सामग्री पर जाएँ

रानी कमलापति रेलवे स्टेशन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रानी कमलापति रेलवे स्टेशन
Rani Kamlapati Railway Station
द्रुतयात्री ट्रेन स्टेशन
रेल्वे स्टेशन
सामान्य जानकारी
स्थानमहाराना प्रताप नगर क्षेत्र २, भोपाल-४६२०११, मध्य प्रदेश,
भारत
निर्देशाङ्क२३°१३′१८″N ७७°२६′२४″E / २३.२२१६°N ७७.४४०१°E / 23.2216; 77.4401
उचाइ४९५.७६० मिटर (१,६२६.५१ फिट)
स्वामित्वभारतीय रेल्वे स्टेशन विकास प्राधिकरण
लाइन(सभ)दिल्ली–चेन्नई लाइन
भोपाल-नागपुर खण्ड
प्ल्याटफर्म
ट्रयाक
निर्माण
संरचना प्रकारजमीन पर
प्ल्याटफर्म तह
पार्किङहँ
साइकल सुविधाहँ
अन्य जानकारी
अवस्थासक्रिय
स्टेशन कोडआरकेएमपी
एचबिजे (सन् १९२०-२०११)
दुर क्षेत्रपश्चिम केन्द्रीय रेलवे क्षेत्र
इतिहास
आरम्भ१९२०; १०५ वर्ष पहिने (१९२०)[]
पुनर्निमाण१९६९; ५६ वर्ष पहिने (१९६९)[]
२०२१; ४ वर्ष पहिने (२०२१)[]
विद्युतीकरणहँ
स्थान
कमलापति भोपालपर अवस्थित
कमलापति
कमलापति
भोपालमे स्थान
कमलापति मध्य प्रदेशपर अवस्थित
कमलापति
कमलापति
भोपालमे स्थान

रानी कमलापति रेलवे स्टेशन (अङ्ग्रेजीः Rani Kamalapati Railway Station) भारतीय रेलक एक रेलवे स्टेशन छी। ई भोपाल शहरमे स्थित अछि आ भोपाल शहरक दोसर रेलवे स्टेशन छी। भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी सन् २०२१ नवम्बर १५ मे मध्य प्रदेशमे भारतक पहिल विश्व स्तरीय निजी रेलवे स्टेशनक उद्घाटन केनए छल। ई भारतक पहिल आइएसओ प्रमाणित निजी रेलवे स्टेशन छी। सन् २०२१ नवम्बर १४ कऽ 'हबीबगन्ज रेलवे स्टेशन' केर नाम रानी कमलापति कऽ नामसँ बदलि देल गेल छल।[]

रानी कमलापति

नयाँ दिल्ली-चेन्नई मेन लाइनक भोपाल-इटारसी सेक्शन १८८४ मे खोलल गेल छल।१९२० क दशकमे, हबीबगंज रेलवे स्टेशन उपर्युक्त खण्डमे खोलल गेल छल। ई हबीबगंज गाममे सेवा करैत छल, जे तखन भोपालसँ बाहर छल। सन् १९६९ मे, मध्य प्रदेश सरकार एकरा भोपाल रेलवे स्टेशनक जाम कम करबाक लेल शहरक दोसर रेलवे स्टेशनक रूपमे पुनर्विकास केनए छल। रेल मंत्रालय जून २०१७ मे रेलवे स्टेशनक निजीकरण केलक, जे एकरा भारतक पहिल निजी रेलवे स्टेशन बना देलक। नवम्बर २०२१ मे, मध्य प्रदेश सरकार गोंड रानी रानी कमलापति क स्मृति मे एकर नाम रानी कमलापति रेलवे स्टेशन कए देलक। रेलवे स्टेशनक फेरसँ पुनर्विकास कएल गेल आ नवम्बर २०२१ मे खोलल गेल। स्टेशन कोड सेहो HBJ सँ RKMP मे बदलल गेल छल।

अवसंरचना

[सम्पादन करी]

एहि स्टेशन पर पाँचटा प्लेटफार्म अछि आ छहटा ट्रैक अछि। ई रेलवे स्टेशनक पुनः विकास जर्मनीक हाइडलबर्ग रेलवे स्टेशनक तर्ज पर कएल गेल अछि आ एकरा भारतक पहिल विश्व स्तरीय स्टेशनक रूपमे प्रचारित कएल गेल अछि। आब एहि स्टेशनमे विभिन्न सुविधासभ अछि जेना पैघ कवर पार्किंग एरिया, २४ X ७ पावर बैकअप, पेयजल, वातानुकूलित लॉबी, कार्यालय, दोकान, हाई स्पीड एस्केलेटर, लिफ्ट, एंकर स्टोर, ऑटोमोबाइल शोरूम, एकटा कन्वेंशन सेंटर, एकटा होटल आ एकटा सुपर स्पेशलिटी अस्पताल।

