मीरा शङ्कर
मीरा शङ्कर Meera Shankar | |
---|---|
![]() सन् २०१० मे युएस-इन्डिया पिपल टू पिपल सम्मेलनमे मीरा शङ्कर | |
अमेरिकाक लेल भारतीय राजदूत | |
कार्यकाल २००९–२०११ | |
पूर्वाधिकारी | रोनेन सेन |
उतराधिकारी | निरुपमा राव |
मीरा शङ्कर (जन्म ९ अक्टुबर १९५०) एक भारतीय महिला राजनयिक छी जे संयुक्त राज्य अमेरिकामे भारतक राजदूतक रूपमे २६ अप्रैल, २००९ सँ २०११ धरि काज केनए अछि।[१][२] ओ संयुक्त राज्य अमेरिकामे भारतक दोसर महिला राजदूत छल, जतय कि प्रथम भारतीय महिला राजदूत विजयलक्ष्मी नेहरू पण्डित छल। एकर बाद १ अगस्त २०११ कें निरुपमा राव ई पद पर आसिन भेल्हिन।
मीरा सन् १९७३ ब्याचक अधिकारी छल आ ओ वासिङ्टन डिसीमे सन् १९९१ सँ सन् १९९५ धरि काज केनए छल। हिनका सँ पहिने राजदूत पद पर रोनेन सेन छल।
शुरुआती जीवन आ पेशा
[सम्पादन करी]मीरा शङ्कर नैनीतालमे सेन्ट मेरी कोन्वेन्ट विद्यालयमे अध्ययन केनए छल आ सन् १९७३ मे भारतीय विदेश सेवामे शामिल भेल छल। शङ्कर सन् १९८५ सँ १९९१ धरि प्रधानमन्त्री कार्यालयमे निर्देशकक रूपमे आ सन् १९९१ सँ सन् १९९५ धरि वाणिज्य आ उद्योग मन्त्रालयमे काज केनए छल। विदेश मन्त्रालयमे सेवा करैत काल ओ दक्षिण एशियाली क्षेत्रीय सहयोग सङ्घ सँ जुड़ल दुई महत्वपूर्ण विभागसभक नेतृत्व केनए छल जहिमे (सार्क) आ नेपाल आ भूटान देशक साथ सम्बन्धसभक जिम्मेदारी छल। सन् २००९ सँ पहिने ओ बर्लिन, जर्मनीमे भारतक राजदूतक रूपमे काज केनए छल। मीरा शङ्कर बाजपेयीक बाद दुई सँ अधिक दशकक बाद वाशिङ्गटनमे तैनात होमए वाली पहिल सेवारत राजनयिक छल। सन् २००३ मे मीरा अतिरिक्त सचिवक पद प्राप्त करि संयुक्त राष्ट्र आ अन्तर्राष्ट्रिय सुरक्षाक जिम्मेदारी सम्भाललक।
अन्य गतिविधिसभ
[सम्पादन करी]मीरा शङ्कर ड्यूश बैंकक अल्फ्रेड हेरोसेन गेसलसफ्टक न्यासी बोर्डमे शामिल भेल छल।[३] सन् २०१२ मे ओ भारतीय समूह आइटिसीक निर्देशक मण्डलमे चुनि कऽ गेल पहिल महिला बनल।[४]
व्यक्तिगत जीवन
[सम्पादन करी]मीरा सन् १९७३ ब्याचक भारतीय प्रशासनिक सेवाक अधिकारी अजय शङ्कर सँ विवाह केनए अछि। हिनकर एक बेटी अछि जकर नाम प्रिया छी।[५]
विवाद
[सम्पादन करी]मीरा सन् २०१० दिसम्बरमे ज्याक्सन-मेडगार विले एभर्स अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल पर भेल जाँचक बाद चर्चामे आबि गेल छल आ एहन भारतीय महत्वपूर्ण व्यक्तिसभक सूचीमे शामिल भऽ गेल, जे अमेरिकी विमानस्थल पर फ्रिस्किङ्ग या क्विजिङ्ग सँ गुजरल होए। ई घटनाक कारण भारत सँ राजनयिक विरोध भेल छल।[६]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Meera shankar, "Meera shankar", News.google.com, अन्तिम पहुँच २०१२-१०-१४।
- ↑ "Welcome to Embassy of India, Washington D C, USA", www.indianembassy.org, अन्तिम पहुँच २०१९-०२-१८।
- ↑ Board of Trustees सङ्ग्रहित २०१८-०८-२० वेब्याक मेसिन Alfred Herrhausen Gesellschaft of Deutsche Bank.
- ↑ Mukherjee, Writankar (४ अगस्त २०१२), "ITC inducts Meera Shankar in its board as the first women ever", The Times Of India, मूलसँ ५ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ७ अगस्त २०१७।
- ↑ Scott, Gail (२८ मार्च २०११), "Private Indian Couple Dedicates Careers to Public Service", Washington Diplomat, अन्तिम पहुँच ७ अगस्त २०१७।
- ↑ "After pat-down, US pats Meera", The Economic Times, ११ दिसम्बर २०१०, मूलसँ १४ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १३ मार्च २०१६।