रीता फारिया
दिखावट
रीता फारिया पवेल | |
---|---|
जन्म | १९४५ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | मोडल, चिकित्सक (फिजिशियन) |
सक्रिय वर्ष | १९६६–वर्तमान |
प्रसिद्धि कारण | पहिल एशियाली आ भारतीय मिस वर्ल्ड |
बालबच्चा | २ |
सम्बन्धी | डा. डेविड पवेल (पति) |
पुरस्कार | मिस वर्ल्ड १९६६ |
रीता फारिया पवेल (१९४५) विश्व सुन्दरी या मिस वर्ल्डक उपाधि जितैमे सफल पहिल भारतीय आ एशियाली मूलक महिला छी।[१] ओ पहिल भारतीय मिस वर्ल्ड छी, जे चिकित्सा शास्त्रमे विशेषज्ञता प्राप्त केने अछि।
शिक्षा एवम करियर
[सम्पादन करी]मुम्बईमे १९४५मे जन्म लेनेए रीता पहिल भारतीय आ एशियाई मूलक महिला छी जे १९६६मे मिस वर्ल्डक टाइटिल जितलक। एक वर्ष मोडलिङक ऊंचाइक छुलाके बाद रीता डक्टरीक पढाई पुरा केलक आ एही क्षेत्रमे अपन करियर बनेलक। ओ मुम्बई स्थित ग्रान्ट मेडिकल कलेज आ सर जमशेदजी जीजाबाई ग्रुप अफ हस्पिटलसँ एम.बी.बी.एस. मे स्नातक केने छल।