सामग्री पर जाएँ

नागाल्याण्ड

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नागाल्याण्ड
Nagaland
भारतक राज्य आ सङ्घीय राज्य क्षेत्रक राजधानीसभ
ऊपर दिससँ: कोहिमाक बाट, कपामोड़जु शिखर,फेक जिला, हर्नबिल महोत्सव
नागाल्याण्ड Nagalandक आधिकारिक लोगो
आदर्श वाक्य(सभ): 

एकता
 नागाल्याण्ड के स्थान  (लाल) in भारत  (गाढा खैरा) क अवस्थिति
 नागाल्याण्ड के स्थान  (लाल)

in भारत  (गाढा खैरा)

देश भारत
गठन१ दिसम्बर १९६३
राजधानीकोहिमा
सबसँ पैग शहरदिमापुर
जिलासभ१२
सरकार
 • राज्यपालआरएन रवी[]
 • नागाल्याण्डक मुख्यमन्त्री आ उपमुख्यमन्त्रीनेफियू रियो नेशनलिस्ट डेमोक्रेटिक प्रोग्रेसिव पार्टी[] आ यानथुङ्गो पाटोन (भाजपा)[]
 • विधान-सभाएक सदनीय (६० सिट)
 • संसदीय क्षेत्रराज्य सभा १
लोक सभा १
 • उच्च न्यायालयगुवाहाटी उच्च अदालत - कोहिमा बेञ्च
क्षेत्रफल
 • कुल१६५७९ किमी (६४०१ वर्गमाइल)
 • क्रम२६अम
उच्चतम उचाइ
[] (पर्वत सरामती)
३८२६ मिटर (१२५५२ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल१९८०६०२
 • क्रम२५अम
 • घनत्व११९/वर्ग किमी (३१०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+०५:३० (IST)
पिन कोड
७९७००१ - ७९८६२७[]
आइएसओ ३१६६ सङ्केतIN-NL
मानव विकास सूचीवृद्धि ०.६७६(मध्यम)
श्रेणी२०अम (२०१७)
साक्षरता८०.११% (१५हम)
आधिकारिक भाषाअङ्ग्रेजी
वेबसाइटnagaland.gov.in/

नागाल्याण्ड भारतक एक उत्तर पूर्वी राज्य छी। एकर राजधानी कोहिमा अछि, आ दीमापुर एहि राज्यक सबसँ पैग नगर छी। नागाल्याण्डक सीमा पश्चिममे असम सँ, उत्तरमे अरुणाचल प्रदेश सँ, पूर्वमे बर्मा सँ आ दक्षिणमे मणिपुर सँ मिलैत अछि। भारतक सन् २०११ कें जनगणनाक अनुसार, एकर क्षेत्रफल १६,५७९ वर्ग किलोमीटर अछि, आ जनसङ्ख्या १९,८०,६०२ अछि, जे एकरा भारतक सबसँ छोट राज्यमे सँ एक अछि।[]

नागाल्याण्ड राज्यमे कुल १६ जनजातिक लोकसभ बसोवास करैत अछि। प्रत्येक जनजाति अपन विशिष्ट रीति-रिवाज, भाषा आ पोशाककें कारण दोसर सँ भिन्न अछि।[] मुदा भाषा आ धर्ममे २टा सेतु अछि, जे ई जनजातिसभकें एकआपसमे जोड़ैत अछि। ई राज्यकें आधिकारिक भाषा अङ्ग्रेजी छी। अङ्ग्रेजी भाषामे एहिठाम पढ़ाओल जाएत अछि, आ एहिठाम अधिकांश बासी अङ्ग्रेजी भाषा बोलैत अछि। ई भारतक उ तीन राज्यमे सँ एक छी जाहिठाम ईसाई धर्मक अनुयायी जनसङ्ख्याक अनुसार खुब अछि।[][]