पुनर्विकासित रेलवे स्टेशनक हरित, सस्टेनेबल डिजाइन आ इको-फ्रेंडली प्रोजेक्ट लेल एसोचैम द्वारा जीईएम सस्टेनेबिलिटी सर्टिफिकेशन मे जीईएम ५ स्टार रेटिंग भेटल अछि। ई स्टेशन नहियेँ पानि के व्यापक पुनः उपयोगक योजना बनबैत अछि जाहिमे सीवेज ट्रीटमेंट सिस्टम लेल शून्य डिस्चार्ज तकनीकक उपयोग कएल जा रहल अछि। एहि स्टेशन पर वर्षा जल संग्रहणक प्रावधान सेहो अछि।[] स्वच्छ उर्जा सुनिश्चित करबाक लेल स्टेशन मे सौर उर्जा उत्पादन लागू कएल जाएत अछि। लगभग ६८०० आ ७३०० वर्ग मीटर क्रमशः नरम आ कठोर लैंडस्केपिंगक लेल चिन्हित आधारभूत संरचना एहि स्टेशन पर पाँचटा प्लेटफार्म अछि आ छहटा ट्रैक अछि।

  • भोपाल मुख्य रेलवे स्टेशन सँ ७ किमी दूर
  • भोपाल केन्द्र सँ १० किमी दूर
  • भोपाल शहर के दक्षिणी क्षेत्र में वाणिज्यिक क्षेत्र महाराणा प्रताप नगर से २ किमी दूर
रानी कमलापति रेलवे स्टेशनक प्लेटफार्म टिकट आरकेएमपी (RKMP) स्टेशन कोडक संग

मुख्य बिन्दु

[सम्पादन करी]
  • रानी कमलापति रेलवे स्टेशन भारत देशक पहिल आईएसओ प्रमाणित[] आ पीपीपी मॉडल पर विकसित रेलवे स्टेशन अछि।[]
  • ई स्टेशन राज्य मे पहिल आ देश मे दोसर विश्वस्तरीय रेलवे स्टेशन अछि।
  • एहि दौरान भारतीय रेल द्वारा विकसित परियोजना पर केन्द्रित एकटा लघु फिल्म प्रदर्शित कएल गेल। फिल्म स्टेशन पर उपलब्ध अत्याधुनिक सुविधाक बारे मे छल।
  • रानी कमलापति रेलवे स्टेशन केँ पुनर्विकास पीपीपी मॉडल पर कएल गेल अछि।
  • एहि परियोजनाक कुल लागत ४५० करोड़ रूपया अछि।
  • ई रेलवे स्टेशन देशक पहिल मॉडल स्टेशन अछि जे पब्लिक-प्राइवेट पार्टनरशिप के तहत बनाओल गेल अछि।
  • रानी कमलापति एक गोंड रानी छल जे गिनौरगढ़क राजासँ विवाह केनए छल। गोंड वंशक अन्तिम हिन्दू रानी मानल जाएत अछि।

सुविधासभ

[सम्पादन करी]

कम्प्यूट्रीकरण टिकिट आफ़िस लगेज चेक सिस्टम पर्किंग दिव्यांग एक्सेस फूड प्लाज़ा कियोस्क WC टैक्सी स्टैन्ड पब्लिक यातायात

रानी कमलापति रेलवे स्टेशन पर कई प्रकारक सुविधा, जहिना शॉपिंग स्टोर, रेस्टोरेंट, केटरिंग शॉप और पार्किंग आदि शामिल अछि। एहि स्टेशन पर महिला यात्री सभक लेल अलग सँ अन्य सुविधा सेहो देल गेल अछि। एहि स्टेशन पर एनर्जीक लेल सोलर पैनल लगाओल गेल अछि, जाहि सं प्राप्त ऊर्जा केँ स्टेशनक कार्यो मे प्रयोग कएल जाइत अछि। ट्रेनक आवाजाहीक जानकारी लेल पूरा स्टेशन पर अलग-अलग भाषाक डिस्प्ले बोर्ड लगाओल गेल अछि।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. १.० १.१ १.२ "Bhopal's Habibganj station renamed after tribal queen", Hindustan Times, १४ नवम्बर २०२१। 
  2. Tomar, Shruti (१४ नवम्बर २०२१), "Bhopal’s Habibganj station renamed after tribal queen", Hindustan Times, अन्तिम पहुँच २ नवम्बर २०२३ 
  3. "Bansal Group", Bansal Group, मूलसँ १ फरबरी २०२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ फरबरी २०२४ 
  4. Dwivedi, Preeti (१५ नवम्बर २०२१), "World Class Railway Station Rani Kamalapati : देश का पहला ISO-9001 सर्टिफाइड स्टेशन, आएगा एयरपोर्ट जैसा फील", Bansal News (बंसल न्यूज़) (हिन्दीमे), मूलसँ २ नवम्बर २०२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ नवम्बर २०२३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. "Rani Kamlapati Railway Station", Drishti IAS, १६ नवम्बर २०२१, अन्तिम पहुँच २ नवम्बर २०२३ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]