चेन्नईकऽ भूगोल

चेन्नई भारतके दक्षिण पूर्वी तट पर तमिलनाडु प्रदेशक उत्तरी पूर्वी तटीय क्षेत्रमे स्थित छै। अही तटीय क्षेत्र कऽ पूर्वी तटीय मैदानी क्षेत्र सेहो कहल जाइत अछि। यी क्षेत्रक समुद्र तलसं औसत ऊचाई ६.७ मीटर छै[१]आर सबसं ऊच स्थान ६० मीटर कs ऊचाई पर छै।[२] मरीना बीचके नामसं प्रसिद्ध चेन्नईके समुद्र तट कs विस्तार १२ किलोमीटर धरि अछि। शहरक मध्यमे बहऽ वला कूवम नदी आर दक्षिणसं बहऽ वला अड्यार नदी आजुक तारीखमे बहुते ज्यादा प्रदूषित भऽ चुकल अछि। अड्यार नदी कूवमसं कम प्रदूषित छै आर एकर तट पऽ अनेक पशु-पक्षिसभक बसेरा अछि।[३][४] यी दुनु नदिसभक बकिङघम नहरके द्वारा जोडल गेल छै। यी नहर अपन ४ किलोमीटर कs दूरी सागर तटके सामानान्तर तय करैत अछि। शहरके पश्चिमी भागमे बहुतो झीलसभ अछि, जहिमेसं रेड हिल्स, शोलावरम आर चेम्बरामबक्क्मसं पेय जलक आपूर्ति होएत छै। चेन्नईऽक भूमिगत जल सेहो प्रदूषित होइत जा रहल छै।[५]
चेन्नईमे वार्षिक तापमान लगभग एक समान होइत छै। अहीकऽ कारण चेन्नई कऽ सागर तट पs एवं थर्मल इक्वेटर पs स्थित होइत अछि। वर्ष भरि मौसम आम तौर पs गर्म एवं उमस भरल रहैत अछि। मई एवं जूनक पहिल सप्ताह वर्षक सबसं गर्म समय होइत छै। अही समय जब तापमान ३८-४२ डिग्री सेल्सियसके आस-पास पहुँच जाइत छै, ताए स्थानीय लोग एकरा अग्नि नक्षत्रम आ कथिरि वेय्यी कहैत छै।[६] वर्षक सबसं ठण्डा महीना जनवरी कs होइत छै, जब न्यूनतम तापमान १८-२० डिग्री सेल्सियस तक पँहुच जाइत अछि। अखन धरि अही ठामक सबसं न्यूनतम तापमान १५.८ डिग्री सेल्सियस आर उच्चतम तापमान ४५ डिग्री सेल्सियस दर्ज कएल गेल अछि।[७][८]
चेन्नईमे वर्षमे औसतन १,३०० मिलीमीटर वर्षा होइत छै। मुख्यतः वर्षा सितम्बरसं डीसम्बरके मध्य होइत छै। देशके अन्य जगहसभसं विपरीत चेन्नईमे वर्षा मनसूनके घुरला कs समय उत्तर-पूर्वी हवाके कारन होइत छै। बङगालक खाड़ीमे आबऽ वला चक्रवात बहुतो बेर चेन्नई सहो पहुँच जाइत अछि। सन २००५ मे आजुक तककs सबसं ज्यादा वर्षा २,५७० मिलीमीटर दर्ज कएल गेल छल।[९]
| महीनासभ | जनवरी | फरवरी | मार्च | अप्रैल | मई | जून | जुलाई | अगस्त | सितम्बर | अक्टूबर | नवम्बर | डीसम्बर | वर्ष |
|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
| औसत उच्च°C (°F) | 28 (83.12) |
30 (85.82) |
32 (89.42) |
34 (92.48) |
36 (97.52) |
37 (97.88) |
35 (94.46) |
34 (93.02) |
34 (92.3) |
31 (88.52) |
29 (84.56) |
28 (82.58) |
३२ (९०.१४) |
| औसत निम्न °C (°F) | 21 (69.08) |
21 (70.16) |
23 (73.58) |
26 (78.62) |
28 (81.68) |
27 (80.96) |
26 (78.62) |
25 (77.54) |
25 (77.54) |
24 (75.74) |
23 (73.04) |
22 (70.88) |
२४ (७५.६२) |
| वर्षा mm (इंच) | 16.2 (0.64) |
3.7 (0.15) |
3.0 (0.12) |
13.6 (0.54) |
48.9 (1.93) |
53.7 (2.11) |
97.8 (3.85) |
149.7 (5.89) |
109.1 (4.3) |
282.7 (11.13) |
350.3 (13.79) |
138.2 (5.44) |
१,२६६.९ (४९.८८) |
| स्रोत: भारत मौसम विज्ञान विभाग[१०] 2009-01-25 | |||||||||||||
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Geographical and physical features", District Profile, Govt of India, अन्तिम पहुँच २००७-१०-०४।
- ↑ Pulikesi, M; P. Baskaralingam, D. Elango, V.N. Rayudu, V. Ramamurthi, S. Sivanesan (अगस्त २५, २००६), "Air quality monitoring in Chennai, India, in the summer of 2005", Journal of Hazardous Materials 136 (3): 589–596, डिओआई:10.1016/j.jhazmat.2005.12.039, "Chennai is fairly low-lying, its highest point being only 300 metres (934 ft) above sea level is a rugged barren hill opposite to the Airport called Pallavapuram Hill."
|coauthors=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता); - ↑ Baskaran, Theodore S (जनवरी १२, २००३), "Death of an Estuary", द हिन्दू, अन्तिम पहुँच २००७-०९-१२।
- ↑ Doraisamy, Vani (अक्टुबर ३१, २००५), "A breather for the Adyar estuary", द हिन्दू, अन्तिम पहुँच २००७-०९-१२।
- ↑ Lakshmi, K (जुलाई १३, २००४), "It's no cola, it's the water supplied in Korattur", द हिन्दू, अन्तिम पहुँच २००७-१०-०९।
- ↑ Ramakrishnan, T (मई १८, २००५), "Hot spell may continue for some more weeks in the State", द हिन्दू, अन्तिम पहुँच २००७-०९-०४।
- ↑ "Climate of India", National Environment Agency – Singapore, मूलसँ २००६-१०-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००५-०८-०४।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Highest temperature", द हिन्दू, मई ३१, २००३, मूलसँ २०११-०७-११ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००७-०४-२५।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Ramakrishnan, T (जनवरी ३, २००६), "Entering 2006, city's reservoirs filled to the brim", द हिन्दू, मूलसँ २००७-०२-२८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००७-०५-०४।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Climatological Information for Chennai", Indian Meteorological Department, अन्तिम पहुँच २००९-०१-२५।