सामग्री पर जाएँ

मुनमुन सेन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मुनमुन सेन
Moon Moon Sen
संसदक सदस्य
कार्यकाल
२०१४
पूर्वाधिकारीबासुदेव आचार्य
निर्वाचन क्षेत्रबन्कुरा, पश्चिम बङ्गाल
व्यैक्तिक विवरण
जन्म (१९५४-०३-२८) २८ मार्च १९५४ (उमर ७१)[]
कोलकाता, पश्चिम बङ्गाल, भारत
राजनैतिक दलतृणमूल काङ्ग्रेस
जीवनसाथीभरत देव वर्मा (१९७८–वर्तमान)
बाल बच्चाराइमा सेन
रिया सेन
अभिभावक(s)दिबनाथ सेन
सुचित्रा सेन
निवास(s)कोलकाता, पश्चिम बङ्गाल, भारत
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानसमरविले कलेज, अक्सफोर्ड
जादवपुर युनिवर्सिटी
व्यवसायअभिनेत्री

मुन मुन सेन , जकरा मुनमुन सेनक रुपमे सेहो जनाल जाएत अछि, (जन्म २८ मार्च सन् १९५४)[] एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री, जे बङ्गाली, हिन्दी, तमिल, तेलगु, मलयालम, मराठीकन्नड चलचित्र सभमे अपन अभिनयक लेल जानल जाएत अछि। ओ अन्तत:बलिउड चलचित्रमे अभिनय केलक। ओ लगभग ६० टा चलचित्रसबमे आ ४० टा टेलिभिजन श्रृंखलासभमे अभिनय केनए अछि। चलचित्र सिरिवेनेला मे हुनकर भुमिकाक लेल हनका सन् १९८७ मे सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेत्रीक लेल आन्ध्र प्रदेश राज्यक नन्दी पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

मुनमुन सेनक जन्म कोलकातामे एक हिन्दु परिवारमे लोकप्रिय बङगाली अभिनेत्री सुचित्रा सेन आ दिबानाथ सेनक घर भेल छल। हुनकर पिता, बल्लीगङज प्लेस, कोलकाताक सबसँ धनी व्यापारिसभमे सँ एक छल, आदिनाथ सेन। हुनकर दादा दीनानाथ सेन छल जे दिवान या त्रिपुराक महाराजाक एक मन्त्री छल।

ओ लोरेटो कन्वेन्ट, शिलोङग आ लोरेटो हाउस, कोलकातामे शिक्षित आर्जन केनए अछि। ओ सोमरविले कलेज, अक्सफोर्ड सँ अपन स्नातक कऽ पढाई पुरा केलक आ कोलकाताक जादवपुर विश्वविद्यालय सँ तुलनात्मक साहित्यमे स्नातकोत्तरक अध्यन पुरा केलक।[][]

बचपनमे, सेन भारतक महान कलाकारसभमे सँ एक, जैमिनी रोय सँ चित्रकारी सिखने छल।[] हुनका पेन्टिङ्ग करनाए आ प्राचीन वस्तुसभक संग्रह करनाए बहुत पसन्द अछि। सन् २००२ मे एक अन्तर्वार्तामे, ओ कहने छल कि ओ एक सालक लेल बल्लीगङज सरकारी हाई स्कुलमे पढेलक आ फेर फिल्म तकनीक सिखबै वाला स्कुल चितरबानीमे ग्राफिक्स पढेलक।[] ओ सामाजिक कार्यसभमे सेहो सक्रिय छल आ ओ विवाह सँ पुर्व सेहो एक बच्चा गोद लेबक बारेमे सोचने छल।[] सेन फिल्मसभमे आबै सँ पहिले कोलकाताक एक जानल-मानल ब्वायज स्कुल (बल्लीगङज सरकारी हाई स्कुल) मे अङ्ग्रेजी ब पढेलक।

अभिनय कैरियर

[सम्पादन करी]

मुनमुन सेन विवाह आ मातृत्वक बाद फिल्म आ टेलिभिजनसभमे अपन कैरियर शुरू केलक। ओ अन्दर बहार सन् (१९८४) सँ अपन प्रथम शुरुवात केलक। [] ओ फिल्ममे हुनकर साहसी भूमिका जाहिर तौर पर विवादक आन्धी पैदा करि देलक।

माधुरी दीक्षितक सङ्ग एक सस्पेन्स थ्रिलर १००डेज (सन् १९९१ चलचित्र)१०० डेज मे अभिनय केनेए छल। ओकर बाद ओ चलचित्र जख्मी दिल(सन् १९९४) बाद ओ सन् २००३ धरि तक कोनो चलचित्रमे देखाए नै देने छल जब ओ असफल थ्रिलर चलचित्र कुछ तो हैमे अभिनय केलक। ओ अपन माता सुचित्रा सेनक सफलताक मुकाबला नै करि सकल। ओ एक तेलुगु फिल्म सिरिवीनेलामे अभिनय करैत छल, जकार निर्देशन महान तेलुगु निर्देशक के.विश्वनाथ द्वारा कएल गेल छल।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

पुरस्कारसभ

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. १.० १.१ "Sixteenth Lok Sabha – Members Bioprofile – Varma, Smt. Dev (Moon Moon Sen)", Parliament of India – Lok Sabha, अन्तिम पहुँच १४ दिसम्बर २०१६ 
  2. "Moon Moon Sen Biography", मूलसँ २६ अगस्त २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ अगस्त २०१८ 
  3. ३.० ३.१ "Focus on IIFCL refinance to pump in Rs 75,000 crore", ६ जनवरी २००९, मूलसँ १ मई २०१० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३० मार्च २०१९ 
  4. "Sorry", Indianexpress.com, अन्तिम पहुँच ६ जुलाई २०१२ 
  5. "Sorry", Screenindia.com, मूलसँ ३१ जनवरी २००८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ जुलाई २०१२ 
  6. "The Tribune, Chandigarh, India - NCR stories" 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]