सामग्री पर जाएँ

नदिया के पार ( १९८२ फिल्म)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

नदिया के पार १९८२ मे बनल बलिउड फिल्म छी जेकर निर्देशन गोविन्द मुनिस केने छल। ई फ़िल्म उत्तर प्रदेशमे फिल्माएल गेल आ एहिमे मुख्य अभिनय भूमिकामे सचिन, साधना सिंह, इन्द्र ठाकुर, मिताली, सविता बजाज, शीला डेविड, लीला मिश्रा आ सोनी राठौड़ अछि।[] ई फिल्म केश्व प्रसाद मिश्रक हिन्दी उपन्यास कोहबर पर आधारित अछि। ई फ़िल्म उत्तर प्रदेशक अवध ओर पूर्वांचल क्षेत्रक स्थानीय भाषामे बनल अछि। ई अवधी भाषाक फिल्म अछि। अवधि भाषा लखनऊ, अयोध्या, रायबरेली, प्रतापगढ़, सुल्तानपुर, अम्बेडकरनगर, बस्ती, बहराइच, गोंडा,बाराबंकी आ आधा जौनपुर धरि बाजल जाइत अछि। फ़िल्मक शूटिंग जौनपुरमे भेल छल।[] अवधि भाषा आ भोजपुरी भाषा मे किछु शब्द समान अछि जाहि कारण सँ लोक एकरा भोजपुरी फिल्म बुझैत अछि जे पूर्णतः सही अछि।

फिल्मक निर्माण राजश्री प्रोडक्शन्सक बैनर तले भेल। एकरा तेलुगुमे प्रेमलयम नामसँ डब कएल गेल। एकर बाद १९९४ मे राजश्री प्रोडक्शन्स द्वारा हम आपके हैं कौन शीर्षकसँ पुनः निर्माण कएल गेल।

नदिया के पार
निर्देशक गोविन्द मुनिस
निर्माता ताराचंद बड़जात्या
अभिनेता सचिन, साधना सिंह
संगीतकार रवीन्द्र जैन
वितरक राजश्री प्रोडक्शन्स
प्रदर्शन तिथि १९८२
देश भारत
भाषा हिन्दी (भोजपुरी/अवधी)

पटकथासभ

[सम्पादन करी]

फ़िल्म क कहानी केशव प्रसाद मिश्र क हिन्दी उपन्यास कोहबर क शर्त क पहिल भाग पर आधारित अछि। एहि मे पूर्वी उत्तर प्रदेश मे रहनिहार एक ब्राह्मण किसानक चित्रण अछि जे अपन दूटा भतीजाक संग रहैत अछि। ओ बेमार भऽ जाइत अछि आ ओकर इलाजक लेल पड़ोसी गाम सँ वैद्य केँ बजाओल जाइत छैक। जखन किसान ठीक भऽ जाइत अछि तँ वैद्यसँ इलाजक खर्चक बारेमे पुछैत अछि। वैद्य किसानक पैघ भतीजा सँ अपन बेटीक विवाह करबाक बात करैत अछि। किसान तुरंत एकरा लेल सहमत भऽ जाइत अछि।

ओमकारक (इन्द्र ठाकुर) विवाह वैद्यक जेठ बेटी रूपा (मिताली) सँ भऽ जाइत अछि आ ओसभ एक सुखद जीवनक आरम्भ करैत अछि। रूपा एकटा बच्चा केँ जन्म दैत अछि। रूपक गर्भवती भेला पर ओकर छोट बहिन गुंजा (साधना सिंह) ओकरा संग रहबाक लेल अबैत अछि। एहि बीच ओ ओमकारक छोट भाइ चन्दन (सचिन) सँ प्रेम करए लगैत अछि।

रुपा केँ जखन हिनकर प्रेमक पता चलैत अछि तँ ओ हिनकर विवाह करवाक वचन दैत अछि। मुदा एकटा दुर्घटना मे ओकर मृत्यु भऽ जाइत छैक आ ओकरा अतिरिक्त परिवारक कोनो सदस्य नहि जनैत अछि जे ओ प्रेम सम्बन्धमे अछि। किसान आ वैद्य गुञ्जा ओम्कार सँ विवाह करए चाहैत छथि जाहि सँ ओ अपन बहिनक बच्चाक पालन पोषण कऽ सकए। जखन विवाहक सभ संस्कार चलैत रहैत अछि तखन गुंजा आ चन्दनक प्रेमक खुलासा होइत अछि। एकमतसँ गुन्जा आ चन्दनक विवाह भऽ जाइत अछि।

फिल्म में बहुत रास सुरीला संगीत अछि जाहि में कौन दिसा में लेके चला रे बटोहिया, जब तक पूरे ना हो फेरे सात, साँची कहे तोरे आवन से हमरे और जोगी जी वाह जोगी जी शामिल अछि |

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Nadiya Ke Paar (1982) ⭐ 8.1", IMDb, १८ जून १९८२, अन्तिम पहुँच १० नवम्बर २०२३ 
  2. "41साल पहले जौनपुर में हुई थी 'नदिया-के-पार' की शूटिंग: फिल्म के गाने आज भी बसते है लोगों के जेहन में, विजयीपुर गांव में हुई थी 90 प्रतिशत शूटिंग", Dainik Bhaskar (हिन्दीमे), १० अगस्त २०२३, अन्तिम पहुँच १० नवम्बर २०२३ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]