विभावरी देशपाण्डे
विभावरी देशपाण्डे Vibhavari Deshpande | |
---|---|
![]() विभावरी सन् २०१९ मे | |
जन्म | विभावरी दीक्षित १ फरवरी, १९७९ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | अभिनेत्री, लेखिका |
जीवनसाथी(सभ) | ऋषिकेश देशपाण्डे |
बालबच्चा | राधा देशपाण्डे |
विभावरी देशपाण्डे भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी जे मराठी फिल्म उद्योगमे काम करैत अछि।
कैरियर[सम्पादन करी]
लेखिका आ निर्देशिका[सम्पादन करी]
विभावरी अपन कैरियरक शुरुवात कलेज ड्रामामे अभिनय आ पर्दाक पाछुक कार्य सँ शुरु केनए अछि। ओ राष्ट्रिय नाट्य विद्यालय, दिल्ली द्वारा आयोजित विभिन्न पाठ्यक्रमसभ आ विख्यात रङ्गमङच व्यक्तित्व सत्यदेव दुबे द्वारा आयोजित कार्यशालासभमे सेहो भाग लेलक। नाटकसभक लेल काम करैक समय, ओ मुख्य रूप सँ लेखन विभागमे पर्दाक पाछुक कार्य केलक। ओ स्टार प्रवाह पर प्रसारित होमएवाला मराठी टिभी धारावाहिक अग्निहोत्र क लेल सहो सम्वाद लिखने अछि।
अभिनय[सम्पादन करी]
विभावरीक बहुत पुरस्कार प्राप्त सन् २००४ क चलचित्र श्वास मे रिसेप्शनिस्टक रूपमे कैमियो भुमिकाक लेल पहिल अभिनय कार्य भेटल छल। हुनकर दोसर भूमिका स्मिता तलवलकरक निर्मित सात्चया आत घारत मे छल। एत ओ केतकीक भूमिका निर्वाह केलक, जे कलेजक सात छात्रसभमे सँ एक छल, जकर चारु दिस ई कहानी घुमैत छल। ओ जब्बार पटेल द्वारा निर्देशित वृत्तचित्रसभमे सँ एकमे सेहो काज केलक।
बादमे ओ किछ हिन्दी चलचित्रसभमे अभिनय केलक। हुनकर बडका काम सन् २००९ मे भेटल जब ओ फिल्म हरिश्चंद्राची फ्याक्ट्री मे भारतीय सिनेमाक पितामह दादा साहेब फाल्केक पत्नी सरस्वती फाल्केक ऐतिहासिक भूमिका निर्वाह केलक। विभावरीक भूमिका सहयोगी पत्नीक छल जे भारतक पहिल पूर्ण लम्बाई वाली फीचर फिल्म राजा हरिश्चन्द्र बनाबैक दिशामे अपन पतिक मदद केलक।[१] हुनका सरस्वतीक भूमिकाक लेल मिफ्ता द्वारा सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार सेहो प्राप्त भेल छल।[२] सन् २०१० मे, ओ फिल्म नटरङ मे, गुनाक पत्नी, द्वारकाक भूमिका निर्वाह केलक। आनन्द यादव क एहि नामक उपन्यास पर आधारित, द्वारकाक किरदार एक पत्नीक छल, जे तमाशा मे अपन पतिक भागीदारीक नापसन्द करैत अछि।[३] सन् २०११ मे, विभावरी महान मराठी गायक आ मङच अभिनेता, बालगन्धर्वक पत्नीक एक आर ऐतिहासिक भूमिका निर्वाह केलक। फिल्ममे हुनकर भूमिका बालगन्धर्वक प्रमुख शीर्षक भूमिका क समर्थन करैत अछि। बालगन्धर्व महिलासभक अभिनय नै करवाक कारण थिएटरमे महिलाक भूमिका निर्वाह केनए छल।[४]
व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]
भारतक पुणे, महाराष्ट्रमे जन्मल आ पलाएल-पोसाएल, देशपाण्डे अपनी प्रारम्भिक शिक्षा पुणेक गरवारे हाई स्कूल सँ पुरा केलक। ओ फर्ग्यूसन कलेज सँ आर्ट्स आर मास कम्युनिकेशनमे स्नातक केलक।
फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Masand, Rajeev (३० जनवरी २०१०), "Watch out for 'Harishchandrachi Factory'", IBN Live, अन्तिम पहुँच १९ दिसम्बर २०१२।
- ↑ Badam, Ramola Talwar, "Bachchan accepts and confers honours in Marathi films", The National, अन्तिम पहुँच १९ दिसम्बर २०१२।
- ↑ Parande, Shweta (२७ मार्च २०१०), "Atul Kulkarni's 'Natarang' is powerful", IBN Live, अन्तिम पहुँच २९ नवम्बर २०१२।
- ↑ Gokhale, Shanta (२६ मई २०११), "The real reel", Times of India, अन्तिम पहुँच १९ दिसम्बर २०१२।