रीवा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रीवा
Rewa, लैंड ऑफ़ व्हाइट टाइगर
रीवा का केवटी जलप्रपात
रीवा मध्य प्रदेशपर अवस्थित
रीवा
रीवा
मध्य प्रदेश में स्थिति
निर्देशांक: २४°३२′N ८१°१८′E / २४.५३°N ८१.३०°E / 24.53; 81.30निर्देशाङ्क: २४°३२′N ८१°१८′E / २४.५३°N ८१.३०°E / 24.53; 81.30
राजवंशबघेल राजपूत
प्रान्तमध्य प्रदेश
ज़िलारीवा ज़िला
संस्थापकविक्रमादित्य सिंह
शासन
 • प्रणालीनगर निगम
 • सभारीवा नगर निगम
क्षेत्रफल
 • शहर69 किमी2 (27 वर्गमाइल)
 • महानगर146 किमी2 (56 वर्गमाइल)
ऊँचाई304 मिटर (997 फिट)
जनसंख्या (2011)
 • शहर२,३५,६५४
भाषाएँ
 • प्रचलितहिन्दी,बघेली
समय मण्डलभारतीय मानक समय (यूटीसी+5:30)
पिनकोड486001 HPO 486002, 486003
दूरभाष कोड07662
आई॰एस॰ओ॰ ३१६६ कोडIN-MP
वाहन पंजीकरणMP-17
वेबसाइटrewa.nic.in

रीवा (Rewa) भारतक मध्य प्रदेश राज्यक रीवा जिलामे स्थित एक नगर छी। ई जिलाक मुख्यालय सेहो छी आ राज्यक राजधानी, भोपालसँ ४२० किलोमीटर (२६० मील) पूर्वोत्तर आ जबलपुरसँ २३० किलोमीटर (१४० मील) उत्तरमे अवस्थित अछि। एहि सँ दक्षिणमे कैमूर पर्वतमाला अछि आ एहि क्षेत्रमे विन्ध्याचलक पहाडसभ सेहो स्थित अछि।[१]

विवरण[सम्पादन करी]

रीवा क अरविन्द आश्रम[सम्पादन करी]

रीवा शहर मध्य प्रदेश प्रान्तक विन्ध्या पठारक एक भाग बनाबैत अछि आ टोंस, बिहर, बिछिया नदी आ ओकर सहायक नदीसभद्वारा सिंचल जाइत अछि। एकर उत्तरमे उत्तर प्रदेश राज्य, पश्चिममे सतना आ पूर्व तथा दक्षिणमे सीधी जिला स्थित अछि। एकर क्षेत्रफल २,५०९ वर्ग माइल अछि। ई पहिने एकटा पैघ बघेल वंशक रियासत छल। एहि ठामक निवासी मे गोंड आ कोल ब्राह्मण विभिन्न क्षत्रिय वैश्य जातिक लोक सेहो शामिल अछि जे पहाड़ी भागक संग-संग मुख्य नगर मे रहैत अछि। एहि जिलामे बहुत रास जंगल अछि, जाहिसँ लकड़ी आ जंगली पशुसभ प्राप्त होइत अछि। श्वेत बाघक प्रजनन केवल रीवाक जंगलमे भेटल अछि। जिलाक प्रमुख उपज धान अछि। जिलाक ताला नामक जंगलमे बांधवगढ़क ऐतिहासिक किला अछि।

रीवा मूल रूप सँ गोंड, कोल आदिवासी सभक निवास स्थान रहल अछि। बाद मे जखन बाहरी गुजरात सँ सोलंकी राजपूत मध्य प्रदेश अएलाह, तखन हिनका संग किछु परिहार राजपूत आ किछु मुस्लिम सेहो अएलाह मुदा किछु समय बाद सोलंकी राजा व्याघ्र देव सोलंकी सँ बघेल तथा परिहार सँ वरग्राही (उत्कृष्टता ग्रहण करए वला) वंशक स्थापना केलक। बघेल आ वरग्राही परिहार आजुक दिनमे विन्ध्या क्षेत्रमे बहुतो संख्यामे पाओल जाइत अछि, जे शुरुए सँ एक-दोसराक अति विश्वस्त रहल अछि। प्राचीन इतिहासक अनुसार रीवा राज्यक वर्ग्राही परिहारो रीवा राज्यक लेल अनेक युद्ध लड़ल जकर प्रमुख अछि - नेनकाहाई युद्ध, बुन्देलखंडी युद्ध, लाहौर युद्ध, चुनार घाटी मिर्जापुर युद्ध, कोरिया युद्ध, मैहर युद्ध, कृपालपुर युद्ध।

