सामग्री पर जाएँ

दड़िभङ्गा जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(दरभंगा जिलासँ पुनर्निर्देशित)
दड़िभङ्गा जिला
बिहारक जिलासभ
मानचित्र जाहिमे दड़िभङ्गा जिला बिहारक जिलासभ हाइलाइटेड अछी
सूचना
राजधानी : दड़िभङ्गा
क्षेत्रफल : २२७९ किमी²
जनसंख्या(२०११):
 • घनत्व :
३९२१९७१
 १७००/किमी²
उपविभागसभ क नाम: विधानसभा सीटसभ
उपविभागसभ क संख्या: १२
मुख्य भाषा(एँ): मैथिली


दड़िभङ्गा जिला (हिन्दी: दड़िभङ्गा जिला, उर्दू: دربھنگہ ضلع‎‎) पूर्वी भारतक बिहार राज्यक ३८ जिलामे एक जिला छी। ई जिलाक मुख्यालय दड़िभङ्गा शहर छी। दड़िभङ्गा जिला दड़िभङ्गा प्रमण्डलक एक जिला छी। ई जिलाके उत्तरमे मधुबनी जिला, दक्षिणमे समस्तीपुर जिला, पूर्वमे सहर्षा जिला आ पश्चिममे सीतामढ़ी जिलामुजफ्फरपुर जिला अछि। ई जिला २,२७९ किमी के क्षेत्रफलमे फैलल अछि। दड़िभङ्गा शब्द फारसी भाषाक दर-ए-बङ्ग सँ आएल मानल जाइत अछि। सन् १८७५ मे तिरहुतसँ अलग करि दड़िभङ्गाक जिला बनाएल गेल छल। मिथिला क्षेत्रक ई जिला अपन प्राचीन संस्कृति, संस्कृत आ बौद्धिक परम्पराक लेल विख्यात रहल अछि। मिथिला संस्कृतिक केन्द्र रहल ई जिला आम, मखान तथा माछक लेल सेहो प्रसिद्ध अछि।

सन् १९७६ मे दड़िभङ्गा क्षेत्रके: मधुबनी जिलासमस्तीपुर जिलामे बाँटल गेल छल।[]

जनसङ्ख्या

[सम्पादन करी]

सन् २०११ क जनगणना अनुसार ई जिलाक कुल जनसङ्ख्या ३९,२१,९७१ अछि जे[] लाइबेरिया नामक राष्ट्र[] आ अमेरिकी राज्य ओरेगनक जनसङ्ख्यासँ बेसी अछि।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Law, Gwillim (२०११-०९-२५), "Districts of India", Statoids, अन्तिम पहुँच २०११-१०-११ 
  2. "District Census 2011", Census2011.co.in, २०११, अन्तिम पहुँच २०११-०९-३० 
  3. US Directorate of Intelligence, "Country Comparison:Population", मूलसँ २००७-०६-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०११-१०-०१, "Liberia 3,786,764 July 2011 est."  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. "2010 Resident Population Data", U. S. Census Bureau, मूलसँ २०१०-१२-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०११-०९-३०, "Oregon 3,831,074" 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]