जोङ्खा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जोङ्खा
རྫོང་ཁ།
तिब्बती लिपिमे "जोङ्खा" शब्द लिखल
बाजल जाइवाला  स्थान:भुटान
आरम्भ:२०१३
मातृभाषी:1,71,080
भाषा परिवार:
शाखा भाषा:
अदप
लिपितिब्बती लिपि
जोङ्खा ब्रेल
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा
 भुटान
नियन्त्रण कर्ताजोङ्खा विकास आयोग
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१dz
आइएसओ ६३९-२dzo
आइएसओ ६३९-३dzoMacrolanguage
individual codes:
lya – लाया उपभाषा
luk – लुनाना उपभाषा
भाषावेधशाला70-AAA-bf
भुटानक मातृभाषी रूप सँ जोङ्खा बाजनिहार जिला (पीला रङ्गमे)
Indic script
Indic script
इ पन्नामे हिन्दीक संग संगे अन्य भारतीय लिपिसभ अछि। पर्याप्त सफ्टवेयर समर्थनक अभावमे अहाँ अनियमित स्थितिमे स्वर वा मात्रासभ तथा संयोजक देख सकैत छी। आओरो...

जोङ्खा (तिब्बती लिपि: རྫོང་ཁ།, अङ्ग्रेजी: Dzongkha, Wylie: rdzong kha) भुटानमे बाजल जाइवाला राष्ट्रिय भाषा छी । एकर नाम जोङ शब्द सँ लेल गेल अछि, जकर अर्थ जिला होइत अछि, आ जोङ्खा कऽ अर्थ जिलाक मुख्यालयमे बाजल जाइवाला भाषा छी । सन् २०१३ मे एकर कुल मिलाए लगभग साढ़े-छह लाख लोक बाजैत छल । भारतक पश्चिम बंगालक कालिम्पोङ्ग शहरमे सेहो ई भाषा बाजनिहार किछ मातृभाषी प्रयोक्ता अछि । जोङ्खाकें तिब्बती लिपिमे लिखल जाइत अछि ।[१][२]

इतिहास[सम्पादन करी]

१७हम शताब्दी सँ जोङ्खा भाषा भुटानमे लोकप्रिय सञ्चार-भाषाक रूपमे प्रयोग कएल गेल अछि । सन् १९७१ मे भुटानक तेसर राजा जिगमेद दोर्जे वाङछ्युगद्वारा जोङ्खाकें भुटानक राष्ट्रिय भाषा घोषणा केनए छल । पहिने सेहो जोङ्खा भाषा औपचारिक लेखनमे प्रतिबद्ध छल । राष्ट्रिय भाषामे घोषणा भेलाक बाद सँ भुटानक विद्यालयसभमे एकटा अलग विषयमे राखि पठन पाठनक सुरुवात केनए छल आ सन् १९८६ मे भुटानक चारिम राजा जिगमेद सेङगे वाङछ्युगद्वारा जोङ्खाक उन्नतिक लेल एकटा स्वतन्त्र सरकारी कार्यालयक रूपमे जोङ्खा विकास आयोग (Dzongkha Development Commission) क स्थापना सेहो केलक । भुटानक सांस्कृतिक सम्पदाक संरक्षण आ भाषाक पदोन्नतिक रूपमे जोङ्खाक विशेष भूमिका भेलाक कारण भुटानी राष्ट्रिय सभाक बहुतेक सत्र सँ अधिक समर्थन सङ्ग जोङ्खा विकास दिस बहुतेक कार्यसभ आरम्भ कएल गेल छल ।[३]

भूगोल[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Constitution of the Kingdom of Bhutan. Art. 1, § 8" (PDF)। Government of Bhutan। 2008-07-18। मूल (PDF)सँ 2011-07-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2011-01-01 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. George, Van Driem; Tshering of Gaselô, Karma (1998). Dzongkha. Languages of the Greater Himalayan Region. I. Leiden, The Netherlands: Research CNWS, School of Asian, African, and Amerindian Studies, Leiden University. p. 3. ISBN 90-5789-002-X.
  3. http://www.dzongkha.gov.bt/intro/background.php

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]