बघेल वंशक स्थापना व्याघ्र देव द्वारा कएल गेल छल, जाहि कारण हुनका व्याघ्र देव वंशज सेहो कहल जाइत अछि। किएक तँ ई दूनू वंशक स्थापना भेलाक बाद ई दूनू राजपूतसभक अधिक विस्तार नहि भऽ सकल, जाहि कारण ई दूनू वंशक बारेमे अधिक जानकारी प्राप्त नहि भेल। ई सभ अग्निकुलक वंशज मानल जाइत अछि।

पूर्व रीवा राज्यक स्थापना लगभग १४०० ई. मे भेल छल। मे भेल छल राजपूत द्वारा। मुगल सम्राट अकबर द्वारा बांधवगढ़ नगर केँ ध्वस्त करएलाक बाद रीवा महत्वपूर्ण बनल आ १५९७ ई. मे एकरा पूर्ववर्ती रीवा रियासतक राजधानीक रूपमे चुनल गेल। सन् १९१२ ई. सन् १९७१ मे स्थानीय शासक ब्रिटिश सत्ताक साथ समझौता कऽ अपन सम्प्रभुता अंग्रेजसभके सौंप देलक। ई शहर ब्रिटिश बघेलखण्ड एजेन्सीक राजधानी सेहो रहल। एहि ठाम विश्वक पहिल सफेद शेर मोहन भेटल छल। जे मरि गेल अछि।

रीवा जिला सँ 13 किलोमीटर दूर (निपनिया-तमरा मार्ग) महाराजा मार्तण्ड सिंह बघेल व्हाइट टाइगर सफारी आ चिड़ियाघर मुकुन्दपुर बनाओल गेल अछि - जतय सफेद शेरसभक संरक्षण कएल जा रहल अछि।

रीवा जिलामे बघेली प्रमुख भाषा छी। हालहिमे एहि ठाम कृष्णा राज कपूर अडिटोरियम बनाओल गेल अछि।

यातायात[सम्पादन करी]

इन्दौर-रीवा रेलमार्ग

रेल[सम्पादन करी]

रीवा रेल मार्ग सँ देशक कतेको पैग शहरसँ जुड़ल अछि जाहिसँ रीवा आसानी सँ पहुँचल जा सकैत अछि। दिल्ली, राजकोट, सूरत, नागपुर, जबलपुर, कानपुर, प्रयागराज, इंदौर, भोपाल, मेहर, बिलासपुर आदि। रीवा रेल्वे स्टेशन अछि, जतय सँ भोपाल, इंदौर, दिल्ली, जबलपुर, बिलासपुर, चिरमिरी, राजकोट, नागपुरक लेल ट्रेन चलैत अछि।

सड़क[सम्पादन करी]

रीवा सड़क मार्ग द्वारा निम्नलिखित शहरसभसँ आसानीसँ पहुँचल जा सकैत अछि आ नियमित बससभक संचालन भोपाल, इंदौर, जबलपुर, नागपुर, बिलासपुर, रायपुर, ग्वालियर, इलाहाबाद (प्रयागराज), बनारस, अमरकंटक, शहडोल, मेहर, सतना आदि शहरसभसँ अछि।

वायु[सम्पादन करी]

रीवामे एक हवाई पट्टी अछि जतएसँ भोपालक लेल उड़ान चलैत अछि, एकरा हवाई अड्डा बनएबाक घोषणा भऽ चुकल अछि जाहिसँ विन्ध्या क्षेत्र सेहो व्यापार आ पर्यटकीय स्थलसभक भ्रमण सहजता सँ कऽ सकएत।

पर्यटन आ दार्शनिक स्थल[सम्पादन करी]

  1. गोविंदगढ़ का किला, रीवा [२]
  2. रीवा का किला, रीवा
  3. बघेल संग्रहालय, रीवा किला
  4. रानीपुर करचुलियाँ, रीवा
  5. पुरवा जलप्रपात, रीवा
  6. गोविंदगढ़ झील, रीवा
  7. भैरोबाबा की प्रतिमा, गुढ़, रीवा
  8. सिटी संग्रहालय, रीवा
  9. वेंकट भवन, रीवा
  10. चिराहुलानाथ मंदिर, रीवा
  11. रानी तलाब, रीवा
  12. मुकुंदपुर जंगल सफारी, रीवा

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

रीवा का सफ़ेद बाघ ,कयोति जल प्रपात एवं बहुति जल प्रपात ।

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भसामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Tourism in the Economy of Madhya Pradesh," Rajiv Dube, Daya Publishing House, 1987, ISBN 9788170350293
  2. अग्रवाल, रोहित (2019). देश का हृदय मध्य प्रदेश पर्यटन. नई दिल्ली-2: ओम साईटेक बुक्स पब्लिशर और डिस्ट्रीब्यूटर. आइएसबिएन 9789389004021. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]