सामग्री पर जाएँ

पन्ना राष्ट्रिय उद्यान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पन्ना राष्ट्रिय उद्यान
पन्ना वन्यजीव अभयारण्य
Panna National Park
पन्ना राष्ट्रिय उद्यानमे बङ्गाल बाघ
पन्ना राष्ट्रिय उद्यानस्थानक नक्सा देखाबैत
पन्ना राष्ट्रिय उद्यानस्थानक नक्सा देखाबैत
मध्य प्रदेश, भारतमे स्थान
रहल स्थानपन्नाछतरपुर, मध्य प्रदेश, भारत
नजदिकक सहरपन्ना, खजुराहो (२५ किमी (१६ माइल))
निर्देशाङ्क२४°४३′४९.६″उ॰ ८०°०′३८.८″पू॰ / २४.७३०४४४°N ८०.०१०७७८°E / 24.730444; 80.010778
स्थापनासन् १९८१
पर्यटक२२५६३ (सन् २००९ मे)
सरकारी संस्थाभारत सरकार, वन आ पर्यावरण मन्त्रालय, प्रोजेक्ट टाइगर, मध्य प्रदेश

पन्ना राष्ट्रिय उद्यान (अङ्ग्रेजी: Panna National Park) भारतक मध्य प्रदेश राज्यक पन्नाछतरपुर जिलामे अवस्थित एक राष्ट्रिय उद्यान छी। सन् १९८१ मे एक जीवमण्डल भण्डारक रूपमे घोषित कएल गेल ई उद्यानक क्षेत्रफल ५४२.६७ वर्ग किलोमिटर अछि।[] एकरा सन् २०११ अगस्त २५ मे जीवमण्डल भण्डारक रूपमे नामित कएल गेल छल। पन्नाकेँ सन् २००७ मे भारतक पर्यटन मन्त्रालयद्वारा भारतक सर्वश्रेष्ठ रखरखाव वला राष्ट्रिय उद्यानक रूपमे उत्कृष्टताक पुरस्कार देल गेल छल। केन नदी ई राष्ट्रिय उद्यानक मुख्य आकर्षण छी। मानल जाइत अछि जे पाण्डव अप्पन अधिकांश समय पन्नामे व्यतीत करैत छल। एकर उल्लेख महाभारतमे सेहो अछि।[]

ई उद्यान ताडोबा उत्तर क्षेत्र, मोरहुली क्षेत्र आ कोलसा दक्षिण रेन्ज करि तीन क्षेत्रमे विभाजित अछि। उद्यानमे जेना ताडोबा नदी, ताडोबा ताल आ कोलासा तालसहित तीनटा जल स्रोत सेहो अछि। तीन क्षेत्रमे सफारीक अनुमति अछि[]

पन्ना राष्ट्रिय उद्यानक वनसभ केन घड़ियाल अभयारण्य आ आसन्न क्षेत्रीय विभाजनसभक सङ्ग ४०६ किलोमिटर (२५२ माइल) केन नदीक जलभण्डार क्षेत्रक एक महत्वपूर्ण भाग बनबैत अछि, जे ई निकुञ्जक माध्यमसँ लगभग ७२ किलोमिटर (४५ माइल) पूर्वोत्तर भागमे बहैत अछि। पन्ना राष्ट्रिय उद्यान आ उत्तर आ दक्षिण पन्ना वन प्रभागक आसपासक वन क्षेत्र उत्तरी मध्य प्रदेशमे वन्यजीव आश्रयस्थानक एकमात्र विशाल हिस्सा अछि। ई राष्ट्रिय उद्यान एक एहन स्थान पर स्थित अछि जतय उष्णकटिबन्धीय आ उपोष्णकटिबन्धीय शुष्क व्यापक पूर्ण वन क्षेत्र, जे दक्षिण भारतमे केप कोमोरिनसँ शुरू होइत अछि, ओकर निरन्तरता समाप्त भऽ जाइत अछि आ एकर बाद अपर गङ्गा मैदानक सुक्खापूर्ण वन आरम्भ होइत अछि। ई क्षेत्र प्राकृतिक सागौन वनसभक उत्तरी छोर अछि आ प्राकृतिक धौक वनसभक पूर्वी छोर अछि।

वनस्पति आ जीव

[सम्पादन करी]

उद्यानमे प्रमुख वनस्पतिसभमे सागौन, बाँस, बोसवेलिया आदि शामिल अछि। ई उद्यानमे अनेक दुर्लभ प्रजातिसभ आ लुप्तप्राय प्रजातिसभ देखल जा सकैत अछि। पन्ना राष्ट्रिय उद्यानमे वन्यजीवसभक दृश्य विन्ध्या पर्वत शृङ्खलाक हिस्सा छी। एतय पाओल जाए बला जानवरसभमे बाघ,[] भारतीय तेन्दुआ, चितल, चिन्कारा, नीलगाय, साम्भरभालु अछि। ई उद्यान २०० सँ बेसी प्रजातिक पक्षीसभक घर छी, जहिमे लाल सिर वाला गिद्ध आ भारतीय गिद्ध शामिल अछि। ई उद्यानमे गिद्धक छ टा प्रजाति पाओल जाइत अछि।

पन्नाक विशेषता उष्णकटिबन्धीय जलवायु अछि। ग्रीष्म ऋतु असहज रूपसँ गरम होइत अछि, एहि समयमे एतय अधिकतम तापमान ४५ डिग्री सेल्सियसधरि जा सकैत अछि।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Maurya, Sahitya (२१ मार्च २०२३), "National Park Of Madhya Pradesh", HerZindagi (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २० नवम्बर २०२३ 
  2. Field Director, Panna Tiger Reserve, "The Park", Welcome to the official website of Panna Tiger Reserve, Forest department of Madhya Pradesh, अन्तिम पहुँच ७ फरबरी २०१२ 
  3. "Forest Department Madhya Pradesh", Forest Department Madhya Pradesh, मूलसँ २० नवम्बर २०२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २० नवम्बर २०२३ 
  4. त्रिपाठी, अजय (२८ सितम्बर २०२३), "एमपी में एक अक्टूबर से फिर होंगे टाइगर के दीदार, तीन महीने बाद खुलेंगे नेशनल पार्क के गेट", hindi (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २० नवम्बर २०२३ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]