राज्य मे सन् १९५० कें दशकमे विद्रोह आ अन्तर-जातिक सङ्घर्ष देखने अछि। हिन्सा आ असुरक्षा नागाल्याण्डक आर्थिक विकासक सीमित कऽ देनए छल कारण एकर कानून व्यवस्था आ सुरक्षाक लेल अपन दुर्लभ संसाधनक प्रतिबद्ध करबाक छल।[१०][११] मुदा पिछला डेढ़ दशकमे ई राज्यमे हिन्सा बहुत कम भेल अछि जाहिसँ राज्यक वार्षिक आर्थिक विकास दर १०% कऽ आसपास पहुँचल अछि। ई पूर्वोत्तर क्षेत्रमे सबसँ तिब्र गतीसँ विकसित भऽ रहल राज्य बनि गेल अछि।

नागाल्याण्डक स्थापना १ दिसम्बर १९६३ मे भारतक १६हम राज्यक रूपमे भेल छल। असम घाटीक किनारमे बसल किछ क्षेत्रक छोड़िक ई राज्यक अधिकतर भूभाग पहाड़ी क्षेत्रमे अछि। ई राज्यक कुल क्षेत्रफलक मात्र ९% भाग समतल जमीन पर अछि। नागाल्याण्डमे सबसँ उँच शृङ्खला माउन्ट सरामती अछि जकर समुन्द्री सतह सँ उँचाई ३,८४० मीटर अछि। ई पहाड़ी आ एकर शृङ्खला नागाल्याण्ड आ बर्माक बीच प्राकृतिक अवरोधक निर्माण करैत अछि।[१२] ई राज्य वनस्पति आ जीवक समृद्ध विविधताक घर छी।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Singh, Vijaita (२२ जुलाई २०१९), "Naga issue: posting of interlocutor as Nagaland Governor unlikely to affect peace talks", The Hindu (en-INमे), अन्तिम पहुँच २३ जुलाई २०१९ 
  2. "Neiphiu Rio sworn in as Nagaland Chief Minister, becomes 1st Nagaland leader to take oath outside Raj Bhavan", The New Indian Express, ८ मार्च २०१८, मूलसँ ८ मार्च २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ मार्च २०१८ 
  3. "BJP to get deputy CM post in Nagaland", Times of India, ६ मार्च २०१८, मूलसँ ६ मार्च २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ मार्च २०१८ 
  4. "Mt. Saramati", kiphire.nic.in, अन्तिम पहुँच १३ अगस्त २०१९ 
  5. Department of Posts, Ministry of Communications, Government of India (१६ मार्च २०१७), "Village/Locality based Pin mapping as on 16th March 2017", data.gov.in, मूलसँ ११ अप्रैल २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ जून २०१८ 
  6. Census of India 2011 सङ्ग्रहित २०१३-०२-०७ वेब्याक मेसिन Govt of India
  7. Nagaland – State Human Development Report सङ्ग्रहित २१ अगस्त २०१४ वेब्याक मेसिन United Nations Development Programme (2005)
  8. Population by religious communities सङ्ग्रहित २०१०-०७-०१ वेब्याक मेसिन Census of India, 2001, Govt of India. The other jurisdictions with Christian majorities are Meghalaya and Mizoram.
  9. Gordon Pruett, Christianity, history, and culture in Nagaland, Indian Sociology, January 1974, vol. 8, no. 1, pp 51-65
  10. Charles Chasie (2005), Nagaland in Transition सङ्ग्रहित २०१६-०५-०१ वेब्याक मेसिन, India International Centre Quarterly, Vol. 32, No. 2/3, Where the Sun Rises When Shadows Fall: The North-east (MONSOON-WINTER 2005), pp. 253-264
  11. Charles Chasie, Nagaland सङ्ग्रहित १९ फरबरी २०१४ वेब्याक मेसिन, Institute of Developing Economies (2008)
  12. C.V. Prakash (2006), Encyclopedia of Northeast India, Vol. 5, Atlantic Publishers, आइएसबिएन ९७८-८१२६९०७०७६, pp. 2180-2181