सामग्री पर जाएँ

गीता बाली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गीता बाली
जन्म
हरकृतन कौर

सन् १९३० []
मृत्युजनवरी 1965 (aged 3435)
सक्रिय वर्ष१९५०-१९६४

गीता बाली (१९३०-२१ जनवरी १९६५) भारतीय चर्चित अभिनेत्री छी। बालीके भारतीय सिनेमा इतिहासक श्रेष्ठ अभिनेत्रीसभमे एक मानल जाएत अछि। बाली अपन दुई दशकसऽ बेसी समय धरि चलल अभिनय जीवनमे ७५ सऽ बेसी चलचित्रमे अभिनय केलखिन। ओ दुई बेर फिल्मफेयर पुरस्कार लेल नामांकित सेहो भेल अछि।

सुरुवाती जीवन

[सम्पादन करी]

गीता बालीक जन्म १९३० मे ब्रिटिश भारतक पन्जाब प्रान्तक अमृतसरमे हरकीर्तन कौरक रूपमे भेल। हुनकर एकटा जेठ बहिन हरदर्शन कौर रहली, जिनकर बेटी बादमे फिल्म अभिनेत्री योगीता बाली बनली। बाली शास्त्रीय नृत्य, घुड़सवारी आ गटका मे प्रशिक्षित रहली। हुनकर पिता पण्डित कर्तार सिंह धार्मिक उपदेशक छलाह।

बचपनमे गीता ऑल इण्डिया रेडियो, लाहौरक एकटा कार्यक्रम लेल गानक चयनित भेली। हुनकर परिवार बर्मा, श्रीलङ्का धरि यात्रा करैत छल, जतय गीता आ हुनकर बहिन मंच-प्रदर्शन दैत रहथि। ओहि समय हुनका पण्डित ज्ञान शङ्कर जे नृत्य निर्देशक छलाह, देखलखिन आ हुनका “द कॉब्लर” (१९४२) नामक एकटा वृत्तचित्र फिल्म लेल चुनलखिन, जे हुनकर पहिल फिल्म छल।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

चलचित्रसभ

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Rajadhyaksha, Ashish; Willemen, Paul (1999). Encyclopaedia of Indian cinema. British Film Institute. प॰ 54. आइएसबिएन 9780851706696. https://archive.org/details/encyclopaediaofi0000raja/page/52/. "(1930-65) हिन्दी अभिनेत्री, नृत्यांगना आ गायिका, मूल नाम हरकीर्तन कौर। जन्मस्थान — अमृतसर, पंजाब।"

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]