विकिपिडिया:मातृभाषा सम्पादनथन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Mother Language Day Edit-a-thon Logo.svg
मातृभाषा सम्पादनथन

मातृभाषा सम्पादनथन अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस २०१८ कऽ शुभउपलक्ष्यमे मैथिली विकिपिडियामे ३ दिनक लेल सञ्चालन होमए जा रहल अछि । ई प्रतियोगिता २१ फरबरी २०१८ सँ २३ फरबरी २०१८ धरि सञ्चालन कएल जाएत । ई प्रतियोगिताक मुख्य धेय्य मैथिली विकिपिडियामे अन्तर्राष्ट्रिय भाषा आ भाषा परिवारसँ सम्बन्धित लेख तथा पृष्ठसभके अभिवृद्धि केनाए छी । ई पूर्णत: एक अनलाइन प्रतियोगिता छी आ मातृभाषा दिवसक उपलक्ष्यमे सञ्चालन होमए जा रहल पहिल सम्पादनथन प्रतियोगिता सेहो छी ।
सम्पूर्ण मैथिल विकिपिडियन लोकनिकें हम ई प्रतियोगितामे भाग लै कऽ लेल हार्दिक अनुरोध करैत छी । प्रतियोगितासँ सम्बन्धित कोनो दुविधा भेला पर एहि पृष्ठक वार्तामे लिखवाक लेल सेहो आग्रह करैत छी ।
शीघ्र जड़ीसभ
मातृभाषा सम्पादनथन
Mother Language Edit-a-thon
सुरूवात२०१८, फरबरी २१
समाप्त२०१८, फरबरी २३
उद्घाटन२०१८
संस्थापकबिप्लब आनन्द
सहभागीसभविश्व भरिक मैथिली भाषीसभ
द्वारा आयोजितमैथिली विकिमिडियन्स


उद्देश्य

  • मैथिली विकिपिडियामे उत्कृष्ट मापदण्डक लेख निर्माणक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे विश्वस्तरीय लेख निर्माणक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे सम्पादनकर्ताक सङ्ख्यामे वृद्धि करवाक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे नव सम्पादक आकर्षित करवाक लेल
  • ज्ञान अभिबृद्धिक काज हर्षोल्लास आ मनोरञ्जनात्मक तरिकासँ सम्पन्न करवाक लेल

जरुरी तिथिसभ

  • सम्पादन कार्यक्रम आरम्भ: २१ फरबरी, २०१८ (००:०० युटिसी)
  • सहभागी पञ्जीकरण अन्तिम तिथि: कार्यक्रम अवधि भरि
  • सम्पादन कार्यक्रम समाप्त तिथि: २३ फरबरी, २०१८ (२३:५९ युटिसी)

मातृभाषा सम्पादनथनमे कोना सहभागी होएब

मातृभाषा सम्पादनथनमे सहभागी होमएक लेल निम्न बुँदासभ पर ध्यान दी :

  • जौं किनको खाता नै बनल होए तँ सर्वप्रथम मैथिली विकिपिडियामे जाए अपन खाता बनाबी
  • खाता तयार भेलाक बाद सम्प्रवेश करि एतय जा अपन नाम दर्ता करी ।

के भाग लऽ सकैत छी?

  • सम्पूर्ण वर्गक सदस्य लोकनि ई प्रतियोगितामे सहभागी भऽ सकैत अछि ।

लेख मापदण्ड

  • ४,००० बाइट्स
  • ३०० शब्द
  • भाषिक शुद्धता
  • तस्वीर, स्रोत आ बाह्य जडीसँ सङ्ग्रहित

पुरस्कार

  • एहि कार्यक्रममे भाग लऽ उत्कृष्ट योगदान देनिहार विकिमिडियन्सके पुरस्कार सहित प्रमाण पत्रक व्यवस्था कएल गेल अछि ।
  • प्रतियोगिता अवधी भरि सभसँ बेसी लेख सिर्जना करऽवाला योगदानकर्ता पुरस्कृत कएल जाएत ।
  • ५ सँ बेसी लेख सिर्जना कएनिहार योगदानकर्तासभ भेल अवस्थामे पुरस्कार ओ सभमे बाँटल जाएत ।
  • विकिपिडियाक सम्पूर्ण नियमसभक पालना करल जाएत ।

विजेतासभ

स्थान प्रयोगकर्ता कुल लेख निर्माण निर्णायक अङ्क
BKV m 1 jms.svg किरण कुमार साह
BKV m 2 jms.svg पंकज देव
BKV m 3 jms.svg विप्लब आनन्द

उत्कृष्ट योगदानकर्ता

स्थान प्रयोगकर्ता लेखक नाम लेख आकार लेख शब्द सङ्ख्या
BKV m 1 jms.svg पंकज देव ब्राह्मी परिवारक लिपिसभ ३४,४७० बाइट्स ९०९ शब्द

सम्पर्क

सम्पर्कमे रही मातृभाषा सम्पादनथनक लेल या सहायताक लेल maithiliwiki@gmail.com मे इमेल भेजी ।

Twitter logo initial.svg
Facebook logo (square).png
Google Plus icon (2011-2015).svg
ट्विटरमे

फेसबुकमे

गुगल प्लसमे

एहो सभ देखी