सामग्री पर जाएँ

बुद्ध स्मृति उद्यान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बुद्ध स्मृति उद्यान
बुद्ध स्मृति पार्क
Buddha Memorial Park
बुद्ध स्मृति उद्यानमे रहल पाटलिपुत्र करुणा स्तूप
पटनामे स्थान
प्रकारशहरी उद्यान
स्थानफ्रेजर रोड, पटना, भारत
निर्देशाङ्क२५°३६′२४″उ॰ ८५°८′१०″पू॰ / २५.६०६६७°N ८५.१३६११°E / 25.60667; 85.13611निर्देशाङ्क: २५°३६′२४″उ॰ ८५°८′१०″पू॰ / २५.६०६६७°N ८५.१३६११°E / 25.60667; 85.13611
क्षेत्रफल२२ एकड़
सञ्चालनकर्ताबिहार शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम[]
खुलाखुला
अवस्थासक्रिय
संरचना निर्माण लागत१२५ करोड (युएस$१८.८७ मिलियन)[]
वेबसाइटbuddha-smriti-park.com

बुद्ध स्मृति उद्यान बिहारक राजधानी पटनाक पटना जङ्क्सन रेलवे स्टेसन नजदिके २२ एकड़ ज़मीन पर १२५ करोड़ रुपया केर लागतसँ बनल एक उद्यान छी। एकर मध्य भागमे २०० फिट ऊँच एक स्तूप बनाएल गेल अछि। एहि उद्यानमे छ टा देशसभसँ लाएल गेल 'बुद्ध अस्थि अवशेष' कऽ मञ्जुषासभ राखल गेल अछि। सन् २०१० मई २७ कऽ बुद्ध पूर्णिमाक दिन तिब्बतीसभक धर्मगुरु दलाई लामाद्वारा ई उद्यान जनतासभक लेल समर्पित कएल गेल छल। ओ ई स्तूपकेँ पाटलिपुत्र करुणा स्तूपक नाम देनए छल। दुनिया भरि सँ पटना आएल बौद्ध पर्यटकसभक लेल ई एक आकर्षणक केन्द्र छी।

पार्कक निर्माण ओहि स्थान पर कएल गेल अछि जतय कहियो ब्रिटिश कालक ऐतिहासिक बाँकीपुर केन्द्रीय जेल मौजूद छल। पटनाक बाहरी इलाका बेउरमे एक टा नव केन्द्रीय जेल निर्माण भेलाक बाद ई पार्कक काम आरम्भ कएल गेल छल।[] ई पार्क बिहारक मुख्यमन्त्री नीतीश कुमारक दिमागक उपज छी। तिब्बती आध्यात्मिक नेता, दलाई लामा ई बुद्ध स्मृति पार्कक सन् २०१० मई २७ केँ उद्घाटन केनए छल[] आ दुई टा पौधा रोपने छल जहिमे सँ एक टा पौधा बोधगयासँ लाएल गेल छल आ दोसर पवित्र बोधि वृक्षक पौधा श्रीलङ्काक अनुराधापुरासँ लाएल गेल छल। मानल जाएत अछि कि बोधगयामे मूल महाबोधि वृक्षक एक शाखाकेँ सम्राट अशोकक पुत्र महेन्द्रद्वारा श्रीलङ्काक अनुराधापुरसँ लऽ गेल छल।[][]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sobriety first for Buddhist conclave", telegraphindia.com, Yahoo News, ४ जनवरी २०१३, अन्तिम पहुँच १९ मार्च २०१५
  2. AAROHI KESHAV (१६ फरबरी २०११), "Odd timings keep monks away from Buddha park", The Telegraph, मूलसँ ४ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १९ मार्च २०१५
  3. "Patna has lost its charm", The Times of India, B K Mishra, TNN, ६ मई २०१२, अन्तिम पहुँच १९ मार्च २०१५
  4. 1 2 "Dalai Lama Inaugurates Buddha Park", dalailama.com, २८ मई २०१०, मूलसँ ४ अगस्त २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १९ मार्च २०१५
  5. Sacred tree sapling planted at Patna s Buddha park The Times of India. Retrieved 16 Nov 2010