सामग्री पर जाएँ

मृणाल ठाकुर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मृणाल ठाकुर
Mrunal Thakur
जन्म
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षाटिवाइबिएमएम (पत्रकारिता)
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२०१२–वर्तमान
प्रसिद्धि कारणकुमकुम भाग्य
सुपर ३०
बाटला हाउस

मृणाल ठाकुर एक भारतीय अभिनेत्री छी जे बलिउड, मराठी चलचित्रसभ आ भारतीय धारावाहिकसभमे अभिनय करैत अछि । ओ कुमकुम भाग्यमे बुलबुलक भूमिकाक लेल जानल जाएत अछि । ओ तबरेज नुरानी आ डेभिड वोमार्कक २०१८ कऽ चलचित्र लभ सोनियामे मुख्य भूमिका निभेलक । सन् २०१९ मे, ठाकुर बायोग्राफिकल नाटक सुपर ३० आ एक्शन थ्रिलर बाटला हाउस सँ हिन्दी सिनेमामे प्रवेश केलक, ई दुनु चलचित्र अत्यधिक सफल रहल ।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

हुनकर जन्म एक मराठा हिन्दू परिवारमे भेल छल । हुनकर दु सहोदर, एक बड़की बहीन लोचन आ एक छोटका भाए अछि । ओ केसी कौलेज सँ मास मिडिया (पत्रकारिता) मे स्नातक पूरा केलक ।[]

कौलेजमे प्रवेश लेलाक बाद ओ स्टार प्लसक धारावाहिक 'मुझसे कुछ कहती... ये खामोशियाँ' सँ अपन छोट पर्दा अभिनयकें पदार्पण केनए छल। ई धारावाहिकमे ओ मोहित सहगलक विपरीत गौरी भोसलेकें रूपमे किरदार केनए छल। ओकर बाद ओ स्टार प्लसक एक आओर धारावाहिक 'हर युग में आयेगा एक अर्जुन' मे एक पत्रकारक भूमिका केनए छल। एहि वाहेक ओ बरुन सोबतीक सङ्ग 'दो फूल चाल माली' नामक एक हिन्दी नाटकमे सेहो मेजबानी केनए छल, जकरा मनोज वर्मा आ 'इस प्यार को क्या नाम दूं' कऽ टिम निर्देशित केनए छल। ई नाटक सन् २०१३ अप्रैल २० कें दुबईमे देखाएल गेल छल। ओ जी टिभीकें धारावाहिक कुमकुम भाग्यमे अरजित तनेजाक विपरीत मुख्य भूमिका केनए छल।

मराठी चलचित्र 'भिटी डान्डू' सँ अभिनय क्षेत्रमे पदार्पण केनए छल। एकर बाद ओ मराठी चलचित्र 'सुरज्या' मे सेहो अभिनय केनए छल। ठाकुर बलिउड चलचित्र सुपर ३० सँ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे अभिनय आरम्भ केनए अछि एहि चलचित्रमे ओ ऋतिक रोशनक सङ्ग मुख्य किरदार केनए अछि। सुपर ३० जे पटनाक विद्वान आनन्द कुमारक जीवन पर आधारित अछि, जे प्रति वर्ष आइआइटी संयुक्त प्रवेश परीक्षाक लेल ३० योग्य, आर्थिक रूप सँ पिछड़ल छात्रसभकें सफलताक साथ प्रशिक्षित करैत अछि। ओना तँ मृणाल ठाकुर सन् २०१८ मे भारतीय-अमेरिकी चलचित्र 'लभ सोनिया' मे सेहो काज केनए छल।

चलचित्रसभ

[सम्पादन करी]
बर्षशीर्षकभूमिकानिर्देशकनोटसभ
२०१४ भिटी डान्डू संध्या गणेश कदम डेब्यू
सुराज्य डा स्वप्ना भोसले सन्तोष मांजरेकर

भारतीय-अमेरिकी

[सम्पादन करी]
बर्षशीर्षकभूमिकानिर्देशकनोटसभ
२०१८ लभ सोनिया सोनिया तबरेज नुरानी
बर्षशीर्षकभूमिकानिर्देशकनोटसभ
२०१९ सुपर ३० रितु रश्मि (सुप्रिया) विकास बहल डेब्यू
बाटला हाउस नन्दिता कुमार निखिल आडवाणी

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Mrunal Thakur [ Hot ] Wiki, Age, Boyfriend, Marriage, Parents, Family", Marathi.TV (en-USमे), १२ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच २१ जुलाई २०१८

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]