बिस्मिल्ला खाँ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
उस्ताद
बिस्मिल्ला खाँन
भारतरत्न लेते हुए
पृष्ठभूमि जानकारी
जन्म नामकुमरादिन खाँन
जन्म(१९१६-०३-२१)२१ मार्च १९१६
डुमराँव, बिहार, भारत
मृत्यु२१ अगस्त २००६(२००६-०८-२१) (९० वर्ष)
बनारस, उत्तर प्रदेश, भारत
शैलीहिंदुस्थानी शास्त्रीय संगीत
कार्यसभसंगितकार
बाद्ययन्त्रशहनाई
वेबसाइटhttp://ustadbismillahkhan.com/
सदस्यसभआफेक हैदर, सबिता आनन्द
पूर्व सदस्यसभजामिन हुसैन खाँन

उस्ताद बिस्मिल्ला खाँ (जन्म: २१ मार्च, १९१६ - मृत्यु: १ जनवरी, २००८) भारतक प्रख्यात शहनाई वादक छल। हिनकर जन्म डुमराँव, बिहारमे भेल छल। सन् २००१ मे हुनका भारतक सर्वोच्च सम्मान भारत रत्न सँ सम्मानित कएल गेल।

ओ तेसर भारतीय संगीतकार छल जिनका भारत रत्न सँ सम्मानित कएल गेल अछि।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

बिस्मिल्ला खाँक जन्म पैगम्बर खाँ आ मिट्ठान बाईक घरमे भेल छल। ओहि दिन भोरमे हुनकर पिता पैगम्बर बख्श राज दरबारमे शहनाई बजाबय लेल घरसँ निकलैबाक तैयारीमे छल कि हुनकर कानमे एकटा बच्चाक किलकारि सुनाइ पड़ल। ' बिस्मिल्लाह ' शब्द सहज रूप सँ ओकर मुह सँ निकलि गेल। ओ अल्ला केँ धन्यवाद देलनि। यद्यपि हुनकर बाल्यकालक नाम कमरुद्दीन छल।[१] मुदा ओ बिस्मिल्लाहक नामसँ जानल गेल।[२] ओ अपन माता - पिताक दोसर सन्तान छल। हिनकर खानदानक लोक दरवारी राग बजबामे माहिर छल जे बिहारक भोजपुर रियासतमे अपन संगीतक हुनर देखाबए लेल अक्सर जाइत छल। हिनकर पिता बिहारक डुमराँव रियासतक महाराजा केशव प्रसाद सिंहक दरबारमे शहनाई बजैत छलाह। बिस्मिल्लाह खानक परदादा हुसैन बख्श खान, दादा रसूल बख्श, चाचा गाजी बख्श खान आ पिता पैगम्बर बख्श खान शहनाई वादक छल। ६ वर्षक उमरमे बिस्मिल्ला खान अपन पिताक संग वाराणसी आबि गेल छल।[३] ओतए ओ अपन मामा अली बख्श 'विलायती' सँ शहनाई बजनाइ सिखलनि। हुनकर उस्ताद मामा 'विलायती' काशी विश्वनाथ मन्दिरमे स्थायी रूपसँ शहनाई-वादनक काज करैत छल।[४]

पारिवारिक जीवन[सम्पादन करी]

डाक टिकट

उस्तादक विवाह १६ वर्षक उमरमे मुग्गन खानमसँ भेल जे हुनकर मामा सादिक अलीक दोसर बेटी छल। हिनकासँ हिनका ९ टा संतान भेलनि। ओ हमेशा एकटा नीक पति साबित भेल। ओ अपन पत्नीकेँ बहुत प्रेम करैत छल। मुदा शहनाई केँ सेहो अपन दोसर बेगम कहैत छल। ओ ६६ गोटेक परिवारक पालन पोषण करैत छल आ अपन घरके कहियो बिस्मिल्लाह होटल सेहो कहैत छल। लगातार ३० - ३५ वर्ष धरि साधना, छह घंटाक दैनिक रियाज हुनक दिनचर्यामे शामिल छल। अलीबख्श मामूक निधनक बाद खान साहेब अकेले ६० वर्ष धरि एहि साज कें उच्च स्थान धरि पहुँचाओलन्हि।

