सामग्री पर जाएँ

विकिपिडिया:मुख्य लेख/आवेदनसभ/छठि

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

छठि पर्व

[सम्पादन करी]
छठि

छठि पर्व नेपाल आ भारतक उत्तर क्षेत्रमे हिन्दूसभद्वारा मनाओल जाइवला एक महत्वपूर्ण पावनि छी। ई पर्वमे षष्ठी भगवती, भगवान सूर्य देव आ छठि मैयाँ (पौराणिक वेदक देवी; उषा - सूर्य देवक पत्नी)क पूजा अर्चना करि पुत्र, पति आ परिवारक कल्याणक कामना कएल जाइत अछि। नेपालक विशेष रुपसँ तराई (मधेश) क्षेत्रमे श्रद्धा एवं भक्तिपूर्वक ई पर्व मनाएल जाइत अछि । ई पर्वक अवसरमे पञ्चमीक दिनसँ व्रत बैसनिहार महिला तथा पुरुष निष्ठापूर्वक पवित्र जलाशयमे स्नान करि साँझमे दूध, चामल आ सख्खरक खीर पकाए प्रसादक रूपमे अपनो खाइत अछि आ व्रत नैबैसनिहार परिवारक सदस्यसभके सेहो खुवाबैक चलन अछि।

परम्परानुसार छठिक दिन साँझ अस्ताबैत सूर्यके जलाशयमे ठार भऽ पूजासहित अर्घ दऽ देलाबाद रातभरि नदी तथा तलाउ किनारमे बसि भजनकीर्तन करैत काल्हि सप्तमीक दिन भोर उगैत सूर्यके पुनः अर्घ दऽ पूजा विसर्जन कएल जाइत अछि । ई पर्वमे मुस्लिम समुदायक लोकसभ सेहो सहभागी होइत अछि आ ई पर्व विधिवत्त रूपमे मनाबैत अछि । पवित्र मनसँ छठि पर्व मनेलासँ पारिवारिक कल्याण, सन्तानसुख तथा मनोकामना पूरा होमएक विश्वास कएल जाइत अछि । (पूरा लेख...)

  • मुख्य सम्पादक: बिप्लब आनन्द
  • आवेदनके कारणसभ: लेखक आधार बढिया भेला कारणसँ
प्रमुख लेख समन्वय समितिके सदस्यद्वारा
  •    उपरोक्त लेख मुख्य लेखके मापदण्ड अनुसार अछि, आर मुख्य लेख के लेल चुनल जाएके लेल मतदान के लेल सिफारिस करए छी । --बिप्लब आनन्द (वार्ता) १७:१४, २८ अक्टुबर २०१६ (NPT)

प्रमुख लेख निर्वाचित--बिप्लब आनन्द (वार्ता) २०:२१, ३१ अक्टुबर २०१६ (NPT)

 समर्थन

[सम्पादन करी]
  1. आवेदनकर्ताके रूपमे  समर्थन -- बिप्लब आनन्द (वार्ता) १७:१४, २८ अक्टुबर २०१६ (NPT)
  2. समर्थन — तुल्सी भगत (वार्तालाप) १९:२९, २८ अक्टुबर २०१६ (NPT)
  3.  समर्थन --Nilamkarn (वार्ता) १०:२९, २९ अक्टुबर २०१६ (NPT)
  4.  समर्थन —JuniorX2 ChatHello! १५:३६, २९ अक्टुबर २०१६ (NPT)

असमर्थन

[सम्पादन करी]