आम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
आम
आँप
वैज्ञानिक वर्गीकरण
जगत: वनस्पति जगत
(श्रेणीविहीन): एन्जियोस्पर्म्स
(श्रेणीविहीन): युडिकोट्स
(श्रेणीविहीन): रोसिड्स
गण: Sapindales
परिवार: Anacardiaceae
उपकुल: Anacardioideae
वंश: म्याङ्गिफेरा
लिन्नियस.
पर्याय

Phanrangia Tardieu[१]

आम म्याङ्गिफेरा वर्गसँ सम्बन्धित तथा उष्ण हावापानी भेल स्थानमे उब्जैवला एक प्रकारक मिठ तथा खट्टा फल छी । एकर गाछ अत्यन्त उपयोगी, दीर्घजीवी, सघन तथा विशाल होइत अछि । फलक राजा कहि चिन्हल जाइवला आम नेपालमे पूर्वसँ पश्चिम तथा दक्षिणक तराई सँ पहाड (३,००० फिटक उचाईधरि) धरि पावल जाइत अछि । अनुकूल जलवायु भेलापर एकर गाछ करिब ५०-६० फिटधरि उँचा भ सकैत अछि । वैज्ञानिक वर्गीकरण वनस्पति जगतक ऐनाकार्डियेसी वर्गसँ सम्बन्धित आमक किछ गाछसभ बहुतेक उंच होइत अछि ।

आमक गाछ एक फूलफुलैवला जातिक, पैग स्थलीय वनस्पति छी । एकर फलमा दुई दलीय बिया होइत अछि । एकर फूल छोट-छोट आ समूहमे होइत अछि । आमक पत्ता सरल, लम्बा तथा शीर्षमे चोख होइत अछि । एकर जडि लम्बा आ बलगर होइत अछि । एकर फल एक बीज भेल सरस आ गुदीयुक्त होइत अछि । आमक फल विश्वप्रसिद्ध, स्वादिष्ट आ अत्यन्तै पौष्टिक फल छी एहिकारण एकरा फलसभक राजा सहो कहल जाइत अछि । एकर स्वाद कच्चामे खट्टा आ पाकलाकबाद मिठगर होइत अछि ।

भारतक केरल राज्यक एक आमक वृक्ष

औषधोपचार[सम्पादन करी]

  • कब्जियत आ अधिक वायु भेलापर:


सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Genus: Mangifera L.", Germplasm Resources Information Network, United States Department of Agriculture, २००९-११-२३, अभिगमन तिथि २०१०-०२-१२ 

वाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

प्राप्ति स्थल "https://mai.wikipedia.org/w/index.php?title=आम&oldid=118102"