल जाएत अछि।
गान्धी जयन्तीक समुचा भारतमे प्रार्थना आ श्रद्धाञ्जलीसभा करैत मनाओल जाएत अछि। जाहिमे नयाँ दिल्लीमे अवस्थित राज घाटमे रहल गान्धीक स्मारक जतए हुनकर अन्तिम संस्कार कएल गेल छल। ओहू ठाम सेहो श्रद्धासुमन अर्पित कएल जाएत अछि। एहिक्रममे विभिन्न शहरसभ, कलेजसभ, स्थानीय सरकारी संस्थानसभ आ सामाजिक-राजनीतिक संस्थानसभ द्वारा प्रार्थनासभासभ, स्मरणोत्सवमे समारोहमे मुख्यरुपेन होएत अछि। शैक्षिक संस्थासभमे पेन्टिङ्ग आ निबन्ध प्रतियोगितासभक आयोजन कएल जाएत अछि आ पुरस्कार प्रदान कएल जाएत अछि सङ्गे समुदायक अहिंसक तरीका सँ प्रोत्साहित करबाक साथे भारतीय स्वतन्त्रता आन्दोलनमे गान्धीक प्रयासक लेल अनेक प्रकारक कार्यक्रम आयोजन कएल जाएत अछि।[२] हुनक स्मृतिमे एहि दिन गान्धीक प्रिय भजन रघुपति राघव राजा राम खासकरि गाओल जाएत अछि। देश भरिमे महात्मा गान्धीक प्रतिमाक माल्यार्पण कएल जाएत अछि आ एहि दिन किछ द्वारा व्यक्तिसभ दारु पिनाए या मासू खेबासँ बचैत अछि।[३]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "UN declares 2 October, Gandhi's birthday, as International Day of Non-Violence", United Nations, १५ जून २००७, अन्तिम पहुँच ९ अक्टुबर २०१४।
- ↑ "Gandhi Jayanti", Simon Fraser University, अन्तिम पहुँच १५ अप्रैल २००६।
- ↑ "Several programmes mark Gandhi Jayanti celebrations in Mysore", The Hindu, अन्तिम पहुँच १६ नवम्बर २००६।