दारांग जिला

दरङ् (Darrang) भारतक असम राज्यमे उत्तर-पश्चिमी क्षेत्रक प्रसिद्ध जिला छी, जेकर मुख्यालय मङ्गलदोईमे अछि। इ जिलाके उत्तरमे भुटान आ दफला पहाड़िसभ आर दक्षिणमे ब्रह्मपुत्र नदी अछि, जेकर अही ठामक व्यापार होइत अछि। नदी द्वारा निर्मित क्षेत्र होबsके कारण धान, राई, सरसो, गन्ना आर जूट अही ठाम अत्यधिक मात्रामे उत्पन्न होइत अछि। इ क्षेत्रमे चायके बागानसभक भरमार अछि। इ जिलामे चाय उत्पादनक कारखाना, रेशमके कीड़ा पालsक उद्योग तथा रेलवेक वर्कशॉप अछि। अही ठाम सँ तिब्बतक राजधानी लाशा कs जाइके लेल सुगम आर कम दूरी कs मार्ग अछि, जेकर अन्तिम छोर उड़लगुड़ीमे अछि। १,००० ईo के लगभग पाल राजासभक राजधानी तेजपुरमे छल, ताहि खातिर अही ठामके मन्दिरसभ तथा खन्डरसभमे शिल्पकला आर स्थापत्यकलाके दर्शीय नमूना छी।
इ जिलाक क्षेत्रफल - ३,४८१ वर्ग कि॰मी॰ आ जनसङ्ख्या - १५,०३,९४३ (२००१ जनगणना) अछि।