संस्कृति के प्रतीक[सम्पादन करी]

यद्यपि बिस्मिल्ला खान मुसलमान छल, तैयो ओ अन्य हिन्दुस्तानी संगीतकारसभ जकाँ धार्मिक रीति-रिवाजसभक प्रबल समर्थक छल। बाबा विश्वनाथक नगरीक बिस्मिल्लाह खान एकटा विचित्र मुदा अनुकरणीय अर्थमे धार्मिक छलाह। ओ काशीक बाबा विश्वनाथ मंदिरमे जा कऽ शहनाई बजैत छलाह, एकर अतिरिक्त ओ गंगा नदीक किनारमे बैसि घंटो रियाज सेहो करैत छलाह। ओ पाँच बेर नमाज पढ़ैत छलाह, उत्सव सभमे भाग लैत छलाह मुदा रमजानमे व्रत करैत छलाह। बनारस छोड़बाक विचारसँ ओ एहि लेल व्यथित होइत छलाह जे गंगाजी आ काशी विश्वनाथसँ दूर नहि रहि सकैत छलाह। ओ सभ जाति-पातिक भेद नहि मानैत छलाह। संगीत हिनकर धर्म छलनि। ओ सभ वास्तव मे हमरा सभक साझा संस्कृतिक एक सशक्त प्रतीक छलाह।

पुरस्कार एवं उपलब्धि[सम्पादन करी]

  • भारत रत्न – २००१ मे बिस्मिल्ला खान कए भारत क सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार भारत रत्न स सम्मानित कैल गेल छल।[५]
  • पद्म विभूषण – १९८० मे हुनका पद्म विभूषा स सम्मानित कैल गेल छल जे देश क दोसर सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार अछि।
  • पद्म भूषण – भारत केरऽ तेसरऽ सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार हुनका वर्ष १९६८ म॑ देलऽ गेलऽ छेलै।
  • पद्मश्री – वर्ष १९६१ में बिस्मिल्ला खान को राष्ट्र के चारिम सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार से सम्मानित किया गया |
  • संगीत नाटक अकादमी पुरस्कार – ई पुरस्कार भारत केरऽ राष्ट्रीय संगीत, नृत्य आरू नाटक अकादमी न॑ हुनका वर्ष १९५६ म॑ देल॑ छेलै।
  • तानसेन पुरस्कार – संगीत के क्षेत्र में योगदान के लेल मध्य प्रदेश सरकार हुनका तानसेन पुरस्कार स सम्मानित केलक।
  • तलर मौसी – ई पुरस्कार हुनका ईरान गणराज्य द्वारा वर्ष १९९२ मे देल गेल छल |

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. बाजपेयी, मनुश्री (21 August 2023)। "Bismillah Khan Death Anniversary: कमरुद्दीन से ऐसे बने थे बिस्मिल्लाह खां, काशी में आज भी बसती है उनकी रूह"Zee News Hindi (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 19 November 2023
  2. "Biography of Ustad Bismillah Khan - from GeoCities"मूलसँ 2005-05-21 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2006-08-24 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. Bharatvarsh, TV9 (21 August 2022)। "शहनाई बजाकर किया था उस्ताद बिस्मिल्ला खां ने भारत की आजादी का स्वागत, 'भारत रत्न' से हुए थे सम्मानित"TV9 Bharatvarsh (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 19 November 2023{{cite web}}: CS1 maint: numeric names: authors list (link)
  4. "Bismillah-Khan, Britannica.com"। अन्तिम पहुँच 27 February 2023
  5. "Childhood, Family, Contribution to Shehnai Music, Facts"Cultural India। 21 August 2006। अन्तिम पहुँच 19 November 2023

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]