सामग्री पर जाएँ

भुटानी ङ्गुल्ट्रुम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ङ्गुल्ट्रुम
Ngultrum
लुआ त्रुटि package.lua में पंक्ति 80 पर: module 'Module:Lang/configuration' not found।
५०० ङ्गुल्ट्रुम
आइएसओ ४२१७
कोडBTN (numeric: 064)
उप एकाई0.०१
एकाई
मुद्रानु.
मूल्यवर्ग
उपएकाई
१००छेरटुम
चिन्ह
 छेरटुमछ.
बैंक नोटनु.१, नु.५, नु.१०, नु.२०, नु.५०, नु.१००, नु.५००, नु.१०००[][]
सिक्का
 अतिकम प्रयुक्तछ.५, छ.१०, छ.२५, छ.५०, नु.१ नु.३
जनसाङ्ख्यिकी
प्रयोक्ता(सभ) भुटान (भारतीय रुपयाक सङ्ग)
जारीकर्ता
मौद्रिक प्राधिकरणभुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण
 वेबसाइटrma.org.bt
मूल्याङ्कन
मुद्रास्फीति५.२%
 स्रोत'भुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण', सन् २०१५ अनु.
नियन्त्रित मुद्राभारत भारतीय रुपया (बराबर)

ङ्गुल्ट्रुम (जोङ्खा भाषा:དངུལ་ཀྲམ, [ŋýˈʈúm], अङ्ग्रेजी: Ngultrum प्रतीक : Nu., कोड : BTN) भुटान साम्राज्यक मुद्रा छी। एकरा १०० छेरटुम (ཕྱེད་ཏམ, [pt͡ɕʰɛ́ˈtám])मे विभाजित कएल अछि, जे सन् १९७९ धरि सिक्का पर 'छेरटुम' कऽ रूपमे लिखल जाएत छल। भुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण, ङ्गुल्ट्रुम बैङ्क नोट आ सिक्कासभक खनन प्राधिकरण छी। ङ्गुल्ट्रुम केर वर्तमान समयमे समताक रूपमे भारतीय रुपयाक बराबर आँकल गेल अछि।

शब्दोपत्ति

[सम्पादन करी]

ङ्गुल्ट्रुम शब्दक व्युत्पत्ति जोङ्खा भाषा के 'ङ्गुल,' (अर्थ- चाँदी) आ मैथिलीक 'ट्रुम' (अर्थ- पैसा)सँ मिल बनल अछि।[]

सन् १७८९ धरि, कुच बिहार टकसालक सिक्का भुटानमे फैल गेल छल। एकर बाद, भुटान अप्पन सिक्कासभ स्वयं जारी केनाए सुरु कएल छल जकरा 'छेरटुम' कऽ नामसँ जानल जाएत छल। एहिमे बेसी सँ बेसी चाँदी केर अठन्नी छल। सन् १९२९ धरि मात्र एक प्रकारक अङ्कित कएल चाँदी आ ताम्बा केर सिक्का जारी कएल गेल छल, जब आधुनिक शैली केर चाँदीक रुपयाक सिक्का पेश कएल गेल। एकर बाद सन् १९३१ मे काँसक १ पैसा (सन् १९२८ दिनाङ्क) आएल।[]

ओकर बाद निकलक अठन्नी (१⁄२ रुपया केर सिक्का) सन् १९५० मे पेश कएल गेल छल। जतय कुचबिहार टकसालक सिक्कासभ भुटानक अप्पन सिक्कासभक सङ्ग परिचालित रहल आ सन् १९५७ मे दाशमिक मुद्रावली क प्रयोग आरम्भ भेल छल। एकर अनुसार सिक्कासभक भुटानक प्रथम अङ्कमे नबका पैसाक रूपमे पेश कएल गेल छल। सन् १९६६ मे २५ नबका पैसा, ५० नबका पैसा आ १ रुपयाक सिक्के जारी कएल गेल छल, जे कि ताम्र निकलक छल।[]

जतय भुटानी सरकार सन् १९६० केर दशकमे अप्पन अर्थव्यवस्था विकसित केलक आ सन् १९६८ मे मौद्रीकरणक बाद बैङ्क अफ भुटानक स्थापना भेल छल। सन् १९७४ मे मौद्रिक सुधार भेलाक बाद भुटान सरकारद्वारा आधिकारिक तौर पर ङ्गुल्ट्रुम केर १०० छेरटुमक बराबर १ ङ्गुल्ट्रुमक रूपमे स्थापित केनए छल। ङ्गुल्ट्रुम अप्पन मूल्य केर पहिने जका भारतीय रुपयाक बराबर राखलक आ भुटानी सिक्का सेहो ई तथ्य केर बनाए राखलक।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "BanknoteNews – Breaking news about world paper money. Powered by the Banknote Book", banknotenews.com, मूलसँ २०१६-०१-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००८-११-१३ 
  2. Bhutan issues new 50- and 1,000-ngultrum notes सङ्ग्रहित २०१६-०३-०५ वेब्याक मेसिन BanknoteNews.com. Retrieved 2011-10-15.
  3. Berlin, Howard M. (२४ अक्टुबर २००८), "World Monetary Units: An Historical Dictionary, Country by Country", McFarland, मूलसँ १ मई २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ नवंबर २०१९ – Google Booksद्वारा। 
  4. "Currency Information: Bhutanese Rupee", ExchangeRate.com, मूलसँ २ अक्तूबर २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ सितम्बर २०१६ 
  5. "Currency Information: Bhutanese Rupee", ExchangeRate.com, मूलसँ २ अक्तूबर २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ सितम्बर २०१६ 
  6. "Royal Monetary Authority of Bhutan - History", rma.org.bt, मूलसँ ५ अक्तूबर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ अप्रैल २०१८