अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस
अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस | |
---|---|
आधिकारिक नाम | अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस International Yoga Day |
अन्य नाम | योग दिवस, विश्व योग दिवस |
समुदाय | विश्वभरि |
प्रकार | संयुक्त राष्ट्र |
अनुष्ठान | योग, ध्यान, सामूहिक मंथन, विचार-विमर्श, सांस्कृतिक आयोजन |
तिथि | २१ जुन |
मानाएल | वार्षिक |
पहिल बेर | २१ जुन २०१५ |
अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस २१ जुन कें मनाएल जाएत अछि । ई दिन वर्षक सभ सँ पैघ दिन होइत अछि आ योग सेहो मनुष्य कें दीर्घ जीवन प्रदान करैत अछि । पहिनुक बेर ई दिवस २१ जुन २०१५ कें मनाएल गेल, आ ई आरंभण भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा दिनांक २७ सितम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र महासभामे कएल गेल छल ।
मूल
[सम्पादन करी]भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी दिनांक २७ सितम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र महासभा मे अपन भाषण मे कहलनि:
"योग भारतक प्राचीन परम्पराक एकटा अमूल्य उपहार थीक, ई मस्तिष्क ओ देहक समन्वयनक प्रतीक थीक; मनुष्य आ' प्रकृतिक बीच सामञ्जस्य अछि; ई विचार, संयम आ' स्फूर्ति प्रदान केनिहार थीक तथा स्वास्थ्य ओ उपकारक लेल एकटा समग्र दृष्टिकोण सेहो प्रदान केनिहार थीक । ई व्यायामक मादे मे नहि थीक, मुदा अपन बाह्य ओ आंतरिक एकताक भावना, दुनिया आ प्रकृतिक खोजक विषय मे थीक । अपन सभक परिवर्तित जीवन-शैली मे ई चेतना बनि, अपना सभ कें जलवायु-परिवर्तन सँ लड़बा'मे सहायता क' सकैत अछि । तँ आउ अहि अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवसक स्थापनाक लेल ओहि दिशा मे काज करैत छी ।"
एकर बाद २१ जुन के अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस घोषित कएल गेल । ११ दिसम्बर २०१४ के संयुक्त राष्ट्र मे १७७ सदस्य देस द्वारा २१ जुनक दिन अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस मनाबैत रहबाक प्रस्ताव के मञ्जुरी भेटल । प्रधानमन्त्री मोदी द्वारा प्रस्तुत ई प्रस्ताव ९० दिनक भीतर पूर्ण बहुमत सँ पारित कएल गेल छल । ई संयुक्त राष्ट्र संघ मे कोनहु प्रस्तावक संपारण लेल सब सँ कम समय थीक ।[१]
- ↑ "मोदी पलट पाएँगे योग की काया ?"। बीबीसी हिन्दी। 12 दिसंबर 2014। अन्तिम पहुँच 12 जनवरी 2015।
{{cite news}}
: Check date values in:|date=
(help)