निर्मल पुर्जा
व्यक्तिगत जानकारी | |
---|---|
जन्म | १९८२/१९८३[१] म्याग्दी, नेपाल |
राष्ट्रियता | नेपाली |
जीवन-यात्रा | |
आरम्भिक उमर | २९/३०[२] |
उल्लेखनीय चढ़ाई | एक सीजनमे (६ महिना ६ दिन आ न्यून्तापूरक अक्सिजन) ८००० मिटर सँ उँच सम्पूर्ण १४ टा शिखरक सफल आरोहण करऽवला पहिल व्यक्ति। सगरमाथा, लहोत्से आ मकालु शिखर मात्र ४८ घण्टामे सफल आरोहण केनिहार पहिल व्यक्ति।[३][४][५] |
निर्मल "निम्स" पुर्जा MBE (जन्म: १९८२/१९८३) एक नेपाली पर्वतारोही आ पूर्व गोर्खा विशेष नाव सेवा (एसबिएस) कऽ सैनिक छी, जे संयुक्त अधिराज्यक शाही नौ सेनाक एक विशिष्ट विशेष बल एकाई छी। निर्मल सन् २०१९ मे मात्र ६ महिना ६ दिनक कीर्तिमानी समयमे संसारक सम्पूर्ण १४ टा ८,००० मिटर सँ उँच हिमालय शिखरक सफल आरोहण करऽमे सफल भेल अछि।
प्रारम्भिक जीवनी[सम्पादन करी]
निर्मल पुर्जाक जन्म म्याग्दी जिलाक समुद्री सतह सँ १६०० मिटर उपर रहल अन्नपूर्ण गाउँपालिकाक दाना गाममे सन् १९८३ मे भेल छल आ पालन पोषण विशेष करि चितवन जिलामे भेल छल।[३] सन् २००३ मे ओ गोर्खा व्रिगेडमे सेवा आरम्भ केलक आ सन् २००९ मे विशेष नौ सैनिक सेवामे अपनाआपकेँ स्थापित केलक।[६] ओकर बाद ओ ठण्डी मौसम युद्ध विशेषज्ञक रुपमे विशेष बलमे अपन स्थान बनौलक।[२] सन् २०१८ मे ओ सैनिक सेवा सँ अवकाश लऽ अपन पुरा ध्यान पर्वतारोहण क्षेत्रमे केन्द्रित करि देलक।[७]
सन् २०१२ मे ओ अपन पहिल सभ सँ पैग पर्वतारोहण परियोजना आरम्भ केलक आ बिना कोनो पूर्व अनुभवकेँ लोबुचे पूर्व हिमालयकेँ सफल आरोहण करऽमे सफल भेल छल। सन् २०१४ मई १८ कऽ दिन ओ अपन जीवनक पहिल आठ-हजारी हिमालयक रुपमे धौलागिरी हिमालय (८,१६७ मिटर)क सफल आरोहण मात्र १५ दिनमे केनए छल।[८]एकर बाद ओ सन् २०१६ मई १३ कऽ दिन सगरमाथा हिमालयक सफल आरोहण केनए छल।[८] सन् २०१८ मई १५ कऽ दिन[८] पुर्जाद्वारा ब्रिटिश सेनाक २०० वर्षक गोर्खा सेवाक स्मरणक लेल १३ गोर्खा सैनिक सङ्गे मिल सगरमाथा आरोहण करवाक लेल गोरखा अभियान 'जी २०० ई' केँ नेतृत्व केनए छल।[९]
सन् २०१८ जुन ९ कऽ दिन हुनका उच्च उचाई भेल पर्वतारोहणमे उत्कृष्ट काजक लेल महारानी[७]द्वारा अर्डर अफ द ब्रिटिश एम्पायर (MBE) कऽ सदस्य नियुक्त कएल गेल छल।
प्रोजेक्ट पोसिबल १४/७[सम्पादन करी]
सात महिनामे १४ शिखरकेँ सफल आरोहण करवाक योजनाक सङ्ग, पुर्जा अपन पहिल आठ-हजारी शिखर आरोहणक आरम्भ सन् २०१९ अप्रैल २३ केँ दिन केलक आ सन् २०१९ मई २४ केँ अपन 'प्रोजेक्ट पोसिबल १४/७'[३] कऽ पहिल चरणमे सात-शिखरक आरोहण पूर्ण केलक जहिमे अन्नपूर्ण हिमालय, धौलागिरी हिमालय, कञ्चनजङ्घा पर्वत, ल्होत्से हिमालय, मकालु हिमालय, सगरमाथा आ नङ्गा पर्वत छल।[३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Record-chasing Nepali climber wants to inspire next generation", www.msn.com, अन्तिम पहुँच २६ अक्टुबर २०१९।
- ↑ २.० २.१ "Nirmal Purja: Nepali climber carving mountaineering history", Sportstar (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ३० अक्टुबर २०१९।
- ↑ ३.० ३.१ ३.२ ३.३ ""Project Possible" webpage.", अन्तिम पहुँच मई २६, २०१९।
- ↑ "Nirmal “Nims” Purja Summits All 14 8,000 Meter Peaks in Just 6 Months 6 Days, Shattering Former Record by Over 7 Years", Rock and Ice Magazine, अक्टुबर ३०, २०१९, अन्तिम पहुँच अक्टुबर २९, २०१९।
- ↑ BBC News, "Nirmal Purja: Ex-soldier climbs 14 highest mountains in seven months", BBC News, अन्तिम पहुँच २९ अक्टुबर २०१९।
- ↑ "Meet the man who climbed 14 mountains in six months and stunned the world", Red Bull (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ३० अक्टुबर २०१९।
- ↑ ७.० ७.१ "The London Gazette: Nirmal Purja MBE", जून ९, २०१८, अन्तिम पहुँच मई २६, २०१९।
- ↑ ८.० ८.१ ८.२ Dream Wanderlust (मई २४, २०१९), "Nirmal Purja summits 5th eight-thousander in 12 days, ends 1st phase of ‘Project Possible’", Dreamwanderlust.com.com, अन्तिम पहुँच मई २६, २०१९।
- ↑ "Gurkha Everest Expedition – Himalayan Odyssey", अन्तिम पहुँच मई २६, २०१९।