रितु ललित

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रितु ललित
Ritu Lalit
सन् २०१५ मे रितु ललित
जन्मसन् १९६४ (उमर ५१)
दिल्ली, भारत
पेशालेखक, उपन्यासकार, ब्लगर
भाषाअङ्ग्रेजी
राष्ट्रियताभारतीय
मातृसंस्थाकेन्द्र विद्यालय
गुवाहाटी विश्वविद्यालय
दिल्ली विश्वविद्यालय
शैलीउपन्यास, थ्रिलर
उल्लेखनीय कामसभअ बाउलफुल अफ बटरफ्लाइज[१]
हिलावी
चक्र:क्रोनिकल्स अफ द विच वे
हिज फादर्स मिस्ट्रेस[२]
रङ्ग फोर द राईट रिजन्स[३]
बाल-बच्चाइशान ललित, कार्तिक ललित
Website
ritulalit.com

रितु ललित (जन्म: सन् १९६४) भारतके फरीदाबाद मे स्थित भारतीय उपन्यासकार, लघु कथाकार, आ ब्लगर छी। ओ बेसीतर फ्यान्टसी आ रोमान्चक शैलीक कथा लेखनक लेल जानल जाएत अछि। ओ पाँच उपन्याससभक लेखिका छी, जेहिमे अ बाउलफुल अफ बटरफ्लाइज ("A Bowlful of Butterflies"), हिलावी ("Hilawi"), चक्र:क्रोनिकल्स अफ द विच वे ("Chakra, Chronicles of the Witch Way"), रङ्ग फोर द राईट रिजन्स ("Wrong for the Right Reasons") आ हिज फादर्स मिस्ट्रेस ("His Father’s Mistress") लिखने अछि।[४]

प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा[सम्पादन करी]

रितु ललितक जन्म दिल्ली, भारत मे भेल छल आ हुनकर पालन-पोषण भारतक उत्तर पूर्वी हिस्सामे भेल छल। हुनकर पिता भारत सरकारक साथे इलेक्ट्रिकल इङजीनियर छल आ हुनकर बदली प्राय होएत रहैत छल। तैएद्वारे ओ बहुत रास केन्द्रीय विद्यालयसभ मे अपन प्रारम्भिक स्कुलक शिक्षा प्राप्त केनए छल। ओ गुवाहाटी विश्वविद्यालय सँ अङ्ग्रेजी साहित्यमे स्नातक आ दिल्ली विश्वविद्यालय सँ अङ्ग्रेजी साहित्यमे अपन स्नातकोत्तरक अध्यन पुरा केनए छल। ओ बिजनेस एडमिनिस्ट्रेशन मे पोस्ट ग्रेजुएट डिप्लोमा लेनए अछि।

कैरियर[सम्पादन करी]

रितु ललित सन् २०११ मे अपन पहिल उपन्यास ए बाउलफुल बटरफ्लाइज लए कऽ आएल छल। ओकर बाद सन् २०१२ मे हिलावीसबके सामने प्रस्तुत केनए छल। हुनकर डेब्यू उपन्यास सँ पहिले, प्रशांत शेहडे द्वारा सङकलित हुनकर दुटा लघु कथा सङग्रह रिपल्स सन् २००९ मे प्रकाशित भेल छल। सन् २०१२ मे पपुलर प्रकाशन द्वारा प्रकाशित रितुक दोसर उपन्यास हिलावी प्रकाशित भेल छल। पन्चतन्त्र कऽ दन्तकथासभ आ मानव शरीरमे ऊर्जा भवरक वैदिक अवधारणा सँ प्रेरित हुनकर तेसर उपन्यास चक्र: क्रोनिकल्स अफ द विच वे सन् २०१३ मे सामने आनलक। सन् २०१४ मे, ओ अपन चारिम उपन्यास हिज फादर्स मिस्ट्रेस जारी केलक। सन् २०१५ मे ओ एक आ उपन्यास, रङग फर द राइट रिजन्स लए कऽ आएल छल ।

हुनकर लघु कथासभक सीबीएसई बोर्डक पाठ्यक्रमक कक्षा ८ आ कक्षा १२ मे एक भागक रूपमे विद्यार्थीसभक पढाएल जाएत अछि। हुनकर दुटा कथासभक राष्ट्रिय शैक्षिक अनुसन्धान आ प्रशिक्षण परिषद द्वारा प्रकाशित कएल गेल। ओ फिनिक्स रितुक नाम सँ ब्लग लिखैत अछि।[५] टाइम्स ऑफ इंडिया के अनुसार, रितु वर्तमान में दो ब्लॉग चला रही हैं, एक व्यक्तिगत ब्लॉग और दूसरा खाना पकाने पर।[६]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. A Bowlful of Butterflies. Rupa & Co.. आइएसबिएन 978-812912-312-1. https://books.google.co.in/books?id=uJEktB0R_wwC&dq=Ritu+Lalit&hl=en&sa=X&ved=0CBwQ6AEwAGoVChMIj4rkjJq4yAIVjyOOCh3y0Qzq. 
  2. His Father’s Mistress. Popular Prakashan. आइएसबिएन 978-938253-637-6. https://books.google.co.in/books?id=jcAsrgEACAAJ&dq=Ritu+Lalit&hl=en&sa=X&ved=0CCAQ6AEwAWoVChMIj4rkjJq4yAIVjyOOCh3y0Qzq. 
  3. Wrong, for the Right Reasons. Amazon. आइएसबिएन 978-150255-385-0. https://books.google.co.in/books?id=jcAsrgEACAAJ&dq=Ritu+Lalit&hl=en&sa=X&ved=0CCAQ6AEwAWoVChMIj4rkjJq4yAIVjyOOCh3y0Qzq. 
  4. "An Interview with Ritu Lalit!"The Mag। 24 August 2013।
  5. "Wish to pen a book? Make a splash with blogging"Indian Express। 8 September 2015।
  6. "Wish to pen a book? Make a splash with blogging"Times of India। 7 October 2015।

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]