मैसूर महल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मैसूर महल
Mysore Palace
Mysorepalace.jpg
मैसूर महल
मैसूर महल कर्नाटकपर अवस्थित
मैसूर महल
कर्नाटकमे स्थानक भितर स्थान
सामान्य जानकारी
वास्तुकला शैलीभारतीय
ठेगानभितर मैसूर
सहरमैसूर
देशभारत
निर्देशाङ्क१२°१८′१४″N ७६°३९′१७″E / १२.३०३९°N ७६.६५४७°E / 12.3039; 76.6547
वर्तमान मोहीसभकर्नाटक सरकार
निर्माण सुरू१८९७
समापन१९१२
मालिकमहरानी प्रमोदा देवी वाडियार
योजना आ निर्माण
वास्तुकारहेनरी इर्विन
Designationsमैसूरक महराजासभक शाही स्थान
जालस्थल
https://mysorepalace.gov.in

मैसूर महल या अम्बा विलास महल भारतक दक्षिणमे अवस्थित कर्नाटक राज्यक मैसूरक एक ऐतिहासिक महल आ शाही निवास छी । ई वाडियार वंशक आधिकारिक निवासस्थान आ मैसूर राज्यक स्थान छी । ई राजमहल मैसूर शहरक मध्य भाग आ चामुण्डी पहाड़क पश्चिममे अवस्थित अछि । मैसूरक सामान्यतया महलसभक शहर कहल जाइत अछि कियाकी एतय मैसुर महल सहित सात टा आओरो महल अछि ।

अखन स्थापित महल रहल स्थानके वास्तविक रूपमे पुरागिरी कहल जाइत छल आ अखन वर्तमानमे एकरा पुरान किला कहल जाइत अछि । यदुवाय १४हम शताब्दीमे पहिल बेर पुरान किलाक भितरमे एकटा महल बनेलक जकरा बहुतेक बेर ध्वस्त आ पुनर्निर्माण कएल गेल छल । ई राजमहल चन्दनक लकड़ीसँ बनल छल । एक दुर्घटनामे ई राजमहलकें बहुत क्षति भेल जकर बाद ई दोसर महल बनाएल गेल । पुरान महल बादमे ठीक कएल गेल जतय अखन सङ्ग्रहालय अछि । वर्तमान संरचनाक निर्माण सन् १८९७ आ सन् १९१२ मे भेल अछि ।

भारतमे ताज महलक बाद मैसूर महलमे पर्यटकक आवागमन अत्यधिक अछि । ई महल एक वर्षमे ६० लाख लोकद्वारा भ्रमण कएल जाइत अछि ।[१]

संरचना निर्माण[सम्पादन करी]

अन्तिम महल जे अखन पुरान महल वा चन्दन महलक रूपमे जानल जाइत अछि सन् १८९६ कें दशहरा पावनिमे जलि कें राख भऽ गेल । महराजा कृष्णराजा वाडिया चतुर्थ आ हुनकर माता महरानी केम्पा नानजम्मानी देवी, ब्रिटिस वास्तुकार हेनरी इर्विनके नव महल निर्माणक जिम्मा सौंपलक ।[२] नव महल निर्माणक समयमे शाही परिवार नजदिकक जगनमोहन महलमे आवसित भेल छल । महल निर्माणक कूल लागत भारतीय रुपैया ४१,४७,९१३ (अमेरिकी डलर ४० मिलियन) लागल छल आ निर्माण समाप्ति सन् १९१२ मे भेल छल ।[३]

स्थापत्य[सम्पादन करी]

गोम्बे थोट्टीक आगा सात तोप राखल गेल अछि । एकरा प्रत्येक वर्ष दशहराक आरम्भ आ समापनक मौका पर दागल जाइत अछि । महलक मध्यमे पहुँचैक लेल गजद्वारसँ भऽ जाइ पडैत अछि । ओ कल्याण मण्डप अर्थात विवाह मण्डप छी । ओकर छत रङ्गीन सिशाक बनल अछि आ फर्श पर चमकदार पत्थरक टुकड़ा लगल अछि । कहल जाइत अछि कि फर्श पर लगल पत्थरसभ इङ्ल्यान्डसँ मगाएल गेल अछि ।

दोसर महलसभक जका एतय सेहो राजासभक लेल दीवान-ए-खास आ आम लोकसभक लेल दीवान-ए-आम अछि । एतय बहुत रास कक्ष अछि जहिमे चित्र आ राजसी हथियार रखल गेल अछि । राजसी पोशाकसभ, आभूषण, तुन (महोगनी) कऽ लकड़ीक बारीक नक्काशी भेल पैग-पैग फाटकसभ आ छतसभमे लगल झाड़-फानूस महलक शोभामे चारि चांद लगवैत अछि । दशहरामे २०० किलो शुद्ध सोनाक बनल राजसिंहासनक प्रदर्शनी लगैत अछि । किछ लोकसभक माननाए अछि की ई पाण्डवक जमानाक छी ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Tourism in Mysore", २२ अप्रैल २०१४। 
  2. "Maharaja's Palace", Mysore District, अन्तिम पहुँच २०१४-०२-१७ 
  3. "Mysore palace will complete 100 years next year", Deccan Herald 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]