चुङ्गि

चुङ्गि नेपाल आ पूर्वोत्तर भारत मे बच्चासभद्वारा खेलल जाई बला एकटा पारम्परिक खेल छी।[१][२][३][४]खेल कऽ सेटअप एकटा छोटका, गोल झोला जेहन होईत अछि जे साधारण रुपसँ प्रतिस्पर्धी खेल के हिस्सा केर रूपमे या निपुणताक प्रदर्शन केर रूपमे हावामे फेकल जाईत अछि। एकरा बीचमे रबर ब्याण्ड के समूहक बाँधि करि के बनाओल गेल गेन्दसँ खेलल जाईत अछि।
गेमप्ले
[सम्पादन करी]खेल के नियम क्षेत्र केर अनुसार अलग-अलग होईत अछि। चुङ्गि खेलबाक पारम्परिक तरिका ई गिननाए अछि जे गेन्द के जमीन पर बिना गिरावैत टाङ्सँ काटेक बेर मारल जाऽ सकैत अछि। दुनु टाङ् के उपयोग के अनुमति होईत अछि, मुद्दा शरीर के कुनु अन्य अंग के उपयोग करबाक अनुमति नहि अछि। साधारण रुपसँ, खेल समाप्ति के लेल लक्ष्य गणना तय कएल जाईत अछि। गिनती के अन्तमे, जतय धरि सम्भव होए, गेन्द के हिट करबाक लेल बैक किक लगाओल जाईत अछि। गेन्द पहिने सँ तय दूरी सँ बेसी दूर होनाए चाही, एकरा खिलाडी के टाङ् सँ मापल जाईत अछि। यदि खिलाडी गेन्द के हिट नहि करि पावैत अछि, तँ दोसर खिलाडी के जारी रखबाक मौका मिलैत अछि।
एकटा अन्य प्रकारक खेल जे खेलल जाऽ सकैत अछि, ओ अछि गेन्द के जमीन पर बिना गिरावैत , टाङ् सँ अन्य खिलाडीसभ के पास केनाए।
प्रभाव
[सम्पादन करी]चुङ्गि के एकटा अन्य पारम्परिक नेपाली खेल डण्डी बियो जेकरा पिलो डन्टा सेहो कहल जाईत अछि ओकर लोकप्रियतामे कमी के एकटा कारण मानल जाईत अछि।[५] ई खेल के उपयोग स्कूलमे बच्चासभ के गणित आ अन्य अवधारणासभ सिखावे के लेल सेहो कएल गेल अछि।[६][७]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Barnouw, Victor (१९५६), "Some Eastern Nepalese Customs: The Early Years", Southwestern Journal of Anthropology 12 (3): 257–271, आइएसएसएन 0038-4801, जेएसटिओआर 3629084, डिओआई:10.1086/soutjanth.12.3.3629084, मूलसँ १८ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ मई २०२१।
- ↑ Hamal, Nikki (२५ फरबरी २०१८), "More than just child's play – The Himalayan Times – Nepal's No.1 English Daily Newspaper – Nepal News, Latest Politics, Business, World, Sports, Entertainment, Travel, Life Style News", The Himalayan Times, मूलसँ १८ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ मई २०२१।
- ↑ Bureau, The Week, "The games we played", My Republica, मूलसँ १८ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ मई २०२१।
- ↑ "Nepali Street Games", ECS NEPAL, मूलसँ १८ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ मई २०२१।
- ↑ "Sticks and stones- Nepali Times", मूलसँ १८ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ मई २०२१।
- ↑ Situation Analysis of SOP and FSP in Dhading and Siraha Districts. JICA/CASP Office. https://www.jica.go.jp/project/nepal/0602442/02/pdf/Baseline_Situation_Analysis_in_Dhading_and_Siraha_2005_Feb.pdf. अन्तिम पहुँच तिथि: 18 May 2021.
- ↑ Pradhan, Jaya (२१ सितम्बर २०१८), Cultural Games as a Pedagogical Tool: A Nepalese Experience of Teaching and Learning of School Mathematics 60, पृ: 198–204।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]