गौतम अदानी
गौतम अदानी Gautam Adani | |
---|---|
ગૌતમ અદાણી | |
![]() | |
जन्म | |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | अदानी समूहक चेयरम्यान |
प्रसिद्धि कारण | अदानी समूहक संस्थापक आ कार्यकारी प्रमुख |
जमा सम्पति | $७ बिलियन (२०१५)[१] |
जीवनसाथी(सभ) | प्रिती अदानी |
बालबच्चा | करण अदानी जीत अदानी |
सम्बन्धी | विनोद अदानी (भाई) |
गौतम अदानी (जन्म २४ जुन १९६२) एक भारतीय व्यवसायी छी जे अदानी समूहक संस्थापक आ कार्यकारी प्रमुख छी । अमेरिकी पत्रिका फोर्ब्स अनुसार सन् २०१५ मे गौतमके कूल सम्पति ७ बिलियन अमेरिकी डलर अछि ।[२] ओ सन् १९८८ मे अदानी समूहक स्थापना केनए छल आ आई वर्तमान समयमे अदानी समूह कोयला व्यापार, कोयला खनन, तेल आ ग्यास खोज, बन्दरगाहसभ, मल्टी मोडल लजिस्टिक, बिजली उत्पादन आ पारेषण आ ग्यास वितरणमे फैलल कारोबारक सम्भालैवला विश्व स्तरक एकीकृत बुनियादी ढाँचा छी ।[३] ३३ वर्षक व्यापार अनुभवक साथ साथ, गौतम अदाणी प्रथम पीढ़ीक उद्यमी छी जे अपेक्षाकृत कम समयमे $८ अरबक व्यवसायिक कारोबारी साम्राज्य आदानी समूहक नेतृत्व करैवला एक मामूली पृष्ठभूमिक व्यक्ति छी ।[४][५][६]
गौतमके व्यापार-परिवहन आ परिवहन सम्बन्धी बुनियादी ढाँचाक विकासक लेल विश्व भरिमे १०० सबसँ प्रभावशाली व्यवसायीसभमे गिनल जाइत अछि । ओ सन् २००६ मे आधुनिक मुन्द्रा बन्दरगाहक स्थापना केनए छल जकरा सन् २००६ मे लोयड्स सभसँ बढिया बन्दरगाहक सूचीमे स्थान देनए छल ।[७][८] आजुक वर्तमान समयमे मुन्द्रा बन्दरगाह भारतक सभसँ पैग व्यवसायिक बन्दरगाह छी जे सन् २०१३-१४ क आर्थिक वर्षमे १०० मिलियन म्याट्रिक टनक कारोबार केनए छल ।[९]
जीवनी
[सम्पादन करी]गौतम अदानीक जन्म गुजराती बनिया परिवारमे सन् १९६२ जुन २४ मे भारतक गुजरात राज्यक अहमदाबादक रतनपोलमे भेल छल ।[१०] गौतमक पिताक नाम शान्तिलाल आ माताक नाम शान्ता अदानी छी आ हुनका ७ भाईबहिन अछि । हुनकर मातापिता गुजरातक पूर्वी भाग थराद शहरसँ बसाइसराई केनए छल ।[८] गौतमक विवाह प्रिती अदानीसँ भेल अछि जे पेशासँ दन्त चिकित्सक आ अदानी फाउन्डेसनक प्रबन्धक सञ्चालक छी । ई दुनूके दुई टा बेटा अछि । गौतम अपन प्रारम्भिक शिक्षा अहमदाबादक शेठ चिमनलाल नागीनदास विद्यालयसँ केनए अछि । बादमे, ओ गुजरात विश्वविद्यालयसँ वाणिज्य सङ्कायमे स्नातकक दुई वर्षधरि पढ़ाई केलक ।[११]
करियर
[सम्पादन करी]अपन पिताद्वारा अहमदाबादमे स्थापित टेक्सटाइलक व्यवसायमे समर्पित नै भ गौतम १८ वर्षक उमरमे किछ १०० रुपैया ल भारतक आर्थिक राजधानी मुम्बई पहुँचल छल । ओ अपन करियरक आरम्भ हिरा विक्रेताक रूपमे केनए छल । ओ २ वर्ष धरि महिन्द्रा ब्रदर्स नामक फर्ममे काज केनए छल । बादमे ओ खुद अपन हीरा दलालीक काज मुम्बईमे स्थापित केनए छल । हुनकर कथन अनुसार ओ एक वर्षमे लगभग १० लाख रुपैया आर्जित केनए छल, सन् १९८० मे ई रकम बहुत बेसी छल ।[८]
गौतमक बड़का भाई महासुख अदानी, अपन प्लास्टिक कारखानाक चलाबैक लेल गौतमक मुम्बईसँ अहमदाबाद बजेलक । जल्दीए गौतम अदानी पोलीभिनाइल क्लोराइड, प्लास्टिक निर्माणक लेल प्रमुख सामग्रीक आयात करि कमोडिटी व्यवसाय आरम्भ केलक ।[७][८]
अदानी, उच्च जोखिम ल व्यवसाय करि सफल भेला कारण हुनका गौतमभाई नाम राखल गेल । पूर्व आइआइएम-ए निर्देशक बाकुल ढोलकिया, जे अदानी समूहक शैक्षिक आ सिएसआर सुरुवातकर्ता छल ओ कहलक, "उच्च जोखिम वहन करि सफल होमएवला बहुतेक कम व्यवसायीसभमे सँ एक अदानी छी ।[१२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Naazneen Karmali, "Gautam Adani", Forbes।
- ↑ "The World's Billionaires: #249 Gautam Adani", Forbes, २८ मई २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
- ↑ "Adani Enterprises Ltd.", BusinessWeek, २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
- ↑ Nayyar, Dhiraj; Mahurkar, Uday (२० अगस्त २०११), "Billionaire who Beat the System: A look into profile of billionaire Gautam Adani", India Today, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
- ↑ Keshavdev, V. (६ जुलाई २०१३), "The Alchemist", Outlook Business, मूलसँ २९ मई २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Adani among most indebted groups, plans to raise Rs 10,000 crore via share sale", The Economic Times, २८ जुलाई २०१४, मूलसँ ९ फरबरी २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ फरबरी २०१५।
- ↑ ७.० ७.१ Kumar, Mousumi Saha (१६ जुलाई २०११), "Gautam Adani", Success Stories।
- ↑ ८.० ८.१ ८.२ ८.३ Mehta, Harit (२०१४-०४-१०), "Gautam Adani, the baron to watch out for if Narendra Modi becomes king", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१४-०४-१०।
- ↑ "Adani’s Mundra Port crosses 100 MMT mark of cargo handling in a year", Business Line, ३१ मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
- ↑ Aakar Patel, "Why caste persists in politics", The Hindu।
- ↑ "Gautam Adani Business Profile", Business Maps of India, २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
- ↑ "Gautam Adani, the baron to watch out for if Narendra Modi becomes king", The Times of India, १० अप्रैल २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जून २०१४।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]![]() |
विकिमिडिया कमन्समे गौतम अदानीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- विवरण फोर्ब्समे
- जीवनी
- अदानी वेबसाइट
- अदनी फाउन्डेसन
- फर्च्युन फुड्स वेबसाइट सङ्ग्रहित २०१५-०३-१४ वेब्याक मेसिन