सामग्री पर जाएँ

नित्या मेनन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नित्या मेनन
Nithya Menen
मेनन एक कार्यक्रममे
जन्म (१९८८-०४-०८) ८ अप्रैल १९८८ (उमर ३७)[]
राष्ट्रियताभारत
व्यवसायअभिनेत्री, पार्श्व गायिका
सक्रिय वर्ष२००५–वर्तमान


नित्या मेनन[][][] एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आ पार्श्व गायिका छी। ओ मुख्य रूप सँ कन्नड, मलयालम, तेलुगुतमिल चलचित्रसभमे अभिनय कएने छथि। नित्या अपन सशक्त अभिनय आ बहुआयामी पात्र निभाबऽ लेल प्रसिद्ध छथि। हुनका विभिन्न सम्मानसभ सँ सम्मानित कएल गेल अछि, जिनमे एकटा राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार, चारि टा फिल्मफेयर अवार्ड्स साउथ, दुई टा साउथ इंडियन इंटरनेशनल मूवी अवार्ड्स आ दुई टा नंदी अवार्ड्स शामिल अछि। []

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

नित्या मेननक जन्म ८ अप्रैल १९८८ के दिन बेंगलुरु, भारतमे एक मलयाली परिवारमे भेल छल। हुनक माता-पिता बेंगलुरु मे बसबास करैत छथि। हुनक प्रारम्भिक शिक्षा पूर्ण प्रज्ञा स्कूल आ माउंट कार्मेल कॉलेज, बेंगलुरु सँ भेल छल। प्रारम्भमे ओ पाइलट बनबाक इच्छा रखैत छलीह, मुदा बादमे हुनका ई पेशा मन नहि परल, आ तखन हुनक रुचि फिल्म निर्माण दिश बढल। स्कूलमे प्रवेश परीक्षा देबाक समयमे हुनक भेंट बी. वी. नन्दिनी रेड्डीसँ भेल, जिनका हुनका अभिनय क्षेत्रमे जाएब लेल प्रेरित कएल। नित्या बहुभाषी छथि आ मलयालम, कन्नड, तेलुगु, तमिल, हिन्दी आ अंग्रेजी सहित कूल छैटा भाषा बजि सकैत छथि। अभिनेत्री अपन पासपोर्ट लेल सुविधा होए, ताहि हेतु "मेनन" उपनाम अपनौलनि। []

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Nithya Menen Biography: Age, Height, Husband, Career, Movies, and Personal Life", Hindu Wire, ४ नवम्बर २०२४, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०२४ 
  2. "Melting pot India: I am not a Kerala kutti, Kannada my mother tongue, says Bangalore girl Nithya Menon", मूलसँ १५ अगस्त २०१७ मे सङ्ग्रहित। 
  3. "Nithya Menen Latest Photos", TFPC, १७ अप्रैल २०१५, मूलसँ १७ अप्रैल २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १७ अप्रैल २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. "'I'm not inclined towards commercial cinema'", Rediff, २० जनवरी २०११, अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०११ 
  5. Narasimham, M. L. (२२ जुलाई २०१०), "Arts / Cinema : Charm of romantic comedies", The Hindu (Chennai, India), अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०११ 
  6. "Nithya Menen Biography: Age, Height, Husband, Career, Movies, and Personal Life", Hindu Wire, ४ नवम्बर २०२४, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०२४ 
  7. "Nithya Menen Biography: Age, Height, Husband, Career, Movies, and Personal Life", Hindu Wire, ४ नवम्बर २०२४, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०२४ 

बाह्य जड़ीसभ

[सम्पादन करी]