ताजमहलक मूल तथा वास्तुकला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
ताजमहल, भारत

ताजमहल मुगल वास्तुकलाक सर्वाधिक परिष्कृत आ उत्कृष्ट उदाहरण प्रस्तुत करैत अछि । एकर उद्गम भारतक पैग भूभाग पर शासन केनिहार मुगल साम्राज्यक इस्लामी संस्कृति आ इतिहासक परिवर्तित परिस्थितिसभ पर आधारित अछि । एक विचलित मुगल बादशाह शाहजहाँद्वारा एक मकबरा अपन प्रिय पत्नी मुमताज महलक स्मृतिमे ओकर मरणोपरान्त बनबेने छल । आई ई एक सर्वाधिक प्रसिद्ध, प्रशंसित आ पहचानल जाइवला इमारत बनि गेल अछि । जतय एकर श्वेत सङ्गमर्मर गुम्बद वला भाग, ई इमारतक मुख्य भाग छी, ओतय एकर पूर्ण इमारत समूह बाग, बगैचा सहित २२.४४ हेक्टेयर[note १][१] मे विस्तृत अछि, तथा एहिमे सम्मिलित अछि अन्य गौण मकबरा, जल आपूर्ति अवसंरचना आ ताजगञ्जक छोट बस्ती, संगे नदीक उत्तरी छोर पर माहताब बाग सेहो एकर अभिन्न अङ्ग छी । एकर निर्माण सन् १६३२ (हिजरी अनुसार १०४१) मे यमुना नदीक दक्षिणी किनार पर, भारतक अग्रबाण, (आब आगरा नगरमे) आरम्भ भेल आ सन् १६४८ (हिजरी १०५८) मे पूर्ण भेल छल । एकर आकारक अभिकल्पना मुमताज महलक स्वर्गमे आवासक पार्थिव नकल तथा बादशाहक अधिप्रचार उपकरणक रूपमे कएल गेल छल ।

असलमे ताजमहल के अभिकल्पित केलक, एकर सम्बन्धमे बहुतेक कथा पिहानी अछि । मुदा ई सिद्ध अछि, कि एक पैग वास्तुकारसभ आ निर्माण विशेषज्ञसभक समूह समेत बादशाह स्वयं सेहो सक्रिय रूपसँ एहिमे शामिल छल । उस्ताद अहमद लाहौरीकें एक प्रधान वास्तुकारक रूपमे एकर श्रेयकें सर्वाधिक उपयुक्त व्यक्ति मानल जाइत अछि ।[१]

मुमताज आ शाहजहाँ[सम्पादन करी]

क्षेत्र[सम्पादन करी]

१६-१७ शताब्दी आगरा[सम्पादन करी]

अन्तरक्रियात्मक योजना[सम्पादन करी]

देखऽ कऽ लेल चित्र पर क्लिक करी

महताब बागयमुना नदी#चमेली फर्श#चमेली फर्श#चारबागमस्जिद#जवाब#मकबरा रौजा-ए-मुनव्वरा#विशाल द्वार – दरवाजा-ए-रौजा#दक्षिणी गलियारा इवान दर-ए-इवान#दक्षिणी गलियारा इवान दर-ए-इवान#जिलौखाना#सहेली बुर्ज#भितरी सहायक मकबरा (सहेली बुर्ज)#उत्तरी प्राङ्गण (खवासपुरा)#उत्तर प्राङ्गण#बाजार मार्ग#बाजार मार्ग#बाजार तथा कारवांसराय (ताजगञ्जी)#जल उद्यानTaj site plan.png
इस चित्र के बारे में

ताजमहल परिसरकें मुख्य रूपसँ पाँच भागसभमे बांटल जाए सकैत अछि:
. यमुना नदीक उत्तरमे चांदनी बाग
. नदीमुखी टैरेस, जहिमे मुख्य मकबरा, मस्जिद तथा जवाब इमारतसभ अछि ।
. चारबाग क्षेत्र, जहिमे मण्डप बनल अछि ।
. जिलौखाना, जहिमे मकबराक परिचरगणक आवास अछि, तथा अन्य गौण मकबरा अवस्थित अछि ।
. ताजगञ्जी, जे मूल रूपसँ एक बाजार तथा तत्कालिन मजदूरसभ आदि कऽ लेल कारीगर रूपी आवास स्थली छल, आ आब ओकर किछ अवशेषमात्र शेष अछि । जिलौखाना आ उद्यानक बीचमे पैग द्वार स्थित अछि ।
ताजगञ्जीसँ नदी दिस कनी-कनी करैत भूमि स्तर नीचा भेल जाइत अछि । परिसरक अन्य समकालीन निर्माणसभक सूची आ विवरणसभमे एकरा नदी भूभाग सँ ताजगञ्जीक दिशामे बतायल गेल अछि । [२]

मकबरा (रोजा-ए-मुनावरा)[सम्पादन करी]

एक वर्गाकार आधार पर बनल श्वेत सङ्गमर्मरक मकबरा ताज महलक केन्द्रबिन्दु अछि । ई एक सममितीय इमारत अछि, जहिमे एक इवान यानि अतीव विशाल वक्राकार (मेहराब रूपी) द्वार अछि । ई इमारतक उपर एक वृहत गुम्बद सुशोभित अछि । अधिकतर मुगल मकबरासभ जका एकर मूल अवयव फारसी उद्गमसँ अछि ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

टिप्पणी
  1. युनेस्को एकर बजार क्षेत्र, ताज गञ्जी आ महताब बागके ताजमहलक क्षेत्रमे नै राखने अछि जहिसँ ताजमहल आ ताजगञ्जी प्राचीन क्षेत्र जोड़ि एकर क्षेत्रफल २६.९५ हेक्टेयर होइत अछि ।
स्रोतसभ
  1. १.० १.१ "ICOMOS advisory body evaluation" (PDF), ICOMOS, १९८३, अभिगमन तिथि २००७-०३-२१ 
  2. कोच, पृ.112

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]